Tuesday, October 23, 2012

सुनील गंगोपाध्यायक मृत्यु

बांग्ला साहित्यकार आ साहित्य अकादेमी, दिल्लीक अध्यक्ष सुनील गंगोपाध्यायक मृत्यु आइ २३ अक्टूबर २०१२ भोरमे कोलकाता स्थित आवासपर हृदयाघातसँ भऽ गेल। ओ ७८बर्खक रहथि। हुनका पाछाँ पत्नी आ पुत्र छन्हि। पुत्र बोस्टन (संयुक्त राज्य अमेरिका) मे रहै छथिन्ह, हुनका एला धरि सुनील गंगोपाध्यायक मृत शरीर मुर्दाघरमे राखल जाएत।

सुनील गंगोपाध्याय: चित्र साभार विकीपीडिया
हुनका साहित्य अकादेमी पुरस्कार (१९८५), आनन्द पुरस्कार (१९८९) आ हिन्दू लिटेरेरी पुरस्कार (२०११) भेटल छलन्हि। पाँच बर्ख धरि साहित्य अकादेमीक उपाध्यक्ष रहलाक बाद २० फरबरी २००८ केँ हुनका साहित्य अकादेमीक अध्यक्ष चुनल गेल छलन्हि।

No comments:

Post a Comment