Thursday, September 29, 2011

डा.चंद्रमणि झा द्वारा संकलित विद्यापतिक अनेक गीत क अंग्रेजी अनुवादित पुस्तकक लोकार्पण (साभार Hemant Kumar Jha)

दरभंगा : डा.चंद्रमणि झा द्वारा संकलित विद्यापतिक अनेक गीत क अंग्रेजी अनुवादित पुस्तकक लोकार्पण अधिवक्ता संघ भवन मे 28 सिंतबरकेँ । जिला एवं सत्र न्यायाधीश रमेश कुमार रटेरिया पुस्तक द्वारा विमोचन।विशिष्ट अतिथि डा. मोहन मिश्र व मुख्य अतिथि स्थायी लोक अदालतक पीठासीन पदाधिकारी अर्जुन कुमार सिंह।

Friday, September 23, 2011

मिथिलांगन बैशाख-आसिन, २०६८ (अप्रैल-सितम्बर २०११) संयुक्तांक आबि गेल अछि।

मिथिलांगन बैशाख-आसिन, २०६८ (अप्रैल-सितम्बर २०११) संयुक्तांक आबि गेल अछि।
सम्पादक: नूतन दास
सम्पर्क: mithilangan@gmail.com

Monday, September 19, 2011

नवतुरियाक नव अंक

नवतुरिया:वर्ष-तीन, अंक ०२
सम्पर्क navturia@gmail.com

Sunday, September 18, 2011

भारतक पूर्वोत्तर आ नेपालक पूर्वी क्षेत्रमे भूकम्प


-भारतक पूर्वोत्तर आ नेपालक पूर्वी क्षेत्रमे भूकम्प, ०६.११ मिनटपर- १८ सितम्बर २०११ रवि दिन (भारतीय समयानुसार)
-भूकम्पक केन्द्र सिक्किम गंगटोकसँ ६८ कि.मी.पर नेपाल सीमापर २०.७ किमीटर नीचाँमे रिक्टर स्केलपर ६.८ क तीव्रता
-उत्तर पूर्वी भारतमे भूकम्पक असर
-दिल्लीक आसपास सेहो भूकम्पक झटका
-कोलकातामे देबालमे दरारि
-पटनामे सेहो झटका/असर
-कटिहारमे दूटा निर्माणाधीन घर खसल
-काठमाण्डूमे देबार खसलासँ तीन गोटेक मृत्यु
-मलंगवा,सरलाही आ गौर, रौतहटमे लोक घरसँ बाहर एलाह
-मधुबनी, दरभंगा, समस्तीपुर, जनकपुर, विराटनगर सहित बिहार आ पूर्वी नेपालमे सभ ठाम भूकम्पक झटका
-भारतक पूर्वोत्तर राज्यमे फोन सेवा ठप

Saturday, September 17, 2011

किछु मैथिलीक नव पोथी





"तिरहुता लिपि कें मैथिली भाषा पर प्रभाव"- कौशल कुमार

१० सितम्बर २०११ के नयी दिल्ली , गाँधी शांति प्रतिष्ठान मे मैथिली फोंदेशन के तत्वाधान मे आयोजित परिचर्चा "तिरहुता लिपि कें मैथिली भाषा पर प्रभाव" विषय पर सर्वश्री मोहन भारद्वाज जी कें अध्यक्षता मे भेल. मोहन भारद्वाज मैथिली साहित्य कें एकटा सुपरचित आ प्रतिष्ठित नाम छथि आ आलोचना , समालोचना मे एकटा स्तम्भ छथि. कार्यक्रम मे उपस्थित छलथि श्री गंगेश गुंजन जी, श्री कुमार शैलेन्द्र, श्रीबसंत झा,श्रीआनंद झा,श्रीअनित झा,श्री बजरंग मंडल,श्रीशंकर जी,श्रीश्यामाचरण,श्रीअजित झा आदि कार्यक्रम मे श्रीभारद्वाज जी अप्पन वक्तव्य मे मैथिली भाषा,लिपि आ साहित्य पर बड्ड नीक आ विस्तृत रूपे अप्पन विचार रखलनी आ लिपि भाष वृद्धि मे एकटा बड़का कारक अछि ऐ बात के समर्थन देलनि जे लिपि के विस्तार भाषा के विस्तार अछि. श्रीकुमार शैलेन्द्र अपना वक्तब्य मे कह्लानी जे हम सब सांस्कृतिक कार्यक्रम त' बड्ड कराइ छी मुदा भाषा जे सांस्कृतिक धरोहर के संग्रक्षित करैक लेल एकटा पैघ अस्त्र अछि तै पर काज बहुत आवश्यक अछि तें लिपि के बधेनाई अत्यावश्यक अछि।
चित्र साभार कौशल कुमार

