Friday, September 14, 2012

डा. राजेन्द्र विमल प्रतिष्ठानकेँ दर्ता भेल (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा )


जनकपुरधाम, भादव २७ ।
मैथिली भाषाक बरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमलक नाम सँ जनकपुरमे किछु दिन पूर्व गठन भेल डा. राजेन्द्र विमल प्रतिष्ठानक बुधदिन जिल्ला प्रशासन कार्यालय धनुषामे औपचारिक रुप सँ दर्ता कएल गेल अछि ।
मानवअधिकारवादी एवं मैथिलीक युवा कवि विजय दत्तक अध्यक्षतामे गठित ओ प्रतिष्ठानक दर्ता नम्बर २००१ रहल अछि । ओ प्रतिष्ठान प्रत्येक वर्ष एक गोटे युवा साहित्यकारकेँ पुरस्कृत करयकेँ संगहि पुस्तक प्रकाशन आ साहित्यिक कार्यक्रमसभ करत ।
विद्यापति पुरस्कारक दू लाख रुपैया सँ किछु दिन पूर्व सम्मान करवाक सरकारद्वारा डा. विमलकेँ निर्णय कएल गेल छल । ओ दू लाख रुपैया डा. राजेन्द्र विमल प्रतिष्ठानमे देबएकेँ निर्णय कएने छथि ।

No comments:

Post a Comment