Since 2004 AD, First Maithili News Portal 'Samadiya'(Poonam Mandal & Priyanka Jha) पूनम मंडल आ प्रियंका झाक पहिल मैथिली न्यूज पोर्टल "समदिया", २००४ ई. सँ।
Friday, October 14, 2011
Tuesday, October 11, 2011
मिथिलांगन द्वारा मैथिली नाटक छुतहा घैलक मंचन १६ अक्टूबर २०११ केँ (रिपोर्ट-अभय कुमार लाल दास)
हर्षक संग सूचित क रहल छी जे १६ अक्टूबर, रविदिन, मैथिली नाटक छुतहा घैल 'मिथिलंगन' द्वारा तालकटोरा ऑडिटोरियम लग 'सुरताल ओपन थिएटर' में संध्या ६.३० बजे भ रहल ऐछ. अपने सपरिवार आमंत्रित छी. कृपया अवश्य पधारू .
मैथिली नाटक - छुतहा घैल
नाटककार- श्री महेंद्र मलंगिया
निर्देशक- श्री संजय चौधरी
गीतकार- श्री महेंद्र मलंगिया एवं श्री ब्रह्मदेव लाल दास
संगीत- श्री सुन्दरम
गायन- श्री सुन्दरम एवं सुश्री राखी दास
मुख्य कलाकार - श्री राजेश कर्ण, श्री मुकेश datta , श्री कुमार शैलेन्द्र, श्रीमती कल्पना मिश्र, सुश्री अंजलि, श्री संजीव, श्री सुबोध साहा, एवं मास्टर आशुतोष प्रतिहस्त इत्यादि .
दिन - १६ अक्टूबर 2011
समय - संध्या ६.३० बजे
अवसर - लोक उत्सव
आयोजक - मैथिली भोजपुरी अकादमी , दिल्ली सरकार ,
सम्पर्क-दूरभाष - ९८१०४५०२२९ , ९३१२३०११६०

Monday, October 10, 2011
चैम्पियन्स लीग ट्वेन्टी-ट्वेन्टी २०११ मुम्बइ इन्डियन्स जितलक
-चैम्पियन्स लीग ट्वेन्टी-ट्वेन्टी मुम्बइ इन्डियन्स जितलक
-रॉयल्स चैलेन्जर्स बैंगलोरकेँ फाइनलमे चेपॉक स्टेडियम, चेन्नैमे ०९ अक्टूबर २०११ केँ हरेलक।
-विदेशक टीम समरसेट(इंग्लैंड)केँ मुम्बइ इण्डियन्स सेमीफाइनलमे हरा कऽ फाइनलमे पहुँचल छल।
-विदेशक टीम न्यू साउथ वेल्स ब्लू (ऑस्ट्रेलिया)केँ रॉयल्स चैलेन्जर्स बैंगलोर सेमीफाइनलमे हरा कऽ फाइनलमे पहुँचल छल।

गजल सम्राट जगजीत सिंहक मुम्बइमे लीलावती अस्पतालमे देहान्त
-गजल सम्राट जगजीत सिंहक मुम्बइमे लीलावती अस्पतालमे देहान्त। ओ सत्तरि बर्खक रहथि।
-ब्रेन हैमरेज भेल छलन्हि, २३ सितम्बरसँ रहथि अस्पतालमे भरती।
-आइ भोर १० अक्टूबर २०११ केँ आठ बजे भेलन्हि मृत्यु।
-राजस्थानक श्री गंगानगरमे भेल छलन्हि जन्म।
-प्रधानमंत्री व्यक्त केलन्हि शोक।
-महेश भट्ट ट्वीट केलन्हि जे हुनकर फिल्म जगजीत सिंहक स्वरक अछैत ओतेक हिट नै करितै।

Sunday, October 9, 2011
Saturday, October 8, 2011
बिहारक पंचायती राज मंत्री व पिछड़ा/अति पिछड़ा वर्ग कल्याण मंत्री हरि प्रसाद साहक मृत्यु- (सौजन्य उमेश मंडल)
पंचतत्वमे समा गेलाह हरि प्रसाद साह
बिहार सरकारक पंचायती राज मंत्री व पिछड़ा/अति पिछड़ा वर्ग कल्याण मंत्री हरि प्रसाद साह केर पार्थिव शरीरक अंतिम संस्कार दिनांक 4/10/2011केँ हुनक जन्मभूमि सुपौल जिलाक निर्मलीमे अप्राहण 4:30 बजे ...निर्मली महाविद्यालय निर्मलीक परिसरमे राजकीय सम्मानक संग कएल गेलन्हि । अंतिम संस्कारमे बिहारक मुख्य मंत्री श्री नीतीश कुमार सेहो शरीक छलाह। मुख्यमंत्री, स्व.साहक पार्थिव शरीरपर पुष्प अर्पित केलन्हि।
सामजिक क्रांतिक पुरोधाक अंतिम यात्रामे उपमुख्य मंत्री सुशील कुमार मोदी, विधान सभा अध्यक्ष उदय नारायण चौधरी, उर्जामंत्री विजेन्द्र प्रसाद यादव, गन्ना विकास मंत्री नीतीश कुमार मिश्रा, सुपौलक सांसद विश्वमोहन कुमार, विधान परिषदक उप सभापति वीरेन्द्र कुमार चौधरी, विधायक अनिरूद्ध प्रसाद यादव, विधान परिषद सदस्या गुलजार देवी व पूर्व विधायक देवनाथ यादव, सांसद मंगनीलाल मण्डल, पूर्व सांसद देवेन्द्र प्रसाद यादव, पूर्व विधायक राम कुमार यादव, विधान पार्षद हारूण रसीद व विनोद कुमार सिंह समेत बहुत बेसी संख्यामे नेतागण व सामाजिक कार्यकर्ता एवं स्थानीय व्यवसायिक सहित अनेको लोक सभ शामिल भेलाह। मुखाग्नि हुनक एकलौता पुत्र सतीश कुमार देलन्हि।

