Thursday, June 28, 2012

२४ जून २०१२ केँ पटनामे साहित्य अकादेमीक बहुभाषी कवि सम्मेल सम्पन्न, मैथिलीक सर्वहारा कवि बारल गेलाह

२४ जून २०१२ केँ पटनामे साहित्य अकादेमीक बहुभाषी कवि सम्मेल खुदाबख्श लाइब्रेरी ऑडिटोरियममे सम्पन्न भेल, मैथिलीक सर्वहारा कवि बारल गेलाह।

मैथिलीमे बुद्धिनाथ मिश्र, कीर्तिनारायण मिश्र, स्वयंप्रभा झा आ उदयचन्द्र झा "विनोद" मैथिली कविता पाठ केलन्हि।

२१म शताब्दीक पहिल दशकक सर्वश्रेष्ठ मैथिली कविता संग्रह "अम्बरा"क लेखक राजदेव मण्डल सहित सर्वहारा वर्गक कवि लोकनि बारल गेलाह, हुनका लोकनि केँ सूचना धरि नै देल गेलन्हि।

No comments:

Post a Comment