Sunday, December 9, 2012

वैदेह सम्‍मान समारोह- दरभंगा


दि‍नांक 26 नभम्‍वर 2012 केँ गीता भवन दरभंगामे साक्षर-दरभंगा, मि‍थि‍ला संघर्ष समि‍ति‍ एवं मि‍थि‍लांचल वि‍कास परि‍षद् द्वारा आयोजि‍त वि‍द्यापति‍ पर्वक अवसरपर सम्‍मान समारोह, परि‍चर्चा एवं कवि‍ सम्‍मेलनक सुन्‍दर आयोजन भेल। पहि‍ल सत्र सम्‍मान समारोहक छल जेकर अध्‍यक्षता केलनि‍ डाॅ. आर. के. रमण एवं संचालन श्री कमलेश झा। 
श्री प्रयाग सहनी, श्री दीवाकर झा, श्री प्रवोध झा एवं मैथि‍ली साहि‍त्‍यक यशस्‍वी साहि‍त्‍यकार श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डलकेँ हुनक अधुनातन साहि‍त्‍यि‍क योगदान हेतु साक्षर-दरभंगा द्वारा ‘वैदेह सम्‍मान’सँ सम्‍मानि‍त कएल गेल। डॉ. भीमनाथ झा पाग-दोपटा एवं पुष्‍पमाल अर्पित कए सम्‍मानि‍त केलनि‍।
प्राथमि‍क एवं मध्‍य वि‍द्यालयी शि‍क्षाक माध्‍यम मैथि‍ली नै हएब..., मैथि‍ली पत्र-पत्रि‍कामे भयंकर बाह्मणवादी बेवहार..., अल-बलमे लाखक-लाख खर्च करब मुदा पाठक आ लेखकक प्रोत्‍साहनपर कि‍छु नै तइपर भरि‍-भरि‍ आँखि‍ कानैत रहब..., आकाशवाणी दरभंगाक मैथि‍ली कार्यक्रमकेँ सोल्हन्नी जाति‍वादी हएब...., इत्‍यादि‍ एहन अनेक मुद्दापर ‘मैथि‍ली-मि‍थि‍लाक विकासमे वाधक तत्व’ वि‍षयक संगोष्‍ठीमे वि‍चार-वि‍मर्श भेल। डाॅ. अशोक कुमार ठाकुर, डाॅ. वि‍द्यानाथ झा, डाॅ. इन्‍द्रनाथ झा, श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल, श्री चन्‍द्र कुमार झा चन्‍द्र एवं उमेश मण्‍डल अपन-अपन मत रखलनि‍। ऐ सत्रक अध्‍यक्षता डाॅ. भीमनाथ झा एवं संचालन श्री चन्‍द्र कुमार चन्‍द्रजी केलनि‍।
एहि‍ना तेसर सत्र कवि‍ सम्‍मेलनक छल। जेकर लगले हाथ डाॅ. भीमनाथ झाक अध्‍यक्षतामे कवि‍ताक पाठ प्रारम्‍भ भेल। जइमे पहि‍ल कवि‍ता श्री प्रयाग सहनी ‘हम मैथि‍ली छी’क पाठ केलनि‍। चन्‍द्र कुमार झा चन्‍द्र, जगदीश प्रसाद मण्‍डल, शारदा नन्‍द सि‍ंह, भीमनाथ झा, वि‍ष्‍णुदेव झा वि‍कल, उमेश मण्‍डल इत्‍यादि‍ कवि‍ सेहो अपन-अपन कवि‍ताक पाठ केलनि‍।





No comments:

Post a Comment