एन.एस.डी.सँ डीम्ड यूनीवर्सिटी स्टेटस आपस लेल गेल
एन.एस.डी., दिल्लीसँ डीम्ड यूनीवर्सिटी स्टेटस आपस लऽ लेल गेल अछि। नेशनल स्कूल ऑफ ड्रामा ऐ तरहक आग्रह यू.जी.सी.सँ केने छल। एन.एस.डी., दिल्लीसँ डीम्ड यूनीवर्सिटी स्टेटस ऐ कारणसँ आपस लेल गेल कारण ओ निर्धारित न्यूनतम अर्हता नै राखैत अछि।
शोध सुविधा, शिक्षकक योग्यता आ पुस्तकालयसँ सम्बन्धित न्यूनतम अर्हताक यू.जी.सी.क मानदण्डक अनुपालनक शर्तपर एकरा मार्च २००५ मे डीम्ड यूनीवर्सिटी स्टेटस देल गेल छलै।
Friday, October 7, 2011
भद्रकाली नाट्य परिषद,कोइलख वार्षिक नाट्य समारोह (अंशुमन सत्यकेतुक रिपोर्ट)
क अंतिम दिन काल्हि कमल मोहन चुन्नू लिखित आ अंशुमान सत्यकेतु द्वारा निर्देशित नाटक 'चाँङुर' मंचित केलक।एहि दृश्य मे अंशुमान सत्यकेतु(सुधाकर),प्रेम कुमार(रघू)आ शुभेन्दु(विनोद) भावपूर्ण भूमिका मे
नाटक 'चाँङुर'(भद्रकाली नाट्य परिषद,कोइलख के वार्षिक नाट्य समारोहक अंतिम प्रस्तुति-निर्देशक-अंशुमान सत्यकेतु) -अंशुमान सत्यकेतु आ रमेश मंडल
Thursday, October 6, 2011
स्वीडनक कवि टॉमस ट्रांसट्रोमरकें २०११क साहित्य लेल नोबल पुरस्कार (गजेन्द्र ठाकुर )
स्वीडनक कवि टॉमस ट्रांसट्रोमरकें २०११क साहित्य लेल १.५ मिलियन डॉलरक नोबल पुरस्कार देबाक घोषणा कएल गेल अछि| स्वेडिश एकेडमी कहलक "ओ अपन घनगर पारदर्शी बिम्बसं सत्यक एकटा नव द्वारक परिचय करेलनि"|
हुनकर पोथी सबहक अंगरेजी अनुवाद रहनि "द ग्रेट एनिग्मा ", "द हाफ फिनिश्ड हेवेन ", द डिलीटेड वर्ल्ड " |
ओ अस्सी बरखक छथि| ओ १५ सं बेशी कविता संग्रह लिखने छथि जे अंगरेजी आ ६० आन भाषामे अनूदित भेल अछि| हुनकर जन्म स्टोकहोममें भेलनि|
ओ मनोचिकित्सक रहथि आ हुनकर कवितामे मानवताक गहन मनोविज्ञानिक विश्लेषण भेटैत अछि |हुनकर कविता गूढ़ मुदा सोझ होइत अछि | हुनकर कविता वैयक्तिक आ सार्वत्रिक दुनू अछि| हुनकर कविता एहेन गूढ़ नै होइए जइपर चिंता करैत रहू, वरन ओ धरातलसं अस्तित्वक उच्च शिखर दिस ल' जाइए |हुनकर स्वेडन क नम्हर शीतकालक विवरण , ऋतुक लय, आ प्रकृतिक सौन्दर्य वातावरणक अद्भुत विवरण हुनकर कवितामे भेटैत अछि |
हुनकर माता स्कूल शिक्षिका आ पिता पत्रकार रहथि आ ओ साहित्य , इतिहास , धर्मशास्त्र आ मनोविज्ञान पढने छथि |
१९९० सं ओ एकटा आघातक बाद बजबामे सक्षम नै छथि|
१९९३ का बाद अमेरिका ककरो साहित्यक नोबल नै भेटल छै| १९७४ क बाद आब जा क' कोनो स्वेडिश कें ई पुरस्कार भेटल छै|
नोबल समिति आब गएर यूरोपीय भाषाक बेशी साहित्यिक पोथीपर विचार करत|

Wednesday, October 5, 2011
Subscribe to:
Posts (Atom)