चित्र साभार कौशल कुमार

चित्र साभार कौशल कुमार

Thursday, September 15, 2011

पूर्वोत्तर मैथिल समाज अंक ५ अक्टूबर-दिसम्बर २०११ बजारमे आबि गेल

पूर्वोत्तर मैथिल समाज अंक ५ अक्टूबर-दिसम्बर २०११ बजारमे आबि गेल। सम्पादक श्री सत्यानन्द पाठक।

Wednesday, September 14, 2011

गामघरक १ सितम्बर २०११ अंक बजारमे (वर्ष ३१, अंक ४४)

गामघर- नेपालसँ प्रकाशित पहिल मैथिली साप्ताहिक समाचार पत्र



गामघर: (वर्ष ३१, अंक ४४): प्रधान सम्पादक: रामभरोस कापड़ि "भ्रमर"
सम्पर्क: gamghar@ntc.net.np

Tuesday, September 13, 2011

-चीनमे भेल पहिल पुरुष एशियन चैपियंस हॉकी ट्रॉफी भारत जितलक-आइ भोरमे दिल्ली हवाइ अड्डापर भरतीय टीमक भव्य स्वागत

-चीनमे भेल पहिल पुरुष एशियन चैपियंस हॉकी ट्रॉफी भारत जितलक
-फाइनल मैचमे पाकिस्तानकेँ ४-२ सँ हरेलक -फैसला पेनल्टी शूट आउतसँ
-निर्धारित ७० मिनटमे कोनो गोल नै भेल
-१५ मिनट अतिरिक्त समयमे सेहो कोनो गोल नै भेल
-ऐ प्रतियोगितामे भारत कोनो मैच नै हारल
-आइ भोरमे दिल्ली हवाइ अड्डापर भरतीय टीमक भव्य स्वागत

सगर राति दीप जरए- हजारीबाग- उमेश मण्डल

सगर राति दीप जरए- हजारीबाग- उमेश मण्डल

10 सि‍तम्बर साँझ 7बजेसँ 11 सि‍तम्बरक भि‍नसर 6बजे धरि‍ ‘सगर राति‍ दीप जरय’क 74म कथा गोष्ठी श्री श्याम दरि‍‍हरे जीक संयोजकत्वमे सि‍न्दूर कैम्प हजारीबाग (झारखण्ड) मे सु-सम्पन्न भेल। गोष्ठीक अध्यक्षता केलनि‍- श्री रमानन्द‍ झा ‘रमण’ आ मंच संचालन श्री कमल मोहन चुन्नूजी।


झारखण्ड आ बि‍हार दुनू ठामक कथाकार अपन-अपन नूतन कथा/लघुकथाक पाठ केलनि‍ यथा- सुन्दर भेल मधाई (प्रदीप बि‍हारी), अपन सन मुँह (लक्ष्मी दास), कचोट (शशि‍कान्त झा), अल्लूक चुमौन (रामदेव प्रसाद मण्डल ‘झारूदार’), मरनी बेटी (मि‍थि‍लेश मण्डल), कनफेरसँ मुँहफेर आ कुसि‍यारक मारि‍ (उमेश मण्डल), सुगन्धा (चौधरी जयंत तुलसी), भवडाह (जगदीश प्रसाद मण्डल), अधि‍कार (बेचन ठाकुर), एकरा की कहबै (रामवि‍लास साहु), मदि‍राक प्रभाव (शि‍वकुमार मि‍श्र), पोस्टमार्टम (संतोष कुमार झा), महादुखी वा महासुखी (धनाकार ठाकुर), बौआइत मनोभाव (गि‍रजानन्द ठाकुर), टीश (अशोक) आ गामक सुगंध इन्टरनेट (श्याम दरि‍हरे)। पठि‍त कथा आ लघुकथापर दू-टप्पी समीक्षा सेहो भेल।

