Sunday, March 11, 2012

टैगोर साहित्य सम्मान२०१२- मैथिलीक ग्राउण्ड लिस्ट तैयार- लिस्टस जातिवादितासँ भरल, गरबड़ीक प्रारम्भ

-टैगोर साहित्य सम्मान२०१२- मैथिलीक ग्राउण्ड लिस्ट  तैयार
- लिस्ट जातिवादितासँ भरल, गरबड़ीक प्रारम्भ
-लिस्ट बनेलन्हि कीर्ति नारायण मिश्र सम्मानसँ सम्मानित गोलैसी केनिहार तथाकथित युवा कवि

टैगोर साहित्य सम्मान२०१२ ऐ बेर मैथिलीमे सेहो देल जाएत। मैथिलीक ग्राउण्ड लिस्ट तैयार भऽ गेल अछि।  लिस्ट जातिवादितासँ भरल अछि आ एकरा गरबड़ीक प्रारम्भ मानल जा रहल अछि।  लिस्ट बनेलन्हि कीर्ति नारायण मिश्र सम्मानसँ सम्मानित गोलैसी केनिहार तथाकथित युवा कवि आ परिणाम सोझाँ अछि।आब एहेन गोलैसी केनिहारकेँ किए ग्राउण्ड लिस्ट बनेबाक भार देल गेल,  स्पष्ट अछि  कारण तखने ऐ तरहक लिस्ट तैयार भऽ सकितए। कबिलपुरक एकटा युवा साहित्यकार समदियाक सूत्रकेँ ई लिस्ट पढ़ि कऽ सुनेलन्हि (जकर पुष्टि पाठक आर.टी.आइ. आवेदन दऽ कऽ साहित्य अकादेमीसँ कऽ सकै छथि), भऽ सकैए हुनकर ग्रुपक लोककेँ ऐ लिस्टमे स्थान नै देल गेलन्हि तेँ ओ तामसमे होथि। मुदा गएर ब्राह्मण/ ब्राह्मणवादी साहित्यकार लेल कबिलपुरक युवा साहित्यकार आ कीर्ति नारायण मिश्र सम्मानसँ सम्मानित गोलैसी केनिहार तथाकथित युवा कवि दुनू ब्राह्मणवादक दूटा चेहरा छथि, आ गएर ब्राह्मणवादीक विरुद्ध ई सभ एक भऽ जाइ छथि।

साहित्य अकादेमी सैमसंग संग समझौता केलक अछि आ सभ साल आठ-आठ भाषाक सर्वश्रेष्ठ पोथीकेँ (तीन सालमे चौबीसो भाषा) ई पुरस्कार (९१ हजार टाकाक) देल जाएत। एकर चयनक छारभार साहित्य अकादेमी दिल्लीपर छै। ऐ बर्ख २००७ सँ २००९क बीच प्रकाशित कृतिपर विचार कएल जाएत।
मइमे ई पुरस्कार देल जाएत।

No comments:

Post a Comment