Monday, March 19, 2012

कोलकाता मे मैथिलक धमगज्जर (रिपोर्ट रूपेश कुमार झा त्योँथ)



 मिथिला सांस्कृतिक परिषद् द्वारा महाजाति सदन मे आयोजित समारोह संपन्न भेल. स्वागत मंत्री मो. जाकिर हुसैन केर भाषण सं शुरू भेल ई कार्यक्रम तीन सत्र मे विभाजित छल. स्वागत अध्यक्ष शिवचन्द्र झा केर व्यक्तव्य अभिव्यक्तिक बाद कार्यक्रमक पहिल सत्र आरम्भ भेल. पहिल सत्र परिषद्क 53म वर्ष पूर्ति , दोसर सत्र मिथिला विभूति पर्व ओ तेसर सत्र सांस्कृतिक कार्यक्रम छल. पहिल सत्र मे प्रबोध साहित्य सम्मान 2012 सँ सम्मानित मैथिली सेवी ओ मिथिला दर्शन केर संपादक रामलोचन ठाकुर केर अभिनन्दन कयल गेल. दोसर सत्र मे मिथिलाक विभूति लोकनि कें स्मरण कयल गेल. संगहि तीन गोट पोथी बलचनमा (यात्री, पुनर्मुद्रण), टेक्नोलोजी (अनमोल झा) ओ टीस (मिथिलेश कुमार झा) विमोचित कयल गेल. तेसर सत्र मे मधुबनी सं आयल धरोहर टीम द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो प्रस्तुत कयल गेल. मैथिली पारंपरिक गीत-संगीत केर संगहि झिझिया, झरनी, जाट-जटिन, सुलबा-लुलबा नृत्य-नाट्य केर आयोजन दर्शक कें भरि मोन मनोरंजन कयलक. पहिल आ दोसर सत्र मे प्रेक्षागृह मे बेसी लोक नहि पहुंचल छल मुदा तेसर सत्र धरि प्रेक्षागृह पूरा भरि गेल छल. लोकक कमी पहिल दू सत्र मे छल, जाहि हेतु कहल जा रहल अछि जे मिथिला मे सभ गप्पी अछि आ गप्प पीबय के' आओत. लोक कें भाषण आब उबाउ लगैत अछि. एक्के गप्प कतेक पियेबैक. दोसर दिस किछु लोकनिक कहब अछि जे एशिया कप केर भारत-पाकिस्तान क्रिकेट मैच केर कारणें लोक विलम्ब सं आयल. ओना कतेक गोटे कें प्रेक्षागृह मे सेहो मोबाइल कान मे सटौने देखल जा रहल छल. मोने ओ सभ क्रिकेट कमेंटरी सुनि रहल छल. लोक सांस्कृतिक कार्यक्रम केर पूरा आनंद उठओलक. सुलबा-लुलबा स्टार बनि क' उभरल. ई प्रदर्शन लोक मे बेस लोकप्रिय भेल अछि.

 ओम्हर दोसर दिस मिथिला सभागार मे मिथिला विकास परिषद् द्वारा मिथिला मे मैथिली माध्यम सं प्राथमिक ओ मध्य विद्यालय मे शिक्षा देल जयबा पर विचार गोष्ठी आयोजित कयल गेल. परिषदक राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा मैथिली माध्यम सं शिक्षा पर जोर देइत भविष्यक कार्यवाही पर इजोत देलनि.
 Source : मैथिलीक हलचल-मिथिला हालचाल

No comments:

Post a Comment