Friday, October 5, 2012

साहित्य अकादेमीक "अखिल भारतीय युवा लेखक महोत्सव"

-साहित्य अकादेमीक "अखिल भारतीय युवा लेखक महोत्सव" नई दिल्लीमे प्रारम्भ (४-५ अक्टूबर २०१२ साहित्य अकादेमी ऑडिटोरियम, रवीन्द्र भवन, फिरोजशाह रोड, दिल्ली)
-हिन्दीक वरिष्ठ आलोचक डा. नामवर सिंह क भेल उद्घाटन सम्बोधन
-ओ कहलनि जे नव पीढ़ीमे आक्रामकता अछि, आत्मविश्वास अछि, मुदा अहम नै अछि।
-ओ कहलनि जे युवा लेखकक भाषा जनसामान्यक भाषा अछि आ साटिक बादक पीढ़ीसँ ई ऐ मामिलामे भिन्न अछि। ओ ऐ सम्बन्धमे हिन्दीक तीनटा युवा कवि निशांत, मनोज कुमार झा आ विमलेशक कविताक चर्च केलन्हि।
-ओ गुरुदेव रवींद्रनाथ ठाकुरक ‘ओरे नवीन’ सँ संबोधनक समाप्ति केलन्हि।
-अध्यक्षीय भाषण- विश्वनाथ तिवारी, उपाध्यक्ष, साहित्य अकादेमी देलनि
-स्वागत श्री के. श्रीनिवास राव, सचिव (अस्थायी), साहित्य अकादेमी केलनि
-सम्माननीय अतिथि रहथि अंग्रेजी लेखक केकी दारूवाला
-मैथिलीक प्रवीण कश्यपक संग रचना पाठ केनिहार रहथि- प्रतिमा बरुआ (असमी), सृदला स्वामी (इंग्लिश), निशान्त (हिन्दी), रेणुका निदागुण्डी(कन्नड), विनोद स्वामी (राजस्थानी), हीना अगनानी (सिन्धी) आ अम्बर (उर्दू)।
४ अक्टूबर २०१- २ बजे सँ ३.३० अपराह्ण कथा पाठा आ ४ सँ ६ अपराह्ण- कवि सम्मेलन।
५ अक्टूबर २०१२- १० सँ ११.३० पूर्वाह्ण- कविता- नव चुनौती। १२२ सँ डेढ़ बजे अपराह्ण- कथापाठ। २.३० सँ ४ बजे अपराह्ण- नव उपन्यासमे तत्व, ४.३० सँ ६ बजे अपराह्ण- कवि सम्मेलन। 


No comments:

Post a Comment