Monday, October 17, 2011

१५ -१० -२०११ केँ मनीगाछीमे विद्यापति पर्व संपन्न (साभार कमलेश झा )

चित्र साभार कमलेश झा
चित्र साभार कमलेश झा 

-१५ -१० -२०११ केँ मनीगाछीमे विद्यापति पर्व संपन्न।
- ऐ समारोहमे बटुक भाई (छत्रानंद सिंह झा) , बैजू जी , कमलाकांत जी , कुंज बिहारी मिश्र , सुरेश पंकज , ममता ठाकुर , रामसेवक ठाकुर , जनकजी , डा पी.एन. झा, बुचरू पासवान उपस्थित रहथि |

सुनल जाओ मैथिलीमे सामाचार १६ अक्टोबर २०११ (साभार जानकी एफ.एम.)

तालकटोरा स्टेडियम लग सुरतालमे मैथिली नाटक १६ अक्टूबर २०११ केँ सम्पन्न ( चित्र साभार विक्रम कुमार, संजय चौधरी आ नवीन कुमार आशा)

चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
चित्र साभार विक्रम कुमार 
पूर्वाभ्यासक चित्र साभार संजय चौधरी
चित्र साभार नवीन कुमार आशा
चित्र साभार नवीन कुमार आशा
चित्र साभार नवीन कुमार आशा




मैथिली नाटक - छुतहा घैल नाटककार- श्री महेंद्र मलंगिया
 निर्देशक- श्री संजय चौधरी
गीतकार- श्री महेंद्र मलंगिया एवं श्री ब्रह्मदेव लाल दास
 संगीत- श्री सुन्दरम
गायन- श्री सुन्दरम एवं सुश्री राखी दास
मुख्य कलाकार - श्री राजेश कर्ण, श्री मुकेश दत्ता , श्री कुमार शैलेन्द्र, श्रीमती कल्पना मिश्र, सुश्री अंजलि, श्री संजीव, श्री सुबोध साहा, एवं मास्टर आशुतोष प्रतिहस्त इत्यादि .
तिथि - १६ अक्टूबर २०११
समय - संध्या ६.३० बजे
 अवसर - लोक उत्सव
आयोजक - मैथिली भोजपुरी अकादमी , दिल्ली सरकार




 चित्र साभार विक्रम कुमार
 चित्र साभार विक्रम कुमार
 चित्र साभार विक्रम कुमार
 चित्र साभार विक्रम कुमार
 चित्र साभार विक्रम कुमार
 चित्र साभार विक्रम कुमार
 चित्र साभार विक्रम कुमार
 चित्र साभार विक्रम कुमार
 चित्र साभार विक्रम कुमार
 चित्र साभार विक्रम कुमार
 चित्र साभार विक्रम कुमार
 चित्र साभार विक्रम कुमार
 चित्र साभार विक्रम कुमार
 चित्र साभार विक्रम कुमार

Saturday, October 15, 2011

सुनल जाओ मैथिलीमे सामाचार 15 अक्टोबर 2011 (साभार जानकी एफ.एम.)

"सजनाक अंगनामे सोलह शृंगार"- रिलीजक बादक आरम्भिक रिपोर्ट आह्लादकारी (भाष्कर झाक रिपोर्ट)


विश्वस्त सूत्र स प्राप्त सूचना के अनुसार मैथिलीक बहुचर्चित फिल्म सजना के अंगना में सोलह सिंगार, जे १४ अक्तूबर २०११ के रिलीज भेल ,के अपार सफलता भेट रहल अछि जे . अहि समय में इ फिल्म दरभंगा के छबी गृह क्रेज डोल्बी, सुपौल तथा बेनीपट्टी स्थित छबि गृह में बड धूमधाम स चलि रहल अछि . मधुबनिक छबि गृह सब में से हो जल्दिये देखावक प्रयास भय रहल अछि . फिल्म निर्देशक , कलाकार , संगीतकार श्री मुरलीधर जी मधुबनी स मोबाईल द्वारा सूचित कयाला कि टिकट काउंटर पर दर्शकगनअक बड भीर देखल जा सकैत अछि , इ अहि बताक द्योतक अछि कि यदि मैथिलि में बढ़िया फिल्म बनावल जाय ता दर्शाकगणक कोनो कमी नहिं. सजना के अंगना में सोलह सिंगारक सफलता मैथिलि सिनेमा के मुख्य धारा स जोराबक में बहुत महत्वपूर्ण साबित होयत .मैथिली के सुन्दर गीत संगीत और डैलोग स सजल मैथिलि फिल्म निर्माता संदीप झा प्रस्तुत सजना के अंगना में सोलह सिंगार मैथिली सिनेमा के इतिहास में अपन महत्वपूर्ण सफलता स अवश्य याद कायल जायत। (भाष्कर झा)

