Sunday, September 2, 2012

निगरानी विभागक लेल बनि रहल विशिष्ट संवर्ग (रिपोर्ट नवेंदु कुमार झा)


प्रदेश मे भ्रष्टाचार पर पूरा तरहे रोक लगैबाक लेल निगरानी विभाग मे फराक सॅ सवर्ग गठित कयल जा रहल अछि। एहि विशिष्ट संवर्गक अधिकारी कें सीधा नियुक्त कयल जायता सरकार एहि वास्ते बिहार अन्वेषण संवर्ग नियमावली 2012 केऽ स्वीकृति दऽ देलक अछि। एकर अंतर्गत निगरानी अन्वेषण ब्यूरो आ विशेष निगरानी इकाईक अंतर्गत एकटा विशिष्ट संवर्ग तैयार कयल जायत। ई स्वतंत्र रूप सॅ काज करत। एकर पदाधिकारी के निगरानी विभाग सॅ बाहर स्थानांन्तरित नहि कयल जा सकत। एहि संवर्ग मे पुलिस उपाधीक्षकक 43 पद, पुलिस अधीक्षक स्तरक 13 पद आ पुलिस अवर निरीक्षक 21 पद होयत।

No comments:

Post a Comment