Sunday, August 12, 2012

भारतक सुशील कुमारकेँ ६६ किलोग्राम वर्गक फ्रीस्टाइल कुस्तीमे लंदन ओलम्पिक्स २०१२ क रजत पदक- भारतकेँ लंदन ओलम्पिक्समे २ टा रजत आ ४ टा कांस्य पदक भेटल


-भारतक सुशील कुमारकेँ ६६ किलोग्राम वर्गक फ्रीस्टाइल  कुस्तीमे लंदन ओलम्पिक्स २०१२ क रजत पदक।
-सुशील कुमार भारतक पहिल खेलाड़ी छथि जिनका व्यक्तिगत स्पर्धामे ओलम्पिक्समे एकसँ बेशी बेर पदक भेटलन्हि, ऐ सँ महिने सुशील कुमारकेँ बीजिंग ओलम्पिक्स २००८ मे कांस्य पदक भेटल छलन्हि।
-अगिला ३१म ओलम्पिक्स २०१६ ई. मे ब्राजीलक रियो डि जनेरियो नग्रमे हएत।

३०म लंदन ओलम्पिक्स २०१२
ओना तँ भारत सन पैघ देशसँ आर बेशी पदकक आशा छल मुदा पुरान रेकॉर्डकेँ देखैत ई सफलता अभूतपूर्व कहल जाएत। ऐ बेर पदक जितनिहार (२ रजत आ ४ टा कांस्य) क सूची:-

१.सुशील कुमारकेँ ६६ किलोग्राम वर्गक फ्रीस्टाइल  कुस्तीमे लंदन ओलम्पिक्स २०१२ क रजत पदक (सुशील कुमार भारतक पहिल खेलाड़ी छथि जिनका व्यक्तिगत स्पर्धामे ओलम्पिक्समे एकसँ बेशी बेर पदक भेटलन्हि,  ऐ सँ महिने सुशील कुमारकेँ बीजिंग ओलम्पिक्स २००८ मे कांस्य पदक भेटल छलन्हि)।

२.पुरुषक २५ मीटर रैपिड फायर पिस्टल इवेंटमे भारतक विजय कुमारकेँ लंदन ओलम्पिक्स २०१२ मे रजत पद॥

३.योगेश्वर दत्तकेँ ६० क्रिलोग्राम वर्गक  फ्रीस्टाइल कुश्तीमे लंदन ओलम्पिक्स २०१२मे कांस्य पदक।

४.सायना नेहवालकेँ लन्दन ओलमपिक्स २०१२ मे बैडमिण्टन (महिला एकल) मे कांस्य पदक (सायना नेहवाल मात्र दोसर महिला छथि जे भारत दिससँ ओलम्पिकक इतिहासमे पदक जितलन्हि)।

५.महिला बॉक्सर श्रीमति चुंगनेजियांग मेरी कॉम हमांगटे केँ फ्लाइ (५१ कि.ग्रा. )वर्गमे लन्दन ओलम्पिक्स २०१२ मे कांस्य पदक (-मेरी कॉम  मात्र तेसर महिला छथि जे भारत दिससँ ओलम्पिकक इतिहासमे पदक जितलन्हि)।

६.भारतक गगन नारंगकेँ ओलम्पिक कांस्य पदक- पुरुखक १०मीटर एयर राइफलमे।


No comments:

Post a Comment