Tuesday, April 28, 2026

GADYA PADYA BHARTI 1 & 2 (विदेह सदेह २८ & विदेह सदेह ३७) [विभिन्न भाषासँ अनूदित गद्य आ पद्य रचना (खण्ड-१) & (खण्ड-२) (विदेह www.videha.co.in/ पेटार अंक १-३५० सँ)]

 

GADYA PADYA BHARTI 1 & 2 (विदेह सदेह २८ & विदेह सदेह ३७)

[विभिन्न भाषासँ अनूदित गद्य आ पद्य रचना (खण्ड-१) & (खण्ड-२) (विदेह www.videha.co.in/ पेटार अंक १-३५० सँ)]

 

१

विदेह सदेह २८

GADYA PADYA BHARTI 1

विभिन्न भाषासँ अनूदित गद्य आ पद्य रचना (खण्ड-१) (विदेह www.videha.co.in/ पेटार अंक १-३५० सँ)

https://store.pothi.com/book/editor-gajendra-thakur-gadya-padya-bharti-1/

२

विदेह सदेह ३७

GADYA PADYA BHARTI 2

विभिन्न भाषासँ अनूदित गद्य आ पद्य रचना (खण्ड-२) (विदेह www.videha.co.in/ पेटार अंक १-३५० सँ)

https://store.pothi.com/book/translator-gajendra-thakur-gadya-padya-bharti-2/

CONTENTS

A.

GADYA PADYA BHARTI 1

अनुक्रम
अनूदित गद्य-खण्ड
शेख मोहम्मद शरीफ प्रसिद्ध वेमपल्ली शरीफ- जुम्मा (तेलुगु लघुकथा) (पृ. २-९)
डॉ. प्रभा खेतान- छिन्नमस्ता (हिन्दी उपन्यास) (पृ. १०-१३८)
खलील जिब्रान- गोल्डन बेल्ट (अंग्रेजी सीड स्टोरी) (पृ. १३९-१४०)
ग्रिगोरी गोरिन (रूसी नाटककार)- एकटा ईमानदार आदमी (पृ. १४१-१४३)
बर्तोल्ट ब्रेख्त (जर्मन नाटककार)- गपशप, महाशय “क” जखन कोनो व्यक्तिसँ प्रेम करैत अछि (पृ. १४४-१४६)
चन्दमामा (संस्कृत) (लोक बालबोधिनी कथा)- शरीरक मूल्य (पृ. १४७-१४९)
देवब्रत बसु- सुख केँ मृगमरीचिका बुझू (संस्कृत बीहनि कथा) (पृ. १५०-१५१)
डॉ. मिथिलेश कुमारी मिश्र- वीरभोग्या वसुन्धरा, अति सर्वत्र वर्जयेत् (संस्कृत बीहनि कथा) (पृ.१५२-१५४)
असगर वजाहत- हम हिन्दू छी (हिन्दी लघु कथा) (पृ.१५५-१६१)
कुरानक पहिल अध्यायक सात टा आयत- अरबी-हिन्दी कुरान (पृ. १६२-१६३)
तुकाराम रामा शेट- पाखलो (कोंकणी उपन्यास) (पृ. १६४-२२५)
अशोक मनभुटकर- हर एक लोक आ माटिक कथा ‘पाखलो’ (कोंकणी समीक्षा) (पृ. २२६-२३१)
हरिशंकर श्रीवास्तव “शलभ"- मन्त्रद्रष्टा ऋष्यश्रृङ्ग (हिन्दी बायोग्राफी) (पृ. २३२-३२१)
उदय प्रकाश- मोहनदास (हिन्दी दीर्घकथा) (पृ. ३२२-३८५)
काशीनाथ सिंह- रेहनपर रग्घू (हिन्दी उपन्यास) (पृ. ३८६-४६८)
गीतेश शर्मा- भारतीय मुसलमान आ भारतीयता (हिन्दी आलेख) (पृ. ४६९-४७४)
सुकेश साहनी- ठ'रल सीरक (हिन्दी बीहनि कथा) (पृ. ४७५-४७७)
वन्दना अवस्थी दुबे- दायित्व (हिन्दी लघुकथा) (पृ. ४७८-४८०)
अंजू खरबंदा- मुखिया (हिन्दी बीहनि कथा) (पृ. ४८१-४८३)
रवि प्रभाकर- अदकल जीह (हिन्दी बीहनि कथा) (पृ. ४८४-४८५)
सतीश खनगवाल- घुरपेंच (हिन्दी बीहनि कथा) (पृ.४८६-४८७)
विजय 'विभोर'- अन्नदाता (हिन्दी बीहनि कथा) (पृ. ४८८-४८९)
योगराज प्रभाकर- थाल आ कमल (हिन्दी बीहनि कथा) (पृ. ४९०-४९१)
सदानन्द कविश्वर- नाङरि हिलेबाक फयदा (हिन्दी बीहनि कथा) (पृ. ४९२-४९३)
डा पुष्करराज भट्ट- बहिष्करण (नेपाली बीहनि कथा) (पृ. ४९४-४९६)
प्रा. डा. कपिल लामिछाने- सौन्दर्य आ समानता (नेपाली बीहनि कथा) (पृ. ४९७-४९९)
हरिप्रसाद भण्डारी- दू टा बीहनि कथा (नेपाली बीहनि कथा) (पृ. ५००-५०२)
तारा केसी- अपन परिचय (नेपाली बीहनि कथा) (पृ. ५०३-५०४)
रचना शर्मा- चरित्र (नेपाली बीहनि कथा) (पृ. ५०५-५०७)
डॉ. प्रदीप कौड़ा- क्रांति (पंजाबी बीहनि कथा) (पृ. ५०८-५०९)
निरंजन बोहा- करूगर सत्य (पंजाबी बीहनि कथा) (पृ. ५१०-५११)
जगदीश अरमानी- कथानक (पंजाबी बीहनि कथा) (पृ. ५१२-५१३)
जंगबहादुर सिंह घुम्मण- आचरण (पंजाबी बीहनि कथा) (पृ. ५१४-५१५)
दीपक बुदकी- जन्नत (उर्दू बीहनि कथा) (पृ. ५१६-५१८)
मुबश्शिर अली ज़ैदी- ईनाम (उर्दू बीहनि कथा) (पृ. ५१९-५२०)
इब्न आसी- फेर मनुक्खक की भेलै? (उर्दू बीहनि कथा) (पृ. ५२१-५२२)
रतन सिंह- बिना शीर्षकक (उर्दू बीहनि कथा) (पृ. ५२३-५२४)
सच्चिदानन्द कर- तितली आ प्रेम (ओड़िया बीहनि कथा) (पृ. ५२५-५२७)
प्रज्ञा महान्ति- मेमोरीचिप्स (ओड़िया बीहनि कथा) (पृ. ५२८-५२९)
विनय कुमार दास- कर्मफल (ओड़िया बीहनि कथा) (पृ. ५३०-५३१)
गायत्री दास- बुझौअलि (ओड़िया बीहनि कथा) (पृ. ५३२-५३३)
मिनती प्रधान- संगी (ओड़िया बीहनि कथा) (पृ. ५३४-५३५)
गैस्पर अल्मीडा- एकटा आर रबि (अंग्रेजी लघुकथा) (पृ. ५३६-५४१)
वसंत भगवंत सावंत- मृत्युकेँ टारब, नागपंचमी (कोंकणी लघुकथा) (पृ. ५४२-५५३)
सेबी फर्नानडीस- सोंगर (कोंकणी लघुकथा) (पृ. ५५४-५६१)

