Tuesday, August 7, 2012

रेलक इतिहासमे पहिल घटना- बिना चालकके रेलक इन्जिन चलल- लापरवाहीक परकाष्ठा (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)


जनकपुर, साउन २२ ।बिना चालकक रेल इन्जिन चलए सकैया सुनलापर आश्चर्य लागत मुदा एहन आश्चर्यक बात सोमदिन जनकपुरमे भेल अछि ।नेपाल रेल्वेक चालकक लापरवाहीक कारण्ा जयनगर सँ र्इन्जिन जनकपुरधरिक २९ किलो मिटरक यात्रा तय कएलक अछि ।इन्जिनकेँ रोकए लेल जनकपुरमे रेल लिकमे माइट, चक्का, रेल लिकक लोहा सभ राखल गेल छल । नेपाल रेल्वेक प्राविधिक आ जनकपुरक स्टेशन युवा क्लवक सदस्यसभ र्इन्जिन रोकए लेल विशेष्ा प्रयास कएने जानकारी नेपाल रेल्वेक ट्राफिक शाखाक इन्चार्ज जयकिशोर साह देलन्हि अछि । इन्जिन रोकलाकबाद इन्जिनके मशिन सभकेँ देखल गेल छल । रेल्वेक अधिकारी सभक अनुसार इन्जिन न्यूट्रोल गेयरमे रहल छल । रेल सहचालक जगदीश खत्बे संचालन क˜ रहल छल । जखन कि मूल डियुटी रफिद कवारीके रहल छल । नेपाल रेल्वेक निमित्त महाप्रवन्धक रामेश्वर यादवक अनुसार जयनगरमे रेलक र्इन्जिनकेँ स्र्टाट क˜ चालक निचा कोनो समान लेबय उतरलाकबाद र्इन्जिन अपने चलल छल ।नेपाल रेल्वे सोमदिनक घटनाक छानविन काएल जाएत निमित्त महाप्रबन्धक यादव जनौलन्हि अछि ।२९ किलो मिटरकेँ यात्रा र्इन्जिन ४० मिनेटमे तय कएने छल । जनकपुरमे र्इन्जिन पहुँचलाक बाद ओ र्इन्जिनकेँ देखए लेल जनकपुर रेल्वे स्टेशनमे लोकसभक भीड लागल छल ।र्इन्जिन जनकपुर अएलाक बाद जयनगर सँ जनकपुर आबएबला साँभmकँे सेवा अवरुद्ध भेल अछि । बिना चालकके रेल चलयके घटना संसारमे पहिल अछि ।

No comments:

Post a Comment