Saturday, December 1, 2012

विद्यापति पर्व -२६,२७ नवंबर २०१२ कऽ दु दिन चेतना समिति द्वारा कार्यक्रम (रिपोर्ट सत्यनारायण झा)


विद्यापति पर्व ----विद्यापति पर्व कार्तिक त्रयोदसी अर्थात २६ ११ २०१२ क’ प्रारंभ भेल |२६,२७ नवंबर २०१२ क’ दु दिन चेतना समिति द्वारा कार्यक्रम प्रस्तुत कएल गेल |विद्यापति सेवा संस्थान ,दरभंगा द्वारा यैह कार्यक्रम पूर्वानुसार तीन दिनक भेल |गीत संगीत ,कविता पाठ ,नाटक ,तथा भाषण आदि कतेको कार्यक्रम भेल |मंत्रीक भाषण मे कतेक काल तक थोपरी पीटल गेल |विद्यापति पर्व अथवा मिथिला विभूति पर्व आओर कइएक स्थान मे मनायल जायत |सभ ठाम एहिना कम बेसी कार्यक्रम होयत |साल भरि लेल महापुरुष लोकनि निश्चिन्त भ’ आराम करताह |मैथिली मिथिलाक विकास एहि महापुरुष लोकनि सं हेबो नहि करत ?मिथिलाक विकास तखने होयत जखन हमर मैथिली भाषा समाजक जन जन क’ भाषा बनत |से कोना होयत ?ओ तखने होयत जखन मैथिलीक पढ़ाई प्राथमिक स्तर सं होयत |आजुक बच्चा सभ अपन मैथिली भाषा बिसरि रहल छैक |वैश्विक विचार धारा पुरा दुनिया मे पसरि गेल छैक ओहि मे क्षेत्रीय भाषाक कोनों स्थान नहि छैक |ओना ई विचार धाराक पतन निश्चित छैक |मुदा एखन रोजगार परक भाषा मे क्षेत्रीय भाषा अनुपयुक्त छैक ,एहना स्थिति मे क्षेत्री भाषा क’ बचेबा लेल प्राथमिक शिक्षा मे क्षेत्रीय भाषा क’ जोरब आवश्यक छैक |अन्य संघीय क्षेत्रीय भाषा मे प्राथमिक शिक्षा मे पढ़ाई पहिने सं छैक मुदा मैथिली ओहन दर्जा नहि पेलक अछि \ तै सभ मैथिल सेवी सं विनम्र निवेदन जे हमरा सबहक एखन एक मांग, जे मैथिली मे प्राथमिक शिक्षा मे पढ़ाई प्रारम्भ करबाक लेल प्रयास कएल जाय \एहि लेल आन्दोलनक जरुरत छैक |
विद्यापति पर्व मना आ गीत नाद खाली सुनि घर बैसने काज नहि चलय बाला छैक |आब फाँर बान्हि बीच सड़क पर उतरबाक समय छैक | बैसने काज नहि चलतैक |

No comments:

Post a Comment