अनूदित पद्य-खण्ड
इप्सिता सारंगी- गप, हिलकोर (ओड़िया कविता) (पृ. ५६३-५६८)
अन्नावरन देवेन्दर (अंतिम शब्द; पानि अछि, मात्र आँखिक नोर)-दू टा तेलुगु कविता (पृ. ५६९-५७८)
हेमांग आश्विनकुमार देसाइ- समीकरण (गुजराती कविता) (पृ. ५७९-५८१)
अजय सरवैया- अहाँक तामस हमर स्वागतपथ (गुजराती कविता) (पृ. ५८२-५८४)
राजेन्द्र पटेल- बिनु शीर्षकक (गुजराती कविता) (पृ. ५८५-५८७)
पीयूष ठक्कर- सांध्य बेला (गुजराती कविता) (पृ. ५८८-५८९)
पन्ना त्रिवेदी- आमद (गुजराती कविता) (पृ. ५९०-५९१)
बाबू सुथार- गृहमोह (गुजराती कविता) (पृ. ५९२-५९५)
वासुदेव सुनानी- फूसि, अनुमति (दू टा ओड़िया कविता) (पृ. ५९६-५९९)
भरत माँझी- हमर घुरलाक बाद (ओड़िया कविता) (पृ. ६००-६०२)
शीला सुभद्रा देवी- पसीझक काँट (तेलुगु कविता) (पृ. ६०३-६०६)
एन. अरुणा- ई सेहो अछि प्रवास (तेलुगु कविता) (पृ. ६०७-६०९)
भिखारी ठाकुर- वृद्धाश्रमक पक्षमे- बिरहा १-२ (भोजपुरी पद्य) (पृ. ६१०-११२)
परिचय दास- बेसीकाल शब्द जखन (भोजपुरी पद्य) (पृ. ६१३-६२४)
निराला- देह विदेह (१-४) (हिन्दी कविता) (पृ. ६२५-६३४)
पंकज चतुर्वेदी-डायरी खण्ड आ कविता खंड (हिन्दी रचना) (पृ. ६३५-६४३)
संतोष कुमार चतुर्वेदी- गिट्ठऽ, मेघक दूभि हिन्दी कविता) (पृ. ६४४-६४६)
वीरू सोनकर- उपलब्धि, नून, दिन (हिन्दी कविता) (पृ. ६४७-६५१)
मंगलेश डबराल- कमरा, बाहर, लिखल चलल जाइत छलहुं, उम्मीद, अप्पन अधिकार, पहाड़ छथिन, एहन काल, बेर-बेर कहैत छलौं हम, दिल्ली मे एकटा दिन, भोथिआएल, अभिनय, किछु कालक लेल, घर शांत अछि (हिन्दी कविता) (पृ. ६५२-६६३)
नित्यानंद गायेन- हम नै चाहै छी अपना उपर संदेह, रौद पघलि रहल अछि (हिंदी कविता) (पृ. ६६४-६६५)
प्रो. चम्पा शर्मा- स्नेह-भरल सनेस (डोगरी कविता) (पृ. ६६६-६७३)
कुमार संभव ‘भारद्वाज’- हमर भारत देश महान (हिन्दी कविता) (पृ. ६७४-६७६)
पसुपुलेटि गीता- दुमर्जा (तेलुगु कविता) (पृ. ६७७-६८०)
रहमान राही- छाह सभ (कश्मीरी कविता) (पृ. ६८१-६८४)
रजनी छाबड़ा (किछु हिन्दी कविता) (पृ. ६८५-७३८)

 

B.

