Thursday, November 15, 2012

आर्थिक संकट मे चेतना, दू दिनक हएत समारोह (रिपोर्ट नवेंदु कुमार झा)





मिथिलांचलक प्रतिनिधि सांस्कृतिक संस्था चेतना समिति द्वारा प्रति वर्ष आयोजित त्रिदिवसीय विद्यापति स्मृति  पर्व समरोह वर्ष दू दिवसीय हत। 2627 नवम्बर के आयोजित समारोहक दरमियान कवि गोष्ठी विचार गोष्ठी, सांस्कृतिक कार्यक्रम आ नाटकक मंचन कल जात। सूत्रसॅ भेटल जनतबक अनुसार चेतना समिति, आर्थिक संकटक दौरमे अछि तैॅ वर्ष मात्र दू दिनक समारोह हत। समितिक मठ विद्यापति भवनक गोटेक एक वर्षसॅ पुननिर्माणक काज चलि रहल अछि तेॅ समितिक आमदनी घटि गेल अछि। आमदनी घटलाक संग महगीक दौरमे खर्च कम नै भेल आ समितिपर आर्थिक संकट आबि गेल अछि तेॅ अपन सीमित संसाधनक कारण आर्थिक संतुलन बनाएल रखबाक लेल बहु प्रतीक्षित वार्षिक आयोजनक समय अवधिमे कटौती कलक अछि।
समारोहक आयोजन लेल भेल बैसारक दरमियान विद्वान सचिव, कर्मठ अध्यक्ष आ जीनियस मार्गदर्शक समितिक आर्थिक संकटक जनतब दैत समारोह मात्र दू दिन आयोजित करबाक निर्णय सुनौलनि त समितिक मठाधीश सभक स्वाभिमान एकाएक जागि उठल आ ओ पर अपन विरोध जनौलनि मुदा तीन सदस्यीय ई प्रतिभा सम्पन्न कोर कमिटी पर कान नै देलक आ अपन निर्णयपर मोहर लगैबामे सफल रहल। ओना तॅ देशमे विदेशी निवेशक कारण आर्थिक संकटक बदरि लगबाक आशंका विरोधी दल के भऽ रह अछि मुदा आर्थिक संकट सभसॅ पहिल शिकार जेना चेतना समिति भऽ गेल अछि।
समिति निर्णयसॅ राजधानी पटनाक सक्रिय सामाजिक-सांस्कृतिक मैथिलजन आक्रोषमे छथि। ओ समितिके आर्थिक संकटसॅ उबारबाक लेल अपन योगदान देबऽ चाहैत छथि मुदा चेतनाक मठाधीश र्ताधर्ता जेना अचेत भऽ गेल छथि। हुनका समाजसॅ सहयोग लेबऽ मे कोनो रूचि नै छनि। ओ अपन असफलताके उजागर नै होम देबऽ चाहैत छथि त बाबा विद्यापतिक मठ बनल चेतना समितिक मठाधीशक गर्दनिमे घंटी बन्हबाक लेल सेहो ओ अपन समयक बर्बादी बुझि रहल अछि। पटनामे एक समय समितिक सक्रियताक कारण तीन दिन विद्यापति स्मृति पर्व समारोह प्रदेश भरिमे चर्चाक विषय बनैत छल। समय दर समय आम मैथिलक प्रति समितिक उदासीनता सॅ समारोहक दायरा घटैत जा रहल अछि आ कहियो हार्डिंग पार्क सन पैघ मैदान समारोहक लेल छोट पड़ि जात छल त आब उद्घाटन समारोह आ कवि सम्मेलनक लेल जगह पैघ भऽ जात अछि। मैथिल जनक समारोहक प्रति घटैत रूचिक कारण समारोह पर अस्तित्वक संकट आबि गेल अछि। तीन दिनक वार्षिक आयोजन आब दू दिवसीय भऽ रहल अछि।
दू दिनक कार्यक्रम आयोजित करबाक निर्णयक बचावक लेल समिति सेहो जोड़गर तर्क रखने अछि। समिति सूत्र संबंध मे तर्क दऽ रहल अछि जे विद्यापति भवनक पुनर्निर्माण आ कार्यक्रम स्थल नै भेटलाक कारण अवधि घटाओल गेल अछि। कार्यक्रम प्रति वर्ष निश्चित समयपर निर्धारित अछि त समिति कार्यक्रम स्थल आरक्षित करबामे विलम्ब किए केलक, ऐपर मौन अछि। दरअसल समितिपर व्यक्तिवादी एकाधिकार हावी अछि। एकाधिकारक चुनौती देबाक साहस केओ नै करऽ चाहै। एक दिस समिति वार्षिक आयोजनके औपचारिकता बुझि रहल अछि त राजधानीक मैथिल जन सेहो एकर जयबारी आयोजन बुझि अपन उपस्थिति दर्ज करैबाक प्रयास करैत छथि।
(मुख्यमंत्री पाक यात्राक बिहार सरकारक आन समाद www.prdbihar.gov.in or www.prdbihar.gov.org पर उपलब्ध अछि। 

No comments:

Post a Comment