Saturday, November 10, 2012

कोजगरा महोत्सवकँे विशेष उत्सव बनाएब आवश्यक (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)


जनकपुरक जानकी मन्दिरमे सोमदिन कोजगरा महोत्सव सम्पन्न भेल अछि । राम जानकीक मूर्तिकेँ बाहर निकालि चुमाओन कएल गेल । सोमक राति घण्टो भजन कीर्तन एवं हास परिहासक कार्यक्रम कएल गेल । जानकी मन्दिरमे एक सय चारि वर्ष सँ लगातार प्रत्येक वर्ष भार अबैत अछि ।
जानकी मन्दिरमे एतेक महत्वपूर्ण उत्सव भेलाक बादो एकरा जाहि रुप सँ उत्सव बनाओल जएबाक चाही से नहि भेल अछि । ई पुरा पुर जानकी मन्दिरक एकटा वार्षिक कार्यक्रम बनि कऽ रह िगेल अछि ।
जखनकी एकरा कनी मात्र बढाओल गेल तऽ एहि क्षेत्रक बडका उत्सव भऽ सकैत अछि । एहिमे राजदेवी पूजा जेकाँ युवा सभकेँ भूमिका खेल पड़त । तहिना स्थानीय निकायक अतिरिक्त पर्यटन मन्त्रालयकेँ कोनो कोनो दृष्टी सँ लगानी करय पड़त ।
एहि सँ जनकपुरक पर्यटनक विकास संगहि अन्य क्षेत्रक विकासमे बल पहुँचत । पर्यटक आनए लेल राष्ट्रीय स्तरमे की की नहि प्रयत्न भऽ रहल अछि । मुदा जनकपुरमे सामान्य प्रयत्न सँ पर्यटक आओत एकर बादो ध्यान नहि देल जाइत अछि ।
खाली जनकपुरकेँ गन्दा शहर, बढिया सडक नहि कहि कऽ गारि पढला सँ मात्र नहि हएत । प्रयत्न सेहो करय पड़त । ओ प्रयत्नमे एहि ठामक सांस्कृतिक उत्सवसभकेँ प्रोत्साहन करब आवश्यक अछि ।

No comments:

Post a Comment