GADYA PADYA BHARTI 2

अनुक्रम
विभिन्न भारतीय भाषाक गद्यसँ अंग्रेजीमे अनूदित साहित्यक गजेन्द्र ठाकुर द्वारा मैथिलीमे अनुवाद
विभिन्न भारतीय भाषाक गद्यसँ अंग्रेजीमे अनूदित साहित्यक अनुवादक लोकनि:
जयलक्ष्मी पोपुरी [तेलुगु]
के. पुरुषोत्तम [तेलुगु]
रामा राव वी वी बी [तेलुगु]
गोपा नायक [उड़िया]
हेमांग देसाई [गुजराती]
कमलाकर भट [कन्नड़]
विभिन्न भारतीय भाषाक पद्यसँ अंग्रेजीमे अनूदित साहित्यक अनुवादक लोकनि:
पुरुषोत्तम के. [तेलुगु]
रामा राव वी वी बी [तेलुगु]
जयलक्ष्मी पोपुरी [तेलुगु]
हेमांग देसाई [गुजराती]
माला मारवाह [गुजराती]
सैलेन राउत्रे [उड़िया]
इप्सिता सारंगी [उड़िया]
हरिकृष्ण दास [उड़िया]
गजेन्द्र ठाकुर [भोजपुरी]
एस.एल.सन्धु [कश्मीरी]
अनूदित गद्य खण्ड
गद्य अनुक्रम
तेलुगु खण्ड
१. सदा लेल मित्र: मूल तेलुगु उपन्यास : पेद्दिंति अशोक कुमार; तेलुगुसँ अंग्रेजी अनुवाद: पी. जयलक्ष्मी; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद: गजेन्द्र ठाकुर [पृष्ठ- ३-७७]
२. २ टा दलित लघु कथा: [कोलकलुरी इनोच लिखित “कौआ” (तेलुगुमे काकी) आ विनोदिनी लिखित “कारी मसि” (ब्लैक इंक)]; मूल तेलुगुसँ अंग्रेजी अनुवाद: के. पुरुषोत्तम; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद: गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- ७८-८७]
३. आदिवि बापिराजूक मूल तेलुगु 'ध्वस्त मन्दिर' सँ अंग्रेजी अनुवाद जयलक्ष्मी पोपुरी द्वारा; अंग्रेजीसँ मैथिली: गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- ८८-९१]
४. वेंकट सुब्बैया वी.क मूल तेलुगु 'अनुवादक कला' (अंश) क अंग्रेजी अनुवाद जयलक्ष्मी पोपुरी द्वारा; अंग्रेजीसँ मैथिली: गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- ९२-९६]
५. करुणा टी.क मूल तेलुगु 'क्रूरता' क अंग्रेजी अनुवाद जयलक्ष्मी पोपुरी द्वारा; अंग्रेजीसँ मैथिली: गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- ९७-१०२]
६. एन. गोपीक मूल तेलुगु 'नानीलु, द लिटिल वन्स' क अंग्रेजी अनुवाद जयलक्ष्मी पोपुरी द्वारा; अंग्रेजीसँ मैथिली: गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- १०३-१०५]
७. खदीर बाबूक मूल तेलुगु “हमर चित्रकला गुरु” क अंग्रेजी अनुवाद: जयलक्ष्मी पोपुरी; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद: गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- १०६-१०९]
८. वेम्पल्ले शरीफक मूल तेलुगु “जुम्मा” क अंग्रेजी अनुवाद: जयलक्ष्मी पोपुरी; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद: गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- ११०-११६]
९. रामा राव वी वी बीक मूल तेलुगु “अभिशप्त” क अंग्रेजी अनुवाद: लेखक द्वारा स्वयं; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद: गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- ११७-१२४]
उड़िया खण्ड
१०. उड़ियामे सरोजिनी साहूक मूल कहानी "दुःख अप्रमिता"; अंग्रेजीमे गोपा नायक द्वारा अनूदित; अंग्रेजीसँ मैथिली: गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- १२६-१३३]
गुजराती खण्ड
११. सुन्दरमक २ टा गुजराती कथा:
“
माताक कोरामे” मूल गुजराती: “सुन्दरम”; गुजरातीसँ अंग्रेजी: हेमांग देसाई आ अंग्रेजीसँ मैथिली: गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- १३५-१४३]
सुन्दरमक मूल गुजराती कथा “माजा वेलोक निधन” अंग्रेजीमे हेमांग देसाई द्वारा अनूदित; अंग्रेजीसँ मैथिली: गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- १४४-१५४]
१२. दलपत चौहानक मूल गुजराती 'डर'; हेमांग देसाई द्वारा अंग्रेजीमे अनूदित; अंग्रेजीसँ मैथिली: गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- १५५-१६३]
१३. नजीर मंसूरीक दू टा गुजराती कथा: “समुद्री बाज” आ “हंगामा”; मूल गुजरातीसँ अंग्रेजी: हेमांग देसाई आ अंग्रेजीसँ मैथिली: गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- १६४-१८८]
कन्नड़ खण्ड
१४. अशोक हेगड़ेक मूल कन्नड “अन्हार” क अंग्रेजी अनुवाद: कमलाकर भट्ट; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद: गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- १९०-२००]

अनूदित पद्य खण्ड
पद्य अनुक्रम
तेलुगु खण्ड
१
बोयी भीमन्नाक मूल तेलुगु कविता [मूल तेलुगु कविता अंग्रेजीमे पुरुषोत्तम के. द्वारा अनूदित; अंग्रेजीसँ मैथिली गजेन्द्र ठाकुर।] [पृष्ठ- २०३-२०६]
२
तेलुगु दलित महिला कविता [मूल तेलुगुसँ अंग्रेजी अनुवाद के. पुरुषोत्तम ; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर।]
मूल तेलुगु: “जे. सुभद्रा” क “लोढ़ब”, “लाण्डा”, “साड़ीक कोर - -हमर छाती पर पहरा दऽ रहै लेल कपड़ा नै”, ““अव्वा - दुख जमा करैत दरबज्जापर बिछल चौखटि”। [पृष्ठ- २०७-२१६]
मूल तेलुगु: “चल्लपल्ल्ली स्वरूपरानी”क “मान्केनापुव्वु”; “माटि -भेल हाथ” [पृष्ठ- २१७-२२१]
मूल तेलुगु: “दरिशे शशिनिर्मला” क “हमही छी जे सभ किछु हारि देलौं”, “हम रजस्वला कपड़ा ओढ़ि रहल छी”, “एक दलित स्त्री” [पृष्ठ- २२२-२२७]
मूल तेलुगु: “एम. गौरी” क “मेहदी लागल हाथ” [पृष्ठ- २२८-२३०]
मूल तेलुगु: “मद्दुरी विजयश्री” क “अलिसम्माक स्राप” [पृष्ठ- २३१-२३२]
३
वी.वी.बी. रामा रावक किछु पद्य [तेलुगु सँ कवि द्वारा स्वयं अनुवादित] [पृष्ठ- २३३-३०४]
४
एन. गोपीक मूल तेलुगु क अंग्रेजी अनुवाद जयलक्ष्मी पोपुरी द्वारा; अंग्रेजीसँ मैथिली गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- ३०५-३११]
५
अरुणा एन केर मूल तेलुगु क अंग्रेजी अनुवाद जयलक्ष्मी पोपुरी द्वारा; अंग्रेजीसँ मैथिली गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- ३१२-३१८]
६
शीला सुभद्रा देवीक मूल तेलुगु क अंग्रेजी अनुवाद जयलक्ष्मी पोपुरी द्वारा; अंग्रेजीसँ मैथिली गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- ३१९-३२४]
७
के. शिवा रेड्डीक मूल तेलुगु क अंग्रेजी अनुवाद जयलक्ष्मी पोपुरी द्वारा; अंग्रेजीसँ मैथिली गजेन्द्र ठाकुर। [पृष्ठ- ३२५-३२९]
८
अन्नवरम देवेन्द्रक तेलुगु पद्य [मूल तेलुगुसँ अंग्रेजी अनुवाद -जयलक्ष्मी पोपुरी; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर।] [पृष्ठ- ३३०-३४७]
गुजराती खण्ड
९
नरसिंह मेहताक गुजराती कविता, गुजरातीसँ अंग्रेजी अनुवाद हेमांग देसाई; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर द्वारा। [पृष्ठ- ३४९-३५०]

