Friday, August 17, 2012

मैथिली विकास कोष दू टा महत्वपूर्ण पुरस्कार स्थापना कएलक (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)

जनकपुरधाम, भादव १ ।
मैथिली भाषा, कला, साहित्य, संस्कृतिक नामपर पुरस्कार स्थापनामे तेजी आएल अछि । एहि क्रममे मैथिली विकास कोष दू टा महत्वपूर्ण पुरस्कार स्थापना कएलक अछि । डा. धीरेन्द्रक नामपर धीरेन्द्र साहित्य संस्कृति पुरस्कार आ सलहेशक नामपर सलहेश सांस्कृति सम्मान पुरस्कारक नाम देल गेल अछि । दुनू पुरस्कारक राशी ५१÷५१ हजारक रहल मैथिली विकास कोषक संयोजक जीवनाथ चौधरी जानकारी देलन्हि अछि । चौधरीक अनुसार ओ दुनू पुरस्कार बैशाख महिनामे जानकी नवमीक अवसपर प्रदान कएल जाएत । तहिना मैथिली विकास कोष एहि वर्षमे ५ टा किताब प्रकाशन करवाक निर्णय कएलक अछि । ओ कितावमे मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमलक कथा संग्रह, रमेश रञ्जनक नाटक, रोशन जनकपुरीक कविता संग्रह, वाल गीत संग्रह आ एकटा उपन्यास प्रकाशन करवाक निर्णय कएलक अछि ।वाल गीत संग्रहक सम्पादनक जिम्मा कोषक सदस्य सचिव परमेश्वर कापड़िकेँ देल गेल अछि । तहिना उपन्यासक छनोटक लेल सात सदस्यीय कमिटी गठन कएल गेल अछि । ओ कमिटीमे प्राज्ञ रमेश रञ्जन झा, मिनाप अध्यक्ष सुनिल मल्लिक, नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक अध्यक्ष राम अशिष यादव, रामानन्द युवा क्लवक पूर्व अध्यक्ष अशोक दत्त, साहित्यकार श्याम सुन्दर शशि, मिथिला डटकमक सम्पादक सुजीत कुमार झा आ रेडियो मिथिलाक प्रकाश प्रेमी रहल छथि । तहिना दशमी सँ पहिने जनकपुरमे मैथिली विकास कोष राष्ट्रीय स्तरक कथा गोष्ठी करवाक निर्णय कएलक अछि । एहि बिच मैथिली विकास कोषक सधारण सभा शुक्रदिन सम्पन्न भेल अछि ।

No comments:

Post a Comment