Monday, September 3, 2012

मिनापक नाटक घर निर्माणमे सहयोग करबाक राजनीतिक दलक नेता सभक वचनबद्धता मिनाप जनकपुरक सांस्कृतिक धरोहरः नेतासभ (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)


जनकपुरधाम, भादव १८ ।
मिथिला नाट्य कला परिषदक जनकपुरक राम चौक पर निर्माण भऽ रहल नाटक घरमे पूर्ण रुपसँ सहयोग करबाक विभिन्न राजनीतिक दलक प्रतिनिधिसभ वचनबद्धता व्यक्त कएलन्हि अछि । मिनाप जनकपुरक साँस्कृतिक धरोहर अछि एकरा संरक्षणक लेल सभके सहयोग करबाक आवश्यकता रहल ओ सभ कहलन्हि ।
मिथिला नाट्यकला परिषदक प्राङ्गणमे भेल ओ समारोहमे राजनीतिक दलक प्रतिनिधिसभ छोटमोट विरोधसँ नाटक घरक निर्माण नहि रोकबाक मिनापक सदस्य सभके सल्लाह देलन्हि । सँगहि मिनापक जमीनके अधिकारिकताक लेल सेहो सरकारसँग बात आगा बढाबएके सल्लाह देलन्हि ।
मिथिला नाट्यकला परिषदक अध्यक्ष सुनिल मल्लिकक सभापतित्वमे भेल ओ समारोहमे नेकपा एमालेक वरिष्ठ नेता शीतल झा, तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टी धनुषाक सहसंयोजक परमेश्वर साह, सद्भावना पार्टी धनुषाक उपाध्यक्ष डा. रामचन्द्र चौधरी, नेकपा माओवादीक वरिष्ठ नेता रोशन जनकपुरी, राष्ट्रिय जनशक्ति पार्टी धनुषाक अध्यक्ष वीरेन्द्र लाल कर्ण, नेपाली काँग्रेस जनकपुर नगर समितिक सभापति धीरेन्द्र मोहन झा, राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीक उपाध्यक्ष देवनन्दन गोइत, नेकपा माले समाजवादीक कौशलेन्द्र मिश्र, राष्ट्रिय मधेश समाजवादी पार्टीक सुमनकान्त ठाकुर, जनकपुर नगरपालिकाक पूर्व उपमेयर किशोरी साह, मिनापक सल्लाहकार प्रमोद चौधरी, रामानन्द युवा क्लवक नविन कुमार मिश्र, मिथिला डटकमक सम्पादक सुजीत कुमार झा, पत्रकार कैलास दास, कान्तिपुरक समाचारदाता श्याम सुन्दर शशि, वानक केन्द्रिय उपाध्यक्ष राजेश कुमार कर्ण, युवा नेपालक अध्यक्ष सरोज कुमार मिश्र, गणेश युवा कमिटीक पूर्व अध्यक्ष सुरेन्द्र कुमार भण्डारी सहितक वक्ता सभ बाजल छलथि ।
समारोहमे जनकपुरक विभिन्न युवा क्लव सभक सेहो सहभागिता रहल मिनापक सदस्य संदीप साह जानकारी देलन्हि अछि ।

No comments:

Post a Comment