१०
हेमांग देसाईक ५टा गुजराती कविता, गुजरातीसँ अंग्रेजी अनुवाद कवि द्वारा स्वयं; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर द्वारा। [पृष्ठ- ३५१-३६१]
११
राजेन्द्र पटेलक गुजराती कविता सभ, गुजरातीसँ अंग्रेजी अनुवाद हेमांग देसाई; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर द्वारा। [पृष्ठ- ३६२-३६८]
१२
पीयूष ठक्करक गुजराती कविता सभ, गुजरातीसँ अंग्रेजी अनुवाद हेमांग देसाई; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर द्वारा। [पृष्ठ- ३६९-३७२]
१३
पन्ना त्रिवेदीक कविता सभ, गुजरातीसँ अंग्रेजी अनुवाद हेमांग देसाई; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर द्वारा। [पृष्ठ- ३७३-३७५]
१४
बाबू सुथारक कविता सभ, गुजरातीसँ अंग्रेजी अनुवाद हेमांग देसाई; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर द्वारा। [पृष्ठ- ३७६-३८१]
१५
गुजराती दलित कविता [गुजरातीसँ अंग्रेजी अनुवाद हेमांग देसाई; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर द्वारा।
अनीश गारंगेक "पोस्टर" [पृष्ठ- ३८२-३८२]
राजेन्द्र वडेलक 'जीता' "सम्भोग" [पृष्ठ- ३८३-३८३]
उमेश सोलंकीक "लोक, जमि जाए", "खरड़ाक डाँट सभ" [पृष्ठ- ३८४-३८७]
१६
गुलाम मोहम्मद शेखक गुजराती कविता, गुजरातीसँ अंग्रेजी अनुवाद हेमांग देसाई/ माला मारवाह; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर द्वारा। [पृष्ठ- ३८८-३९४]
१७
अजय सरवैयाक गुजराती कविता, गुजरातीसँ अंग्रेजी अनुवाद हेमांग देसाई; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर द्वारा। [पृष्ठ- ३९५-४०४]
१८
गनी दहीवाला क गुजराती कविता, गुजरातीसँ अंग्रेजी अनुवाद हेमांग देसाई; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर द्वारा। [पृष्ठ- ४०५-४०६]
उड़िया खण्ड
१९
बासुदेव सुनानीक उड़िया कविता। उड़ियासँ अंग्रेजी अनुवाद सैलेन राउत्रे; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर [पृष्ठ- ४०८-४१६]
२०
मूल उड़िया भरत माँझी (ओड़ियासँ अंग्रेजी अनुवाद सैलेन राउत्रे आ अंग्रेजीसँ मैथिली गजेन्द्र ठाकुर द्वारा) [पृष्ठ- ४१७-४१८]

२१
इप्सिता सारंगीक उड़िया कविता। उड़ियासँ अंग्रेजी अनुवाद इप्सिता सारंगी द्वारा स्वयं; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर [पृष्ठ- ४१९-४२२]
२२
इप्सिता सारंगीक उड़िया कविता। उड़ियासँ अंग्रेजी अनुवाद हरेकृष्ण दास; अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद गजेन्द्र ठाकुर [पृष्ठ- ४२३-४२७]
भोजपुरी खण्ड
२३
भिखारी ठाकुरक भोजपुरी कविता गीतक मैथिली अनवाद गजेन्द्र ठाकुर द्वारा [पृष्ठ- ४२९-४३०]
कश्मीरी खण्ड
२४
रहमान राहीक कविताक मैथिली अनुवाद (कश्मीरीसँ अंग्रेजी एस.एल.सन्धु, साभार भारतीय ज्ञानपीठ आ अंग्रेजीसँ मैथिली गजेन्द्र ठाकुर) [पृष्ठ- ४३२-४३४]

 

 




A PARALLEL HISTORY OF MITHILA & MAITHILI LITERATURE [TOME 1-4; VOLUMES 1-100] BY GAJENDRA THAKUR

 


A PARALLEL HISTORY OF MITHILA & MAITHILI LITERATURE [TOME 1-4; VOLUMES 1-100] BY GAJENDRA THAKUR

 

GOOGLE PLAY BOOK [TOME 1-4; VOLUMES 1-100]

AMAZON KINDLE [TOME 1-4; VOLUMES 1-100]

 

POTHI HARDBACK

POTHI TOME 1 [VOLUMES 01-25]

POTHI TOME 2 [VOLUMES 26-50]

POTHI TOME 3 [VOLUMES 51-75]

POTHI TOME 4 [VOLUMES 76-100]

 

AMAZON PAPERBACK

TOME 1 PART 1 [BOOK 1] [VOLUMES 01-12]

TOME 1 PART 2 [BOOK 2] [VOLUMES 13-25]

TOME 2 [BOOK 3] [VOLUMES 26-50]

TOME 3 [BOOK 4] [VOLUMES 51-75]

TOME 4 [BOOK 5] [VOLUMES 76-100]


Thursday, April 23, 2026

Gajendra Thakur- A Parallel History of Mithila & Maithili Literature (Part 1-100)

 


 

Contents

Tome I — Part 1 — Volumes 1 – 12

―

1.  Gajendra Thakur- A Parallel History of Mithila & Maithili Literature (Part 1-100)...................................................

2.  GANGESA UPADHYAYA...................................................

3.  THE MAITHILI GHAZAL..................................................

4.  Dalit Literary Criticism: Telugu, Gujarati, and Odia Dalit Literature in Maithili Translation..................................

5.  Dalit Literary Criticism: Telugu, Gujarati, and Odia Dalit Literature in Maithili Translation..................................

6.  Dalit Literary Criticism: Telugu, Gujarati, and Odia Dalit Literature in Maithili Translation..................................

7.  Vidyapati, the Primal Poet of Maithili (Pre-Jyotirishvara)

8.  ABHA JHA Literary Critic · Essayist..................................

9.  CRITICAL APPRECIATIONS ABHILASH THAKUR........

10.  Critical Appreciation Ajit Kumar Jha...............................

11.  A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION OF AMOD KUMAR JHA..................................................................

12.  ANAND KUMAR JHA......................................................

Tome I — Part 2 — Volumes 13 – 25

―

13.  CRITICAL APPRECIATION OF ASHISH ANCHINHAR

14.  CRITICAL APPRECIATIONS Indian & Western Literary Theory · Videha Parallel History Framework · Nav.......

15.  ARVIND THAKUR...........................................................

16.  A Critical Study of ASHOK Maithili Poet, Fiction Writer, Critic and Editor............................................................