१.निर्माता आ निर्देशक अभिजीत कुमार सिंह २.दुलरुआ बाबू (रिपोर्ट लाल बहादुर वत्स)




निर्माता आ निर्देशक अभिजीत कुमार सिंह(रिपोर्ट लाल बहादुर वत्स)
-निर्माता आ निर्देशक अभिजीत कुमार सिंह , जिला मधुबनी।
-सम्प्रति मुम्ब इमे रहैत छथि।
-अखन एकटा मैथिली टेली फिल्म शुरू कऽ रहल छथि आ हिन्दी फिल्म सेहो कऽ रहल छथि।






-दुलरुआ बाबू (रिपोर्ट लाल बहादुर वत्स)
-दुलरुआ बाबू पहिल सिनेमास्कोप फिल्म अछि।
-ऐमे सभ कलाकार मैथिल छथि।
-एकर सभ शूटिंग मिथिला (मधुबनीक नागवास गाम)मे भेल रहै।

मुरलीधर निर्देशित "सजनाक आंगनमे सोलह शृंगार" १४ अक्टूबर २०११ केँ दरभंगामे प्रदर्शित (चित्र साभार शशि मोहन)

दुर्गापूजा २०११क अवसरपर मैथि‍ली पोथी स्‍टॉल...

दुर्गापूजा २०११क अवसरपर मैथि‍ली पोथी-मधुबनी जि‍लाक बेरमा गाममे मैथि‍ली पोथी स्‍टाॅल लगाओल गेल छल। दुर्गापूजाक पंचममीसँ दसमी धरि‍ श्रुति‍ प्रकाशनक संम्‍पूर्ण पोथी वि‍क्री लेल उपलब्‍ध रहए।


ऐ सँ पहिने पछिला साल २०१०ईं.क दुर्गापूजाक मेलामे सेहो श्री संजय कुमार मण्‍डलजी द्वारा बेरमा, घोघरडीहा आ हटनीमे पल्‍लवी डि‍स्‍ट्रीब्‍यूटर, नि‍र्मलीक सौजन्‍यसँ मैथि‍ली पोथी स्‍टाॅल लगाओल गेल रहए।

बिहारक मुख्यमंत्री श्री नीतिश कुमारकेँ काल्हि छहटा मैथिली पोथी देल गेलन्हि

बिहारक मुख्यमंत्री श्री नीतिश कुमारकेँ काल्हि छहटा मैथिली पोथी देल गेलन्हि। श्री नीतिश कुमार निर्मली, जिला सुपौल आएल रहथि ओतै ई छबो पोथी हुनका श्री धीरेन्द्र कुमारजी देलखिन्ह। ई पोथी सभ अछि।

१.अम्बरा (कविता संग्रह)- श्री राजदेव मंडल
२.गामक जिनगी (कथा संग्रह)- श्री जगदीश प्रसाद मण्डल
३.मौलाइल गाछक फूल-(उपन्यास)-श्री जगदीश प्रसाद मण्डल
४.जिनगीक जीत-(उपन्यास)-श्री जगदीश प्रसाद मण्डल
५.उत्थान-पतन-(उपन्यास)-श्री जगदीश प्रसाद मण्डल
६.मिथिलाक बेटी -(नाटक)-श्री जगदीश प्रसाद मण्डल

ई सभ पोथी ऐ लिंकपर https://sites.google.com/a/videha.com/videha-pothi/ मुफ्त डाउनलोड लेल सेहो उपलब्ध अछि।









सुनल जाओ मैथिलीमे सामाचार १४ अक्टोबर 2011(साभार जानकी एफ. एम.)

