Wednesday, September 19, 2012

“शेष नञि” क मंचन सं रंगमंचक उदासीनताक पर पड़त पटाक्षेप – (रिपोर्ट भास्कर झा)


“शेष नञि” क मंचन सं रंगमंचक उदासीनताक पर पड़त पटाक्षेप
===============================================
कोलकाता स्थित कला मंदिरक कलाकुंजमें नगरक मैथिल सांस्कृतिक-साहित्यिक संस्था मिथियात्रिक - झंकार द्वारा आगामी 23 दिसम्बर 2012के लोकप्रिय नाटककार परमादरणीय श्री गुणानाथ झाजी द्वारा लिखित अप्रकाशित नाटक “ शेष नयिं’क मंचन कयल जायत। प्रख्यात निर्देशक, गीतकार ओ अभिनेता श्री शंभूनाथ मिश्रा जी सामाजिक-परिवारिक संवेदनशील नाटकक निर्देशन करताह। ई नाट्य मंचन कोलकातामें मैथिली रंगमंचीय गतिविधिक मध्ये आयल गतिरोधके दूर करयमें अहम भूमिका निभावत, से उम्मेद कयल जेबाक चाही। अकर आयोजनमें मिथियात्रिक-झंकारक अध्यक्ष प्रो.शंकर झा, उपाध्यक्ष मिथिला समादक सम्पादक श्री ताराकन्त झा आ साहित्यविद डॉ राम अह्लाद चौधरी जीक नाट्य-पुनर्जागरणमें अथक प्रयास सराहनीय आ प्रशंसनीय अछि।

No comments:

Post a Comment