17.  A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION OF BECHAN THAKUR........................................................

18.  PANDIT BHAVNATH JHA..............................................

19.  A COMPLETE CRITICAL ANALYSIS RAM BHAROS.....

20.  BINAY BHUSHAN: A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION............................................................

21.  The Cursed Poet: A Critical Study of Kalikant Jha 'Buch'

22.  EVER NEW DINESH KUMAR MISHRA.........................

23.  DURGANAND MANDAL.................................................

24.  The Unwritten Thesis of Harimohan Jha When the Tirhuta script and pure vocabulary are lost, the a.........

25.  CRITICAL APPRECIATION HITENDRA GUPTA (DELHI), JITENDRA KUMAR JHA ‘JEETU’ (JANAKPUR), NAVENDU KUMAR JHA (PATNA)......

Tome II — Chapters 26 – 50

―

26.  CRITICAL APPRECIATION HITNATH JHA..................

27.  COMPLETE CRITICAL APPRECIATION HRIDAY NARAYAN JHA..............................................................

28.  Mithila & Maithili: Critical Analysis of Institutions........

29.  A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION OF JAGDANAND JHA 'MANU'..........................................

30.  A Critical Study of the Works of JAGDISH CHANDRA THAKUR 'ANIL'.............................................................

31.  A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION OF JAGDISH PRASAD MANDAL.......................................

32.  DR. KAILASH KUMAR MISHRA....................................

33.  CRITICAL APPRECIATION OF THE WORKS OF KALPANA JHA, DELHI................................................

34.  COMPLETE CRITICAL APPRECIATION OF THE WORKS OF KALPANA JHA, PATNA............................

35.  KAMESHWAR JHA 'KAMAL'..........................................

36.  CRITICAL APPRECIATION OF THE WORKS OF Dr. Kamini Kamayini & Kapileshwar Raut..........................

37.  Kedar Nath Chaudhary.....................................................

38.  A Complete Critical Research Report on the Works of....

39.  CRITICAL APPRECIATION OF THE WORKS OF DR KISHAN KARIGAR........................................................

40.  KUMAR PAWAN.............................................................

41.  LĀL DEV KĀMAT.............................................................

42.  A COMPLETE CRITICAL RESEARCH & of the Works of....................................................................................

43.  LAXMAN JHA 'SAGAR' AND SHAIL JHA 'SAGAR'.......

44.  DR. PRAFULLA KUMAR SINGH 'MAUN'......................

45.  A Parallel History of Mithila & Maithili Literature Meena Jha......................................................................

46.  MUNNAJI : A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION

47.  MUNNI KAMAT...............................................................

48.  A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION OF NABO NARAYAN MISHRA......................................................

49.  A Complete Research & Critical Appreciation of the Works of PROF. UDAYA NARAYANA SINGH..............

50.  A Complete Critical Research & Appreciation of the Works of.........................................................................

Tome III — Chapters 51 – 75

―

51.  A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION OF NAND VILAS ROY.....................................................................

52.  NARAYANJI CHAUDHARY............................................

53.  NARENDRA JHA & PANNA JHA...................................

54.  A Critical Compendium of Nine Contemporary Maithili Voices.............................................................................

55.  THREE VOICES OF THE MAITHILI GHAZAL..............

56.  COMPLETE CRITICAL APPRECIATION PRADEEP PUSHPA.........................................................................

57.  A COMPLETE CRITICAL RESEARCH & CRITICAL APPRECIATION of the Works of PREETI THAKUR....

58.  RESEARCH & CRITICAL APPRECIATION of the Works of.........................................................................

59.  A Critical Study of the Works of RABINDRA NARAYAN MISHRA.........................................................................

60.  A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION OF RAJDEO MANDAL........................................................

61.  Rajnandan Lal Das...........................................................

62.  CRITICAL APPRECIATIONS Indian & Western Literary Theory · Videha Parallel History Framework · Nav.................................................................................

63.  ACHARYA RAMANAND MANDAL.................................

64.  CRITICAL APPRECIATION OF Prof. Dr. Ramawatar Yadav..............................................................................

65.  A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION OF RAMDEO PRASAD MANDAL 'JHARUDAR'................

66.  RAMESH A Complete Research and Critical Appreciation of Works in Maithili Literature................

67.  A COMPLETE CRITICAL RESEARCH AND APPRECIATION OF WORKS OF..................................

68.  Original poem in Maithili. Translated into English by Gajendra Thakur............................................................

69.  The Rudrapur Recensions: Pandit Ramji Chaudhary and the Parallel Histories of Maithil Devotion..............

70.  I. BIOGRAPHICAL PROFILE..........................................

71.  RAM VILAS SAHU: A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION............................................................

72.  RESEARCH & CRITICAL APPRECIATION of the Works of.........................................................................

73.  Ravindra Nath Thakur.....................................................

74.  Phanishwar Nath Renu....................................................

75.  A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION OF SANDEEP KUMAR SAFI...............................................

Tome IV — Chapters 76 – 100

―

76.  Contemporary Mithila Artists.........................................................................................

77.  RESEARCH & CRITICAL APPRECIATION of the Works of.........................................

78.  A Complete Critical Research & Appreciation of the Works of......................................

79.  CRITICAL APPRECIATION OF THE WORKS OF DR. SHAMBHU KUMAR SINGH.

80.  A PARALLEL HISTORY OF MAITHILI LITERATURE SHANTI LAKSHMI CHAUDHARY & RAJEEV RANJAN MISHRA........................................................

81.  Shardindu Chaudhary......................................................................................................

82.  CRITICAL APPRECIATION Dr. Shiv Kumar Prasad.....................................................

83.  Preface: The Momentary Flash That Illuminates...........................................................

84.  CRITICAL APPRECIATIONS Indian & Western Literary Theory · Videha Parallel History Framework · Nav..........................................................................................

85.  A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION OF SHIVSHANKAR SRINIWAS.............

86.  Nit Naval Subhash Chandra Yadav.................................................................................

87.  A COMPLETE CRITICAL RESEARCH AND APPRECIATION OF THE WORKS OF SUJIT KUMAR JHA..................................................................................................

88.  EVER NEW SUSHIL.......................................................................................................

89.  Beyond the Rhetoric: The Fractured Voice of Taranand Viyogi....................................

90.  Preface: The Act of Naming the Unnamed.....................................................................

91.  A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION OF UMESH PASWAN..............................

92.  VOICES FROM MITHILA...............................................................................................

93.  VIDEHA ISSUES 351-438...............................................................................................

