Thursday, August 9, 2012

मुरली सर पर क ृष्ण्ा जन्मोत्सव मनावएके सोचल जा सकैया ? (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)


भगवान क ृष्ण्ाक जन्मोत्सवक धुम संसारभरी अछि । मिथिलामे त˜ आओर विशेष्ा । भगवान रामकेँ जमाए बुभmएबला त˜ क ृष्ण्ाोकेँ ओहि रुप सँ सम्मान करैत अछि । घर(घरमे एक हप्ता पहिनहि सँ पूजा शुरु भ˜ गेल अछि ।गाम गाममे क ृष्ण्ाक मूर्ति बना क˜ पूजा भ˜ रहल अछि ।जनकपुरक त˜ बाते छोडू । रेल्वे स्टेशनपर भव्य मूर्तिक निर्माण्ा कएल गेल अछि ।एहि ठाम त˜ रेल्वे स्टेशन युवा क्लव क ृष्ण्ा जन्मोत्सवकेँ महोत्सवे बना देने अछि ।गोपाल सेवा समितिåारा निर्मित क ृष्ण्ा मन्दिरमे सेहो विशेष्ा पूजा पाठक तैयारी अछि । मुदा भगवान क ृष्ण्ा सँ जुड.ल जनकपुरक एेतिहासिक मुरली सर दिस ककरो ध्यान नहि जा सकल अछि ।कहल जाइत छैक ओ पोखरि स्थलपर åापर युगमे स्वयं भगवान आएल रहथि । क ृष्ण्ा भत्तmसभ पहिने कहियो जनकपुर अबैत छलथि त˜ ओहिठाम विश्राम करैत रहथि । पोखरिकेँ बगलमे तिरहुतिया गाछी छल । मुदा पोखरि आ गाछीक बीचमे कतेको घर बनि चुकल अछि । अतेक धरि की नेपाल राष्ट्र वैंककेँ कार्यालय । मुरली सर पोखरि सेहो अतित्रmमण्ाक शिकार अछि ।भगवान सँ जुड.ल एेतिहासिक स्थल भेलाक बादो ओ उपेक्ष्ाित अछि ।की एहि ठाम क ृष्ण्ा जन्मोत्सव मनाबएकेँ सोचल नहि जा सकैया ?पोखरिकेँ बीचमे भगवान क ृष्ण्ाक मूर्ति बनाओल जइतैक वा जल विहारक कार्यत्रmम राखल जइतैक । र्इ भेला सँ जनकपुरमे लाखो पर्यटक सेहो आनल जा सकैया । आ संगहि ओ क्ष्ोत्रकेँ अतित्रmमण्ा होबए सँ सेहो बचाओल जइतैक । जनकपुरक पर्यटन विकास सँ जुड.ल पर्यटन कार्यालय, व ृहत्तर जनकपुर क्ष्ोत्र विकास परिष्ाद, विदेह मिथिला पर्यटन प्रवर्द्धन केन्द्र, जनकपुर नगरपालिका, जिल्ला विकास समिति सहितक सरकारी कार्यालय अछि । ओ कार्यालयसभकेँ एहि सँ मतलब नहि अछि । मुदा जनकपुरक र्इतिहास रहल अछि । एहि ठाम जे किछु भेल अछि । ओ स्थानीय वासीक प्रयास सँ । की हम सभ मुरली सर पर उत्सव मनाबए लेल एक बेर नहि सोचि सकैत छी ? एहि बेर नहि भेलैक अगे बेर मुदा एक बेर त˜ सोची ? भगवानोकेँ नामपर ।

No comments:

Post a Comment