Friday, September 14, 2012

आरक्षण---महाधरना : (रिपोर्ट सत्यनारायण झा)

आरक्षण---महाधरना : ----सरकारी नौकरी मे सवर्ण ,पिछड़ा आ अतिपिछड़ा संवर्गक पदाधिकारी आ कर्मचारीक संग बिहार सरकार भेद भाव करैत छैक |कनेके दिन पहिने उच्चतम न्यायालय एससी –एसटीक प्रमोसन समाप्तक फैसला सुनेलकै आ यु० पी सरकार आरक्षण हटा देलकै |सामान्य कोटाक लोक क’ प्रमोसनो देलकै मुदा बिहार सरकार एकर उलट काज केलकै |एहिठाम सामान्य कोटाक कर्मचारीक संख्या ८३ प्रतिशत छैक |सरकार एहि वर्गक कर्मचारीक संग भेद भाव क’ रहल छैक |एहिठाम एकटा प्रमोसने कारण नहि छैक |एतय एससी –एसटीक लेल परिणामी वरीयता लागू छैक |प्रमोसन अगर कोटा टू कोटा हेतैक त’ केकरो बिरोध नहि छैक |सुप्रीम कोर्टक बिरुद्ध प्रमोसन बिहार सरकार देलकै ताहि लेल सामान्य कोटा क’ कोनों बिरोध नहि छैक मुदा बरियता सेहो कोटा टू कोटा हेबाक चाही |परिणामी वरीयताक फलस्वरूप कतेक विभाग मे सामान्य वर्गक एकोटा बरीयतम् पदाधिकारी नहि छैक |जेना जल संसाधन विभाग छैक ओहि मे अभियंता प्रमुख क’ ४ पद छैक तथा मुख्य अभियंताक १९ पद छैक मुदा एहि दुनू पद पर एकोटा सामान्य वर्गक पदाधिकारी पदासीन नहि छथि |एहिना कतेको विभाग छैक |एही विरोधाभास क’ हटेबाक लेल सामान्य वर्गक पदाधिकारी आ कर्मचारी महासंघक स्थापना भेल अछि जेकर संजोजक ई० अफजाल अहमद भेलाह अछि |दिनांक १६ सितम्बर क’ ११ वजे दिन मे कारगिल चौक पर महाधरना छैक |

No comments:

Post a Comment