Monday, September 17, 2012

विद्यापति स्मारकमे सोमदिन घडी लागत (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)


जनकपुरधाम, भादव ३१ ।
जनकपुरक विद्यापति चौकपर रहल मैथिलीक महाकवि विद्यापतिक स्मारकमे सोमदिन घडी लागत ।
ओ घडीकेँ हेम चन्द्र चौधरी आ इन्दिरा देवीक सहयोग सँ घडी लगाओल जा रहल अछि ।
घडी लेल सोमदिन भोर साढे ९ वजे विद्यापति स्मारक संरक्षण समिति विशेष कार्यक्रम कऽ रहल समितिक संयोजक चन्द्र मोहन चौधरी जानकारी देलन्हि अछि ।
घडीक दाता हेम चन्द्र चौधरी विद्यापति स्मारक निर्माण समितिक सचिव सेहो रहथि । विद्यापति स्मारकमे घडी लगाबए लेल स्मारक उद्घाटन दिन तत्कालिन प्रधानमन्त्री शेर बहादुर देउवा घोषणा कएने रहथि । मुदा सरकार घडी नहि लगा सकलाक बाद स्थानीय स्तर सँ घडी लगाओल जा रहल अछि । घडी सँ भोर सँझा मैथिली गीत सेहो बाजत ।

No comments:

Post a Comment