Thursday, September 1, 2011

कीर्ति आजाद स्थायी समितिक नव सदस्य/ मनीष तिवारी ओइ समितिसँ बाहर हेबाक अपन इच्छा रखने छथि

कीर्ति आजाद भारतीय संसदक दुनू सदनक ३१ सदस्यीय "पर्सोनल,  पब्लिक ग्रिवान्स एण्ड लॉ एण्ड जस्टिस"क स्थायी समितिक नव सदस्य चुनल गेल छथि। मनीष तिवारी ओइ समितिसँ बाहर हेबाक अपन इच्छा रखने छथि। ई समिति "जन लोकपाल" बिलपर अपन बैसकी ७ सितम्बर २०११ केँ करत। अन्ना हजारेकेँ ओइ बैसकीमे शामिल हेबाक हकार देल गेल छलन्हि मुदा ओ अपन गाम महाराष्ट्रक अहमदनगर जिलाक "रालेगान सिद्धि" पहुँचि गेलाह, ओतए ओ गणेश चतुर्थी मनेताह।

No comments:

Post a Comment