94.  The Videha Parallel Audio Video Archive: Digital Remediation, Subaltern Historiography, and the R........................................................................................

95.  The Videha Maithili Parallel Drama Theatre: A Critical Historiography and Epistemological Analysis..........................................................................................

96.  The Epistemology of Parallelism: A Comprehensive Research Report on the Videha (Issue 1-350) Sade.....................................................................................................

97.  VINEET UTPAL: A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION......................................

98.  A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION OF YOGANAND JHA, KAMLA CHAUDHARY. 99.  A COMPLETE CRITICAL APPRECIATION OF YOGENDRA PATHAK VIYOGI......................................................................................................

100.  CRITICAL APPRECIATION PROF. DR. YOGENDRA P. YADAVA............................

Sunday, April 19, 2026

Monday, July 7, 2025

Help Alexa Learn Maithili

 Helping Alexa Learn Maithili: 

  • Cleo Skill: Amazon has a skill called "Cleo" that allows users to teach Alexa local Indian languages, including Maithili. 
  • Enable Cleo: Go to the "Skills" section in your Alexa app, find the Cleo skill, and enable it. 
  • Teach Alexa: Follow Cleo's prompts and respond to her English questions in Maithili. 
  • Provide Feedback: Your interactions will help Alexa learn Maithili pronunciation, vocabulary, and even cultural references. 
  • Stop Cleo: When you want to stop the teaching session, say "Alexa, stop". 

Videha WhatsApp channel

https://www.whatsapp.com/channel/0029VaNyM6R5q08ZPuSPxN0U?fbclid=IwY2xjawLWMqxleHRuA2FlbQIxMQBicmlkETBvSzRmNFZjZmxabHhqNWUwAR4qgVqCb10hymHdTdHX-bXBzJ5ieo3txWWjnAucfoQJx_LGvWg6INQyqt0ZqA_aem_mfrvvhgOHKmTq2-jRvzRfw

 Videha WhatsApp Channel

 

मैथिली AI

 https://gemini.google.com/

Google Gemini now includes Maithili.

https://chat.deepseek.com

Deepseek now includes Maithili.

https://grok.com

Grok now includes Maithili.

https://chatgpt.com

ChatGPT now includes Maithili.

https://www.meta.ai

Meta AI now includes Maithili.

https://copilot.microsoft.com/

Copilot now includes Maithili.

Sunday, September 22, 2024

गजेन्द्र ठाकुर- नूतन अंक [विदेह ४०२ म अंक १५ सितम्बर २०२४ (वर्ष १७ मास २०१ अंक ४०२)] सम्पादकीय

 गजेन्द्र ठाकुर- नूतन अंक [विदेह ४०२ म अंक १५ सितम्बर २०२४ (वर्ष १७ मास २०१ अंक ४०२)] सम्पादकीय

१


११८ म सगर राति दीप जरय २१ सितम्बर २०२४, फुलपरास अनुमण्डलक रतनसारा गामक उत्क्रमित मध्यविद्यालय परिसर, (बलान-तिलयुगा-बिहुल कथागोष्ठी)मे २२ सितम्बरक भोरमे सम्पन्न भेल। संयोजक आयोजक रहथि राजीव कुमार, दुर्गानन्द मण्डल आ शिव कुमार राय। ११९म सगर राति दीप जरय दिसम्बर २०२४ मासमे श्री गोसाँइ मण्डलक संयोजकत्वमे सहरसामे हएत।


हँ ८-१० गोटे साहित्य अकादेमी द्वारा घोषित लिटेरेरी एसोसियेशन, चेतना समितिमे ११९म कथा गोष्ठी कऽ लेलनि, एकटा बेसिये संख्या आ से उचिते, अस्सी-अस्सी हाथक साहित्यकार सभ छथि, ऐ बीच मे मारिते रास कथा गोष्ठी केने छथि, से १२९ म नम्बर सेहो राखि सकै छला। आ अगिला गोष्ठी दिल्ली नै लऽ जा कऽ गौहाटी लऽ गेला कारण रहल विदेहक अंक ३९७ क सम्पादकीय। आब गौहाटीसँ दिल्ली जायत हुनकर सभक गोष्ठी, २-४ गोटे गौहाटी आ दिल्ली मे सेहो जुटिये जाइ जेता। साहित्य अकादेमी आ ओकर कथित लिटेरेरी एसोसियेशन सभ अपनाकेँ हँसीक पात्र बनबिते रहै छथि, खएर। रचनाकार अशोक भिन-भिनाउजक गप केलन्हि जे आब सगर राति दीप जरय केँ ओपन कऽ देल जाय, जेना विद्यापति पर्व ओपेन अछि सभक लेल। साहित्य अकादेमी द्वारा घोषित लिटेरेरी एसोसियेशन, चेतना समितिक ओना मुख्य काज विद्यापति पर्वे छै से ओकर मंचपर ई घोषणा उचिते छल। मुदा संयुक्त परिवारसँ फराक भऽ असगर कथा गोष्ठी करेबाक कारण कनी अनछज्जल लागल। ओ कहलन्हि जे कथा गोष्ठी रैलीक बौस्तु नै अछि, ऐ मे क्वालिटी तखने आओत जखन नीक समीक्षा हएत आ स्तर बढ़त, मुदा रमानन्द झा रमण अपन आलेख सभमे सुखायल मुख्य धारा द्वारा आयोजित पुरनका सगर राति दीप जरय मे कथित मुख्य धाराक कथाकार द्वारा समालोचना नै सहबाक गप चिकरि-चिकरि कऽ केने छथि, आ जँ क्वालिटी बढ़ल रहितै तँ कथित मुख्यधाराक कथा सभ पीअर कपीश आ सुखायल नै रहितै। खएर.. भिन-भिनाउजक बाद ओपेन युगक पहिल कथा गोष्ठी साहित्य अकादेमीक लिटेरेरी एसोसियेशनक दफ्तरमे ओ सभ शुरु कइये देलन्हि तँ शुभकामना, आ भिन-भिनाउजक बादक दोसर आ तेसर गोष्ठी जे गौहाटी आ दिल्लीमे होइबला अछि तइ लेल सेहो अग्रिम शुभकामना भने ओकर नम्बर १२० आ १२१ ओ सभ राखथु बा नै। क्वालटी बढ़न्हि आ साहित्य अकादेमीक मैथिली प्रभागक प्रकाशन सभमे आगाँ क्वालिटी आबय आ ओकर अनुवाद सभ आगाँ हँसीक पात्र नै बनय तहू लेल शुभकामना कारण ऐ साहित्य अकादेमीक असाइनमेण्टजीवी कथाकार/ कवि/ शोधकर्ता सभ अपनाकेँ मैथिलीक प्रतिनिधि साहित्यकार कहै छथि आ तकर स्तर ततेक निम्न होइ छै जे हमरा सभकेँ की-की नै सुनऽ पड़ैए। ओना अन्तर्जालसँ आब ई तँ भेलैए जे आन भाषा-भाषी ई धरि बूझ गेलैए जे मैथिलीक सुखायल मुख्यधाराक साहित्य आब मिशेल फोको परिभाषित  "अनुशासन संस्था" जेना साहित्य अकादेमी आदिपर मात्र निर्भर अछि, मुदा से प्रतिनिधि मैथिली साहित्य नै छिऐ।


