Friday, August 19, 2011

नवेन्दु कुमार झा मतदाता सभक उत्साह मध्य सम्पन्न भेल तीन चरणक मतदान- राजनीतिक दलक बेचैनी बढ़ौने अछि मतदाताक चुप्पी

नवेन्दु कुमार झा
मतदाता सभक उत्साह मध्य सम्पन्न भेल तीन चरणक मतदान- राजनीतिक दलक बेचैनी बढ़ौने अछि मतदाताक चुप्पी

बिहार विधान सभाक छह चरणमे होमएबला मतदानक लेल तीन चरण मतदानक काज समाप्त भऽ गेल। तीन चरणमे भेल मतदानमे१३० विधान सभा क्षेत्रमे २०३९ उम्मीदवारक भविष्य मतदाता इलेक्ट्रानिक वोटिंग मशीन (ई.वी.एम.) मे बन्द कऽ देलनि अछि। कड़गर सुरक्षा व्यवस्थाक मध्य किछु छिटपुट घटनाकेँ छोड़ि मतदान शान्तिपूर्वक सम्पन्न भेल। एहि बेरक चुनावमे मतदाता सभमे सेहो उत्साह देखल गेल। पाबनि-तिहारक मध्य सम्पन्न भेल मतदानमे पहिल चरणमे ५४.३१ प्रतिशत, दोसर चरणमे ५२.५५ प्रतिशत आ तेसर चरणमे ५३.६६ प्रतिशत मतदाता अपन मताधिकारक प्रयोग केलनि। एहि मध्य चारि चरणक लेल १ नवम्बरकेँ होमएबला मतदानक लेल चुनाव प्रचारक काज सम्पन्न भऽ गेल अछि तँ पाँचम चरणमे ९ नवम्बरकेँ होमएबला मतदानक लेल सभ दल आ उम्मेदवार प्रचारमे अपन पूरा ताकत लगौने छथि तँ छठम आ अन्तिम चरणक मतदानक लेल नामांकन लेल नामांकन पत्र भरबाक काज चलि रहल अछि। अंतिम चरणमे २० नवम्बरकेँ मतदान भेलाक बाद २४ नवम्बरकेँ मतगणनाक संगहि बिहारमे नव सरकारक स्थिति स्पष्ट होएत। एहि बेरक चुनावमे मुख्य मोकाबला सत्तारूढ़ जद-यू भाजपाक राष्ट्रीय गठबंधन आ राजद-लोजपा गठबंधनक मध्य अछि आ गोटेक दू दशकक बाद असगर सभ २४३ सीटपर चुनाव लड़ि रहल कांग्रेस एकरा त्रिकोणीय बनेबाक लेल प्रयास कऽ रहल अछि। तीनू चरणक मतदानमे मतदाता जाहि तरहेँ मौन राखि मतदान कएलनि अछि ओहिसँ सभ राजनीतिक दल आ उम्मीदवारक होश उड़ल अछि।

पहिल चरणमे आठ जिलाक ४७ विधानसभा क्षेत्रमे, दोसर चरणमे छह जिलाक ४५ विधानसभा क्षेत्र आ तेसर चरणमे छह जिलाक ४८ विधानसभा क्षेत्रमे मतदान कराओल गेल अछि तँ चारिम चरणमे आठ जिलाक ४२ विधानसभा क्षेत्रमे १ नवम्बर, पाँचम चरणमे आठ जिलाक ३५ विधानसभा क्षेत्रमे ९ नवम्बर आ छठम चरणमे पाँच जिलाक २६ विधानसभा क्षेत्रमे २० नवम्बरकेँ मतदान काअओल जाएत।

तीन चरणक मतदान- एक नजरिमे



पहिल चरण

दोसर चरण

तेसर चरण
कुल जिला






विधानसभा क्षेत्र

४७(८ सुरक्षित)

४५(६ सुरक्षित)

४८(७ सुरक्षित)
कुल मतदाता

१०७००७९७

९८४४९८१

१०३७६०२२
मतदानक प्रतिशत

५४.३१

५२.५५

५३.६६
उम्मीदवारक संख्या

६३१ (५२ महिला)

६२३ (४६ महिला)

७८५ (६५ महिला)
कुल मतदान बूथ

१०८६८ (४१४ अतिरिक्त)

१०३१५

८४२६
कुल मतदान केन्द्र

८८६८

९९५२

१०८१४
कुल बैलेट यूनिट

१३७६०

१३६७४

१६६७१
तीन चरणमे दलीय उम्मीदवारक संख्या


पहिल चरण

दोसर चरण

तेसर चरण
भारतीय जनता पार्टी

२१

१७

२४
जनता दल यूनाइटेड

२६

२८

२४
राष्ट्रीय जनता दल

३१

३४

३५
लोक जनशक्ति पार्टी

१६

११

१३
राष्ट्रवादी कांग्रेस पार्टी

३३

३१

३८
बहुजन समाज पार्टी

४५

४५

४८
भाकपा

११

०८

१०
माकपा

०७

०८

०५
भारतीय राष्ट्रीय कांग्रेस

४७

४५

४८
निर्दलीय

२३८

२२८

३५४
आन दल

१५६

१६८

१८६

बिहारमे मतदानक प्रतिशत (विधानसभा)
१९५२-४२.०५
१९५७-४१.७२
१९६२-४६.९७
१९६७-५१.४९
१९६९-६२.७८
१९७२-५२.७९
१९७७-४९.७२
१९८०-५७.३३
१९८५-५४.३९
१९९०-६२.०४
१९९५-६१.७९
२०००-६७.५७
२००५ फरवरी- ४६.२५
२००५ नवम्बर- ४७.०३
२०१० (पहिल तीन चरणमे)-५३.३६(साभार विदेह www.videha.co.in)

No comments:

Post a Comment