ऐ अवसरपर पाँच‍ गोट मौलि‍क आ दू गोट अनुदि‍त पोथीक लोकार्पण भेल यथा- (1) मि‍थि‍लाक इति‍हास (प्रो. राधाकृष्ण चौधरी) लोकार्पण श्री जगदीश प्रसाद मण्डल द्वारा। (2) A survey of Maithili literature (प्रो. राधाकृष्ण चौधरी) लो.- श्री अशोक। (3) कलानि‍धि‍ (कालीकान्त झा ‘बूच’) लो.- श्री प्रदीप बि‍हारी। (4) रहए चाहैए गाछ (जीवकान्त‍) लो.- श्री तुलानन्द मि‍श्र। (5) धूंध के बावजूद (अजीत कु. आजाद) लो.- श्री जगदीश सिंह। (6) कठि‍न समय मे शब्द, हि‍न्दीक मैथि‍ली अनुवाद (अजीत कु. आजाद) लोकार्पण- श्री जीवेन्द्रनाथ झा। (7) परती टूट रही है, मैथि‍लीक हि‍न्दी अनुवाद (अजीत कुमार आजाद) लोकार्पण- श्री रमानन्द झा ‘रमण’ द्वारा।

सगर राति‍ दीप जरय'क 75म आयोजन श्री अशोक जीक संयोजकत्वमे पटनामे 10 दि‍स्मबर 2011केँ होएबाक संभावना।









जगदीश प्रसाद मण्डल- माइक लेने




















  

Monday, September 12, 2011

दिल्लीमे गूंजल मैथिली कविता


पूनम मंडल - दिल्लीमे गूंजल मैथिली कविता
देशक राजधानी दिल्लीमे साहित्यिक, सांस्कृतिक सामाजिक संस्था 'मिथिलांगन" द्वारा आयोजित कवि गोष्ठीमे मैथिली कविता गीत खूब गूंजल। अवसर छल साहित्य अकादमी पुरस्कारसँ सम्मानित डॉ. ब्रजकिशोर वर्मा 'मणिपद्म" क जयंतीक।  आयोजन रविवार, 11 सितम्बर, 2011 केँ राजघाट स्थित सत्याग्रह मंडपमे कएल गेल। 

विशाल मैथिली कवि गोष्ठीमे मैथिली भाषाक युवासँ लऽ कऽ मूर्धन्य कवि अप्पन विशिष्ट कविताक पाठ कऽ उपस्थित श्रोताकेँ मंत्रमुग्ध कऽ देलन्हि। कवि गोष्ठीक अध्यक्षता पटनासँ पधारल वरिष्ठ हिन्दी-मैथिली कवि डॉ. ललित कुमुद संचालन प्रख्यात कवि-नाटककार कुमार शैलेन्द्र केलनि। कवि सम्मलेनमे कविता पाठक आरंभ युवा कवि विनीत उत्पल अप्पन दू टा कवितासँ केलखिन। एक्कर बाद युवा कवि किशन कारीगर, स्तुति नारायण, विनीता मल्लिक, रमण कुमार सिंह, गीतकार मानवर्धन कंठ, शारदा नन्द दास 'परिमल", 'तुरंता" लेल जानल जाएबला वरिष्ठ कवि रवींद्र लाल दास 'सुमन", रवी-वीन्द्र-महेंद्रक जोड़ीक रवींन्द्र नाथ ठाकुर, कुमार शैलेन्द्र शेफालिका वर्मा अप्पन कविताक पाठ पढ़लनि। ब्रह्मदेव लाल दासक मोन ठीक नै छल तेँ ओ उपस्थित नै भऽ सकलाह आ हुनकर कविताक पाठ हुनकर पुतोहु सरिता दास केलनि।

समारोहक आरंभ प्रसिद्ध मैथिली गायक सुंदरमक नेतृत्वमे मिथिलांगन सांस्कृतिक दलक स्वागत गानसँ भेल। तकर बाद डॉ. शेफालिका वर्मा डॉ. ललित कुमुद मणिपद्मजीक व्यक्तित्व कृतित्व केँ लोकक आगू राखलखिन। समारोहमे मैथिली भाषाक विशिष्ट साहित्यकार रमानंद रेणु, मार्कण्डेय प्रवासी, फजलुर रहमान हासमी हिनका सभक निधन केँ लऽ कऽ शोक व्यक्त सेहो कएल गेल। संगे-संग दिल्ली उच्च न्यायालय लग भेल बम विस्फोटमे घायल भेल मारल गेल निर्दोष लोकक आत्माक शांति लेल दू मिनटक मौन सेहो राखल गेल।
कवि गोष्ठीमे शामिल सभटा कविकेँ मिथिलांगनक स्मृति चिन्ह देल गेल हुनका सभसँ संस्थाक सचिव अभय कुमार लाल दास आभार व्यक्त केलनि।

