Saturday, July 28, 2012

३०म ओलम्पिक लंदनमे प्रारम्भ- (रिपोर्ट- गजेन्द्र ठाकुर)

३०म ओलम्पिक लंदनमे प्रारम्भ, ई खेल १७ दिन धरि चलत। उद्घाटन समारोहमे भारतक झण्डा कुश्तीक खिलाड़ी आ गत ओलम्पिकमे कांस्य पदक पओनिहार सुशील कुमार आ नेपालक झण्डा प्रसिद्ध जंग साह (तैराकी) उठेलन्हि। रानी एलिजाबेथ-२ खेलक उद्घाटन २७ जुलाइ २०१२ केँ ८०,००० दर्शकक सोझाँ ओलम्पिक स्टेडियम, लंदनमे  केलन्हि, ऐ खेलक समापन १२ अगस्त २०१२ केँ हएत, ओना महिला फुटबॉलक प्रतियोगिता २५ जुलाइसँ प्रारम्भ भऽ गेल छल। "inspire the generation" आधिकारिक उद्बोधन वाक्य (motto)अछि। "वेनलॉक आ माण्डेविले" ऐ ओलम्पिकक मस्कट (mascot)अछि। "सरवाइवल" आधिकारिक गीत अछि। २६ खेलक ३९ विधाक ३०२ तरहक प्रतियोगिता लेल २०४ टा देशक लगभग साढ़े दस हजार खिलाड़ी ऐ मे ४७०० पदक लेल भाग लऽ रहल अछि।
लोगो: साभार विकीपीडिया

स्वर्ण पदक दुनू दिससँ: साभार विकीपीडिया

Mascot: वेनलॉक आ माण्डेविले : साभार विकीपीडिया
विदेहक कला-सम्पादक ज्योति झा चौधरी जीक बॉस मारगरेट नोएल ओलम्पिक टॉर्च लऽ गेली । 


In this video at 6.57-6.58 minutes if you can see a small Indian flag in right bottom then you are seeing Jyoti Suneet Choudhary.
ज्योति सुनीत चौधरी (कला-सम्पादक:विदेह) ओलम्पिक टॉर्चक संग)

No comments:

Post a Comment