Wednesday, November 9, 2011

चेतना समिति, पटनाक विद्यापति पर्व समारोह - ०८ नवम्बर २०११- राज्यपाल केलनि उद्घाटन (रिपोर्ट श्री सत्य नारायण झा)

विद्यापति पर्व समारोह
चेतना समिति द्वारा पटना मे आयोजित विद्यापति समारोहक पहिल दिन छल- ०८ नवम्बर २०११-  | महामहिम राज्यपाल उदघाटन केलनि आ मुख्य अतिथि छलाह आदरणीय डा० जगन्नाथ मिश्र |पहिल सत्र मे सभक भाषण भेलैक |दोसर सत्र मे रंजना झा द्वारा विद्यापति गीत गेलाक बाद कवि गोष्ठी भेल |स्थापित कवि सभ छलाह |सभ सं दुखद स्थिति छल श्रोताक नगण्य उपस्थिति |कवि सम्मलेन में उपस्थिति आओर नगण्य छल | समिति केबल तिथि मनबैत अछि आ किछु पुरस्कार सभ देनाइ ,भाषण आ किछु प्रोग्राम क’ देनाइ बस |प्रचार प्रसार अथबा संपर्क केनाइ समिति अपन कर्तब्य नहि बुझैत अछि कारण किछु लोक एकरा अपन धरोहर बुझैत छथि |नव अध्यक्ष क’ एहि पर सोचबाक चाही |

1 comment:

  1. कमी के अगिला साल कम करबाक अथवा दूर करबाक लक्ष्य हो.
    प्रचार प्रसार लेल सभ स्तर स प्रयासक आवश्यकता छैक.
    पहिल दिन उदघाटन, भाषण आदिक बाद विद्यापति गीत आ अन्य गीत-संगीतक कार्यक्रम राखब आ कवि गोष्ठीक समय दोसर दिन साँझ ७ बजे स राखब ठीक होयत.
    काव्य-पाठ आकर्षक हो सेहो सुनिश्चित करब आवश्यक होयत.--अनिल

    ReplyDelete