Friday, August 24, 2012

मिथिला विकास परिषद् द्वारा दिनांक 26 अगस्त, 2012 (रविवार) कs सायं 5.00 बजे सs रवीन्द्र सरणी एवं महात्मा गांधी संगम स्थल पर स्थित दिगम्बर जैन भवन कोलकाता मे सम्मान समारोह एवं सांस्कृतिक कार्यक्रम

मिथिला विकास परिषद् द्वारा कोलकाता महानगर में प्रथम बेर 9 दिवसीय मिथिला महोत्सवक 2012 केर आयोजन भेला, जकर विधिवत उदघाटन दिनांक 29, जुलाई, 2012 कs महाजाति सदन के सभागार में भारत सरकार स्वास्थ्य राज्य मंत्री एवं स्थानीय सांसद श्री सुदीप बंदोपाध्याय द्वारा भेल छल। उक्त महोत्सवक दोसर दिनक कार्यक्रम अन्तर्गत 12 अगस्त, 2012 कs महाजाति सदनक संयुक्त प्रेक्षा गृह में गीत गैन प्रतियोगिता आयोजित भेल छल। प्रतियोगिता में भाग लेनिहार समस्त प्रतिभागी के प्रोत्साहित एवं विशेष रूपे पुरस्कृत करवाक क्रम में दिनांक 26 अगस्त, 2012 (रविवार) कs सायं 5.00 बजे सs रवीन्द्र सरणी एवं महात्मा गांधी संगम स्थल पर स्थित दिगम्बर जैन भवन में सम्मान समारोह एवं सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजित अछि। एही अवसर पर श्री भगवती आराधना पुस्तक के विमोचन सेहो होयतः अखिलेश कुमार झा (98360 12888)

No comments:

Post a Comment