Tuesday, October 4, 2011

भागवत झा आजाद नै रहलाह

भागवत झा आजाद, ८९ बर्ख, क आइ भोरमे दिल्लीक अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थानमे मृत्यु भऽ गेलन्हि। ओ भागलपुरसँ छह बेर भारतक लोकसभाक सदस्य कांग्रेस पार्टीक टिकटपर चुनल गेल रहथि आ १९८८-८९ मे करीब एक साल धरि बिहारक मुख्यमंत्री सेहो रहथि। हालेमे ओ भारतीय जनता पार्टी मे शामिल भेल रहथि।
हुनकर पुत्र कीर्ति आजाद  "क्रिकेट विश्वकप १९८३"क विजेता भारतीय टीमक सदस्य रहथि आ अखन ओ भारतीय जनता पार्टीक टिकटपर दरभंगासँ भारतीय लोकसभाक सदस्य छथि।

No comments:

Post a Comment