२


साहित्य अकादेमीक मैथिली प्रभागक एकटा आर काण्ड


१९२३ आ १९२४ मे मात्र तीनटा नीक साहित्यकारक जन्म भेल रहन्हि, रामकृष्ण झा किसुन, अणिमा सिंह आ प्रबोध नारायण सिंह। साहित्य अकादेमी नीक आयोजन कऽ रहल अछि, वएह दस टा लोक जे भिन भिनाउजक बादक कथा गोष्ठीक समर्थक छथि, अहूमे शोधपूर्ण पेपर सभ पढ़ता। तँ की चारू दिस अन्हार अछि? नै, ऐ लिस्टमे ओही इलाकाक अरविन्द ठाकुर छथि जे बारल छथि, से रीढ़क हड्डी बला साहित्यकारक बनब बन्न नै भेल छै।


गोविन्द झा १९२३, योगानन्द झा १९२३, उमानाथ झा १९२३, जटाशंकर दास १९२३, राजेश्वर झा १९२३, पोद्दार रामावतार अरुण १९२३, मदनेश्वर मिश्र १९२४, अमोघ नारायण झा "अमोघ" १९२४, मतिनाथ मिश्र मतंग १९२४, आनन्द मिश्र १९२४, ई लोकनि सेहो १९२३ आ १९२४ मे जन्म लेने छलाह। डॉ. सर आशुतोष मुखर्जी १९२४ मे आ म. म. परमेश्वर झा सेहो १९२४ मे मृत भेला,  जहिया हिनकर सभक बच्चा साहित्य अकादेमीक मैथिली प्रभागक अध्यक्ष नचिकेता जी सन बनतन्हि बा केदार कानन जी सन रामदेव झा, चन्द्रनाथ मिश्र अमर आ नचिकेता सन सभक प्रिय हेतन्हि तँ हिनको सभक शतवार्षिकी जयन्ती/ पुण्यतिथि मनाओल जेतन्हि आ फेर सम्मेलन/ सेमीनार साहित्य अकादेमी आयोजित करबे करत, ऐ मे अतेक हरबड़ेबाक कोन गप।


नीचाँ उपरका दुनू विषय पर विदेहक दूटा पुरान सम्पादकीय सेहो देल जा रहल अछि।


विदेह अंक ३६८ क सम्पादकीय


दिल्ली साहित्य अकादमीक प्रख्यात मैथिली विभाग परामर्शदात्री समिति (२०२३-२०२८)


१० मे ६ ब्राह्मण + १ नव-ब्राह्मणवादी आ समानान्तर धाराक एक्कोटा गएर-सवर्ण लेखक नहि छथि, जे गत १५ बर्ख सऽ सीमित आर्थिक संसाधनक अछैत मैथिली लेल जान-प्राण अरोपने छथि। नचिकेता जीक ई परामर्शदात्री समिति एलिट अछि, आ ई अगड़ा-पिछड़ा दुनूक एलिट लेल काज करत, साहित्यमे जे एलिट छथि से कतिआयले रहता, राजदेव मण्डल जीक रचना जूरी बाड़ने छथि से बाड़ले रहत। समानान्तर धाराक साहित्तकार लोकनि लेल ई खतराक अलार्म अछि आ से हुनका दुन्ना काज करय पड़तनि।


लिस्टः


उषाकिरण खान (मृत भेलाक बाद आब नीता झा*), सुभाषचन्द्र यादव, प्रमोद कुमार झा, देवशंकर नवीन, तारानन्द वियोगी, विद्यानन्द झा, रमण कुमार सिंह, अजय झा, वीणा ठाकुर, नचिकेता।


*कोष्ठकक विवरण अद्यतन अवस्था अछि।


विदेह अंक ३९७ क सम्पादकीय


११७ म सगर राति दीप जरय, दरभंगा (आयोजक हीरेन्द्र झा आ अशोक कुमार मेहता)


साहित्य अकादेमीक मैथिली परामर्शदातृ समितिक अध्यक्ष (आब भूतपूर्व) अशोक अविचलक दृष्टि सगर राति दीप जरय पर पड़ल आ ओकरा गिड़बाक प्रयासमे हीरेन्द्र झा केर ब्लैकमेलिंग केर शिकार ओ सहर्ष भेला आ टैगोरक १५० म जयन्ती वर्षक साहित्य अकादेमीक कार्यक्रम जे दिल्लीक एकटा संस्था करबेने रहय केर गिनती सेहो करैत नम्बरमे हेरफेर करबाक अपराध केलन्हि, जकरा ओ चलाकी बुझैत छथि। मैथिली परामर्शदातृ समितिक अध्यक्ष बनलाक बाद लोकमे ऐ तरहक प्रवृत्ति देखल गेल छै, जकर शिकार रामदेव झा भेला, जे शोधक लेल ख्यात रहथि; चन्द्रनाथ मिश्र अमर भेला, जिनकर पहिल फेजक आन्दोलनी योगदान झँपा गेलन्हि, आब नचिकेतापर ई ग्रहण लागल छन्हि। हीरेन्द्र झा ऐ लगा तेसर बेर ई कुकृत्य केलन्हि अछि, जइमे ऐ बेर कमल मोहन झा आकि मिश्र चुन्नू सेहो हुनकर संग देलखिन्ह। हँ सह-सहयोजक अशोक कुमार मेहता मुदा ऐ कुकृत्यमे हुनकर संग नै देलखिन्ह।


भेलै की?