Friday, October 14, 2011

नवेंदु कुमार झा १.जन चेतना यात्रा मोदी सॅ सचेत अछि भाजपा २.प्रधानमंत्री भाजपा

१ जन चेतना यात्रा मोदी सॅ सचेत अछि भाजपा

भारतीय जनता पार्टीक वरिष्ठ नेत लाल कृष्ण आडवाणीक जन चेतना यात्राक लऽकऽ पार्टीक प्रदेश इकाई दिन-राति एक कएने अछि। सिताबदियारा सॅ लऽ कऽ बक्सरक उŸार प्रदेश सॅ सरल सीमा धरि श्री आडवाणीक स्वागत मे कोनो कसरि नहि नहि छोड़लक अछि। छोट सॅ पैघ सभ नेताक पोस्टर आब नजरि आबए लागल अछि। भाजपाक एहि पोस्टर मे सभ नेताक फाटो तऽ अछि मुदा प्रधानमंत्रीक दावेदार मानल जाए बाला गुजरातक मुख्य मंत्री नरेन्द्र मोदीक फोटो एहि पोस्टर मे नजरि नहि आबि रहल अछि। पार्टीक सूत्र सॅ भेटल जनतबक अनुसार पार्टी नेतृत्व एहि वास्ते सभके कड़गर निर्देश देने अछि जे एहि मात्रा मे कोनो तरहक विवाद नहि हो ते श्री मोदीक फोटो सॅ नेता आ कार्यकर्ता परहेज करथि। ओना गुजरातक विकास आ मोदी सरकारक कामकाज पर गर्व करऽ बाला भाजपाक अपन कार्यक्रम मे अपन नेता सॅ परहेज करबा सॅ भाजपा कार्यकर्ता भीतरे-भीतर मायूस छलाह। दरअसल भाजपा सॅ दोस्ती हाथ मिलौने बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के नीक लगैत अछि मुदा नरेन्द्र मोदी संग हाथ मिलैबा सॅ हुनका रंज भऽ जाइत अछि ते नीतीश कुमार के खुश रखबाक लेल बिहार भाजपा श्री मोदी सॅ दूरी बना कऽ राखऽ चाहैत अछि। नरेन्द्र मोदी आ नीतीश कुमारक विवाद बिहार मे भेल पार्टीक राष्ट्रीय कार्यकारिणीक भेल बैसक मे खुलिक सोझा आएल छल आ मुख्यमंत्री द्वारा भाजपा नेता सभके देल गेल भोजक न्योत बिजो होमए सॅ पहिनहि रद्द कऽ डेग उठौनेरहल अछि। जन चेतना यात्रा सॅ पहिनहि भाजपा अचेत नहि भऽ जाए ते मोदीक फोटो सॅ परहेज कऽ हुनका सचेत करबाक प्रयास पार्टी कएलक अछि। ओना श्री आडवाणीक एहि प्रस्तावित यात्रा सॅ मोदी नाराज बुझि पड़ैत छथि। राष्ट्रीय कार्यकारिणीक बैसक मे नवरात्राक बहन्ने अनुपस्थित भऽ एकर स्पष्ट संकेत दऽ देलनि अछि। मोदीक नाराजगीक कारण आडवाणी गुजरात सॅ यात्रा प्रारंभ करबाक योजना के बदलि सम्पूर्ण क्रान्तिक प्रणेता जय प्रकाश जन्म भूमि सिताबदियारा सॅ यात्रा प्रारंभ करबा पर विवश भेलाह अछि। नीतीश कुमारक नरेन्द्र मोदी सॅ दूरी बनाएल रखबाक बीत लऽ बुझि पड़ैत अछि मुदा भाजपाक मोदी सॅ परहेज करब कार्यकर्ता सभके सेहो नहि गला सॅ नहि उतरि रहल अछि, मुदा पार्टी नेतृत्वक निर्देश मानब हुनक मजबूरि अछि। ओना पार्टीक एकटा आर वरिष्ठ नेता मुरली मनोहर जोशी आ बिहार मे भाजपाक मजगूत स्तम्भ कैलाशपति मिश्र सेहो एहि बेर पोस्टर सॅ गायब छलाह। कहियो पार्टीक नारा छल भारत मॉ के तीन धरोहर अटल आडवाणी