Monday, September 3, 2012

नेपाल उच्च माध्यमिक शिक्षा परिषद् कक्षा १२ क मानविकी, व्यवस्थापन आ शिक्षा संकायक परीक्षाफल सार्वजनिक (रिपोर्ट सुदीप कुमार झा)

नेपाल उच्च माध्यमिक शिक्षा परिषद् कक्षा १२ क मानविकी, व्यवस्थापन आ शिक्षा संकायक परीक्षाफल सार्वजनिक केलक अछि ।परीक्षामे ३८ दशमलव ५८ प्रतिशत अर्थात ८९ हजार १ सय २५ विद्यार्थी उत्तिर्ण भेल अछि । बितलाहा वैशाखमे भेल परीक्षामे २ लाख ३० हजार ९ सय ६४ परीक्षार्थी सहभागी रहल छल । परिषद्क अनुसार ५ सय १५ के परीक्षा रद्ध कायल गेल अछि त १० परीक्षार्थीक परीक्षाफल स्थगित कायल गेल अछि । तहिना आशिकदिस ३६ दशमलव ४५ प्रतिशत अर्थात ४७ हजार ४ सय ४० परीक्षार्थी उत्तिर्ण भेल अछि । परीक्षामे १ लाख २८ हजार १ सय ९८ सहभागी भेल छल ।

No comments:

Post a Comment