विनीत उत्पल

किशन कारीगर



रमण कुमार सिंह

रवीन्द्र नाथ ठाकुर

शेफालिका वर्मा

स्तुति नारायण

धनुर्धर झाकेँ "वाक्यार्थविवेचनम्" लेल श्रीवाणीयुवालंकरण पुरस्कार 2010

धनुर्धर झा
ई छथि धनुर्धर झा,  गाम- विशौल। "वाक्यार्थविवेचनम्" लेल श्रीवाणीयुवालंकरण पुरस्कार 2010 प्राप्त भेल छन्हि। ओ केन्द्रीय विद्यालयमे शिक्षक छथि।

५१ साझा पुरस्कारक घोषणा-“नयाँ साझा लोक संस्कृति पुरस्कार" रामभरोस कापडी “भ्रमर”केँ

५१ साझा पुरस्कारक घोषणा नेपालक साझा प्रकाशन २०६७ सालक विभिन्न विधाक पुरस्कारक घोषणा केलक अछि।
-“ थारू लोककथा १’ कृति लेल रु. १५ हजार राशिक लोक-साहित्य पुरस्कार लेखक कृष्णराज सर्वहारीकेँ
-रु १५ हजार राशिक “नयाँ साझा लोक संस्कृति पुरस्कार" तराईको फाँटदेखि हिमालको काखसम्म” कृति लेल रामभरोस कापडी “भ्रमर”केँ
- २०६७ सालक रु १५ हजार राशिक साझा बाल-साहित्य पुरस्कार
- “अन्तरिक्ष र गाउँघरका कथा” कृति लेल साहित्यकार विजय चालिसेलाई केँ
-रु. १०–१० हजार राशिक गरिमा सम्मान पुरस्कार–२०६७ पद्य विधा “ ‘समर्पण” शीर्षक कविताक लेल कवि निभा शाह, गद्य विधा “युग” शीर्षक कथाक लेल कथाकार वैजयन्ती मिश्र आ “‘चकछिन्ना” शीर्षक कथाक लेल कथाकार इन्द्रिस सायललाई केँ।
- प्रकाशनक अध्यक्ष तथा महाप्रबन्धक ममता झाले जानकारी देलन्हि।

"सगर राति दीप जरए" आ "मैथिली कवि सम्मेलन" आयोजित/ मैथिली नाटक"गोरखधन्धा" मंचित

-१० सितम्बर २००११क साँझसँ ११ सितम्बर २०११क भोर धरि मैथिली कथा गोष्ठी "सगर राति दीप जरए" श्याम दरिहरेक संयोजकत्वमे हजारीबागमे सम्पन्न/ -अगिला (७५म)सगर राति दीप जरए पटनामे १० दिसम्बर २०११ केँ (स्थान विद्यापति भवन, विद्यापति मार्ग, म्यूजियमक सोझाँ, पटना; समय साँझ ५ बजे सँ) श्री अशोकक संयोजकत्वमे हएत।
चित्र साभार श्री रमानन्द झा "रमण"

-११ सितम्बर २०११ केँ "मणिपद्म जयन्ती"क अवसरपर सायंकाल ६ बजे साँझसँ १० बजे राति धरि मिथिलांगन द्वारा आयोजित "मैथिली कवि सम्मेलन" सम्पन्न
-११ सितम्बर २०११ केँ साँझ मे दिल्लीक निकट साहिबाबादमे काश्यप कमल लिखित आ किसलय कृष्ण निर्देशित मैथिली नाटक ("धरोहर मैथिली" -डॉ. अनुजा सुप्रियाक संयोजकत्वमे) "गोरखधन्धा" मंचित
गोरखधन्धा नाटक ११ सितम्बर २०११ चित्र साभार श्री पवन कान्त झा
गोरखधन्धा नाटक ११ सितम्बर २०११ चित्र साभार श्री पवन कान्त झा

गोरखधन्धा नाटक ११ सितम्बर २०११ चित्र साभार श्री पवन कान्त झा

गोरखधन्धा नाटक ११ सितम्बर २०११ चित्र साभार श्री पवन कान्त झा