मुरली मनोहर। हालांकि अटल आ आडवाणीक प्रासंगिकता पार्टीक एखनो बुझा रहल अछि मुदा जोशी पार्टीक पेटारक धरोहर बनि गेल छथि। वास्तव मे नरेन्द्र मोदी पार्टीक कतेको नेताक लेल खतरा बनि गेल छथि। तें वातानुकूलित कमरा मे बैसि भाजपाक राजनीति कएनिहार दिल्ली ब्रान्ड नेता सभ हुनका राष्ट्रीय राजनीति मे दखल सॅ रोकबाक लेल एकजूट छथि। हालांकि पार्टी लग मोदीक फोटो नहि देबाक मजगूत तर्क सेहो अछि। ई तर्क अछि जे पार्टीक पोस्टर मे भाजपा शासित प्रदेशक कोनो मुख्यमंत्रीक फोटो नहि अछि तें मोदीक फोटो सेहो नहि अछि। यानि भाजपा मोदी के मात्र मुख्यमंत्री मनैत अछि। पार्टीक राष्ट्रीय नेताक रूप मे मान्यता देबाक साहस नहि कऽ रहल अछि कि एक तऽ एहि सॅ दिल्लीक कुर्सी पर कब्जा करबा मे बाधा आबि सकैत अछि। मोदीक भाजपाक पोस्टर बाय बनला सॅ राजगक कूनबा ठनमना जयबाक आशंका भाजपा के सेहो अछि।  
२ प्रधानमंत्री भाजपा
 भाजपाक वरिष्ठ नेता लाल कृष्ण आडवाणीक जन चेतना यात्रा प्रदेश सॅ बिदा भऽ उत्तर प्रदेश मे प्रवेश कऽ गेल अछि। दू दिवसीय ई यात्रा बिना कोनो विवाद सफलतापूर्वक सम्पन्न भेला पर प्रदेशक भाजपाई चैनक सांस लेलनि अछि। यात्राक विरोध करबाक घोषणा मात्र घोषणा साबित भेल आ प्रधानमंत्री पदक उम्मीदवारी आ नरेन्द्र मोदी प्रकरण पर सेहो कोनो विवाद नहि आएब पार्टीक लेल राहत देबऽ बाला रहल। स्वयं आडवाणी सहित भाजपाक कोनो नेता सिताबादि यारा सॅ लऽ कऽ उŸार प्रदेशक सीमा धरि गोटेक 298 किलोमीटर यात्राक दरमियान नरेन्द्र मोदी शब्द धरि मूॅह सॅ नहि निकाललनि। हालाकि श्री आडवाणी प्रधानमंत्री पद पर अपन दावेदारीके खारिज करैत सफाई देलनि जे एकर निर्णय पार्टी करत मुदा उत्तर प्रदेश मे यात्रा प्रारंभ भेलाक संगहि प्रधानमंत्री पदक मामिला एक बेर फेर गर्म भऽ गेल अछि। महादेवक नगरी वाराणसी मे भाजपाक फायर ब्रान्ड नेत्री उमा भारती एहि मामिला पर अपन मूॅह कि खोललनि। पार्टीक भीतर घमासान प्रारंभ भऽ गेल। उत्तर प्रदेश मे भाजपाक जड़ि मजगूत करऽ मे लागत उमा भारती वाराणसी मे कहलनि जे जन जागरण यात्रा श्री आडवाणी के प्रधानमंत्री बनाओत आ देशक अगिला प्रधानमंत्री होएब तय अछि। आडवाणीक मतभेदक बाद पार्टी दोड़ि अपन अलग पार्टी बना राजनीतिक हैसियत बुझि चूकल सुश्री भारती एहि बेर आडवाणीक समर्थन मे मैदान मे कूछि गेला सॅ आडवाणी विरोधी खेमाक निन्द उड़ि गेल अछि। जखन बात प्रधानमंत्रीक हो तऽ भला केओ कोना चुप रहि सकैत अछि। राजनीति कोनो तपस्या नहि अछि। एहि मे सभक हित छोड़त अछि। ते देशक सर्वोच्च राजनीतिक पदक उम्मीदवारीक बाजार जखन खुजि गेल अछि तऽ सभ अपन-अपन शेयरक भाव बढ़बऽ मे लागि गेल छथि। सुश्री