Saturday, November 10, 2012

मैथिली साहित्यकार सभाक औपचारिक शुभारम्भ मैथिलीकेँ संस्थागत विकासपर जोड काव्य वाटिका नामक पुस्तक विमोचन (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा )



जनकपुरधाम, कातिक १८ ।
साहित्यकारसभद्वारा १४ महिना पहिने गठन कएल गेल मैथिली साहित्यकार सभाक औपचारिक शुभारम्भ शनिदिन भेल अछि ।
सभाक सभापाल प्रेम विदेह ललनक सभापतित्वमे सम्पन्न ओ सभामे वक्तासभ मैथिलीकेँ संस्थागत विकासपर जोड देलन्हि अछि । तहिना मैथिली भाषा, साहित्य, कला संस्कृति सँ जुड़ल संस्थासभकेँ अपनामे समन्वय करयकेँ सल्लाह सेहो देलन्हि अछि । मैथिलीक बरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमल मैथिलीकेँ संस्थागत विकासक आवश्यकता रहल कहैत एहिकेँ लेल मैथिलसभकेँ एक जुट भऽ कऽ आगा बढएकेँ आवश्यकता रहल उल्लेख कएलन्हि अछि ।
कार्यक्रममे डा. राजेन्द्र विमल, डा. रेवती रमण लाल, डा. सुरेन्द्र लाभ, वरिष्ठ पत्रकार राजेश्वर नेपाली आ साहित्यकार जय नारायण झा जिज्ञासु मैथिली साहित्यकार सभाद्वारा प्रकाशित ‘काव्य वाटिका’ नामक पुस्तककेँ संयुक्त रुपमे विमोचन कएलन्हि । संस्कृति पर्यटन नागरिक उड्डयन मन्त्रालयक सहयोगमे प्रकाशित ओ पुस्तकमे मैथिलीक ४३ गोटे साहित्यकारकेँ रचना रहल अछि ।
पुस्तकक सम्पादन प्रेम विदेह ललन कएने छथि ।
कार्यक्रममे बरिष्ठ पत्रकार राजेश्वर नेपाली, जय नारायण झा, जिज्ञासु, डा. रेवती रमण लाल, एमाले नेता शीतल झा, अधिवक्ता उदय कान्त दत्त, गोपाल सेवा समितिक अध्यक्ष राजाराम अरगरिया, मण्डल सेवा समितिक अध्यक्ष सुनिल कुमार मण्डल, नेकपा माओवादीक मिथिला राज्यक सचिव रोशन जनकपुरी, रामानन्द युवा क्लवक अध्यक्ष नवीन मिश्र, मनोज प्रमेष सहितक वक्तासभ वाजल छलथि ।
तहिना सभाक सभापाल ललन सभाक अवधारणापत्र प्रस्तुत कएलन्हि तऽ सभाक कार्यपाल विजय दत्त मणी प्रगति विवरण प्रस्तुत कएलन्हि । सभाक सहसभापाल पुनम झाद्वारा संचालित ओ समारोहमे काशिकान्त झा स्वागत गान, विजय दत्त मणी स्वागत मन्तव्य, देवेश्वर लाल मुन्ना सभाक गठन सँ लऽ दर्ता प्रक्रिया धरिक सम्बन्धमे चर्चा कएलन्हि अछि ।

No comments:

Post a Comment