Saturday, December 10, 2011

७५म "सगर राति दीप जरए"- भाइ साहेब राजमोहन झा द्वारा दीप जरा कऽ भेल उद्घाटन

-७५म "सगर राति दीप जरए"- भाइ साहेब राजमोहन झा द्वारा दीप जरा कऽ भेल उद्घाटन, स्थान- कॉपेरेटिव हॉल, पटना म्यूजियमक लग, पटना, दिनांक १० दिसम्बर सायं ६ बजे, भोर धरि हएत कथा पाठ

-बेचन ठाकुरक दूटा नाटक "बेटीक अपमान आ छीनरदेवी"क लोकार्पण भाइ साहेब राजमोहन झा द्वारा भेल

-आशीष अनचिन्हारक गजल, रुबाइ आ कता संग्रह "अनचिन्हार आखर"क लोकार्पण श्री जगदीश प्रसाद मण्डल द्वारा भेल

-अनमोल झाक विहनि कथा संग्रह "समय साक्षी थिक"क लोकार्पण श्री देवशंकर नवीन आ श्री उग्रनारायण मिश्र "कनक" जी द्वारा भेल।

-करीब एक दर्जन पोथीक लोकार्पण सम्पन्न।

-१६म विदेह मैथिली पोथी प्रदर्शनी  विदेहक सह-सम्पादक श्री उमेश मण्डल आ श्री अकलेश मण्डलक संयोजकत्वमे सेहो आयोजित अछि

-श्री जगदीश प्रसाद मण्डल जीक कथा-संग्रह "गामक जिनगी" आ श्रीमति प्रीति ठाकुरक "मिथिलाक लोकदेवता"क वितरण सम्पन्न।

-विदेहक सहायक सम्पादक श्री मुन्नाजी (मनोज कुमार कर्ण) जीक ट्रेन लेट भऽ गेल छन्हि से हुनकर विहनि कथा पोस्टर प्रदर्शनी कनेक विलम्बसँ ११ बजे धरि प्रारम्भ हएत।

-समाचार लिखबा काल कथा-पाठ जारी छल जे भोर धरि चलत।

No comments:

Post a Comment