भारतीक आडवाणीक समर्थन मे देल गेल बयानक बाद वरिष्ठ भाजपा नेता यशवंत सिन्हाक सक्रियता ई संकेत दडरहल अछि जे पार्टीक भीतर एक अनार सय बिमार क स्थिति अछि। श्री सिन्हा स्पष्ट कएलनि जे पार्टी मे प्रधानमंत्री पदक लेल कतेको योग्य नेता छथि। एहिये ओ अपना आपके सेहो सम्मिलित करैत कहलनि जे एहि पर अंतिम निर्णय पार्टी करत। हालाकि जन चेतना यात्रा के हरियर झण्डी देखा विदा करऽ बाला बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक राजनीतिक इंजीनियरिंग सेहो तेजी सॅ चलि रहल अछि। संसदक चुनाव मे एखन दू वर्ष अछि मुदा पदक लेल शह-मात करवेल एसनहि सॅ प्रारंभ भऽ गेल अछि। हिरेन पण्ड्या, संजीव भट्ट आ लोक पालक मामिला पर आलोचना सहि रहल गुजरातक मुख्यमंत्री नरेन्द्र मोदी के सद्भावना मिशन मे खुलि कऽ समर्थन देबऽ बाला कतेको भाजपाईक आडवाणीक यात्राक समर्थन मे उतरला सॅ मोदीक दावेदारी एखन कमजोर भेल अछि आ शायद एहि कारण यात्रा पूर्व संध्या पर मोदी आडवाणीक समर्थन कऽ एखन तत्काल एहि विवाद पर विराम लगैबाक संकेत देलनि अछि मुदा आडवाणीक यात्राक सफलता स ॅप्रधानमंत्री पदक लेल हुनक दावेदारी मजगूत होएत। एहि वास्ते आडवाणीक पारिवारिक कूनबा सेहो मैदान मे उतरल अछि। श्री आडवाणीक बेटी प्रतिभा आडवाणी यात्राक संग-संग चलि पूरा व्यवस्था पर गहिर नजरि रखने अछि। आडवाणी एण्ड कम्पनी एहि बेर कोनो चूक नहि होमए देबऽ चाहैत अछि आ पीएम इन वोटिंगक सीट जनताक न्यायालयक माध्यम सॅ कान्फार्म करैबाक बेचैन अछि तऽ दोसर दिस राजगक दोसर घटक जदयू सेहो एहि पर नजरि रखने अछि। ज्यो राजग सताक लऽग पहूंचल तऽ भाजपाक भीतर आडवाणी मोदीक संघर्ष मे नीतीश कुमार राजगक सर्वसम्मति पसंद भऽ सकैत छथि। आ एहि मे आडवाणी खेमाक समर्थन सेहो भेटि सकैत अछि। ओना भाजपाक दशा आ दिशा ओकर मातृ संगठन राष्ट्रीय स्वयं सेवक संघ तय करैत अछि ओहि दशा मे संघक पहिलआ अंतिम पसंद भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष नीतीन गडकरी भऽ सकैत अछि। श्री गडकरी पार्टीक नेता सभ के जोड़क झटका धीरे सॅ ओजन बढ़ैबाक तैयारी मे लागि गेल छथि।

आइ मैथिली फिल्म "सजनाक आंगनमे सोलह शृंगार" रिलीज भऽ रहल अछि दरभंगामे ' Crez Dolbi सँ (सौजन्य मुरलीधर)

संदीप क्रिएशनक ऐ फिल्मक निर्माता छथि: नित्यानन्द झा कथा/ पटकथा/ गीत/ संगीत/ निर्देशन: मुरलीधर निर्माण परिकल्पना आ संवाद: संदीप झा संपादन: विभूति भूषण द्वन्द: रोशन श्रेष्ठ नृत्य: केदार सुब्बा कार्यकारी निर्माता:घनश्याम मिझार छायांकन: युसुफ खान, कलाकार: राहुल सिन्हा/ राखी त्रिपाठी

सुनल जाओ मैथिलीमे सामाचार 13 अक्टोबर 2011 (साभार जानकी एफ.एम.)