पूर्व नियोजित षडयंत्र जइमे अशोक अविचलक योगदान ऊपर कहल गेल अछि, मे हीरेन्द्र झा केँ सगर राति दीप जरय केर सह-आयोजक बनाओल गेल (स्पष्ट रूपसँ कहि देल गेलन्हि जे नम्बरमे हेरफेर नै करता), फेर कमल मोहन झा आकि मिश्र चुन्नूकेँ तैयार राखल गेल। मुदा सभ चोरिमे एकटा निशान छुटिते छै। अध्यक्ष महोदय बिना कोनो प्रस्ताव एने धड़फड़ीमे बाजि देलखिन्ह जे अगिला गोष्ठी पटना आ तकर अगिला दिल्ली (जतऽ साहित्य अकादेमीक मुख्यालय अछि) मे हएत, आ फेर गप सम्हारलखिन्ह जे से तकर निर्णय (दिल्लीक) पटनामे कएल जायत। कमल मोहन झा आकि मिश्र चुन्नू तैयारे-तैयार रहथि, फटाकसँ चोरिक रजिस्टर आ दीप लेलन्हि हीरेन्द्र झा सँ आ निर्ललज्जापूर्वक हँसबाक प्रयास करैत (मुदा हँसी तँ छोड़ू हास्यक पात्र लगै छथि) फोटो घिचबेलन्हि।


प्रतिकार की हुअय?


ई ऐ लगा हीरेन्द्र झा केर तेसर गलती अछि से हुनका तीन सगर राति लेल बैन कएल जाय, कमल मोहन झा आकि मिश्र चुन्नूक ई पहिल गलती अछि से हुनका एक सगर राति लेल बैन कएल जाय। उपस्थित लोकक बहु-संख्या ११८ म सगर रातिक आयोजक ताकथि। अगिला सगर रातिक नम्बर ११८ रहय आ तकर प्रचार हुअय, जइसँ साहित्य अकादेमीक मैथिली परामर्शदातृ समितिक अध्यक्ष ई कुकर्म करबाक विषयमे सोचितो डराथि।


नव साहित्य अकादेमीक मैथिली परामर्शदातृ समितिक अध्यक्ष आ सदस्य लोकनिक कुकृत्य


नव साहित्य अकादेमीक मैथिली परामर्शदातृ समिति अपन प्रचारमे पुरना समितिक लेल ई श्लोक पढ़लन्हि:


यदा यदा हि धर्मस्य ग्लानिर्भवति भारत।


अभुत्थानमधर्मस्य तदात्मानं सृजाम्यहम्॥४.७


(श्रीमदभागवदगीता)


जखन-जखन धर्मक नाश आ अधर्मक उत्थान प्रारम्भ हएत हे भरत, तखन-तखन हम आयब (शरीर धारण करब)। आ से ततेक अधर्म भेलै जे नचिकेता आ हुनकर टीम अवतार लेलक।


आ केलक की?


मासो नै बितलै पहिल बैसकीमे मोनोग्राफ, अनुवाद आदिक बँटवारा भेलै आ टीमक सदस्य सभ अपनेमे सभटा असाइनमेण्ट बाँटि लइ गेल, अपना-अपनी आ लगुआ-भगुआमे, नचिकेताजी देखैत रहि गेला, वरन सहयोगे केलखिन्ह। समानान्तर धाराकेँ स्कोर पहिनहियो शून्य रहै, अवतारी पुरुष सभ तकरा शून्ये रखलन्हि।


पुरस्कारक राजनीति


नारायणजी दाड़िमक बदला अनार लिखलन्हि आ बाल साहित्यकार ओ छथि नै, पुरस्कार लेल बाल साहित्य लिखलन्हि। मुन्नी कामतक चुक्का विदेह पेटारमे उपलब्ध अछि, नारायणजी ओइ पोथीकेँ पढ़थु आ निर्णय लेथु जे की ओइ पोथीक सोझाँमे हुनकर पोथी ठठै छन्हि। आ जँ अन्तरात्मामा नै छन्हि तँ हीरेन्द्र झा/ कमल मोहन झा आकि मिश्र चुन्नू सन निर्लज्जतासँ पुरस्कार लेथु, हमर अग्रिम शुभकामना। आ जँ अन्तरात्मा नै मानै छन्हि तँ दलदलसँ बाहर आबथु। [विदेह अंक ३९७ सम्पादकीय]


[मिशेल फोको (Foucault)क "अनुशासन संस्था" बा मनोवैज्ञानिक बार्टन आ ह्वाइटहेडक "गैसलाइटिंग" दुनूक लक्ष्य एक्के छै। मिशेल फोकोक "अनुशासन संस्था" अछि, सोझाँबलाकेँ अनुशासनमे आनू आ तइ लेल सभकेँ आपसेमे लड़ाउ, किछुकेँ पुरस्कृत करू आ जे अनुशासनमे नै अबैए तकरा आस्ते-आस्ते माहुर दियौ। गैसलाइटिंगमे सोझाँबला केँ विश्वास दिआओल जाइत अछि जे अहाँ जे यथास्थितिक विरोध कऽ रहल छी से कोनो विरोध नै, ई तँ सभ कऽ रहल अछि, अहाँ तँ विरोधक नामपर विरोध कऽ रहल छी आ से अपन कमी नुकेबा लेल। ऐमे समाजमे वर्तमान आधारभूत कमीक सहायता सेहो लेल जाइत अछि, आ आस्ते-आस्ते टारगेट बताह भऽ जाइत अछि बा पलायन कऽ जाइत अछि।


मिशेल फोकोक सभटा डिसीप्लिनरी इंस्टीट्यूशन "अनुशासन संस्था" जेना साहित्य अकादेमी, मैथिली अकादमी, मैथिली भोजपुरी अकादमी, आ साहित्य अकादेमी द्वारा मान्यता प्राप्त कथित लिटेरेरी असोसियेशन सभ मूल धारा लग छै। सगर राति दीप जरय केँ मिशेल फोकोक परिभाषित डिसीप्लिनरी इंस्टीट्यूशनमे अनबाक प्रयास बहुत दिनसँ कएल जा रहल छै।

११८ म सगर राति दीप जरय २१ सितम्बर २०२४, फुलपरास अनुमण्डलक रतनसारा गामक उत्क्रमित मध्यविद्यालय परिसर, बलान-तिलयुगा-बिहुल कथागोष्ठी; राजीव कुमार, दुर्गानन्द मण्डल आ शिव कुमार राय। ११९म सगर राति दीप जरय- दिसम्बर २०२४ मासमे श्री गोसाँइ मण्डलक संयोजकत्वमे सहरसामे हएत।

सगर राति दीप जरय पहिल सँ ११८ धरिक कथा यात्रा १. मुजफ्फरपुर, २१.०१.१९९०, प्रभास कुमार चौधरी; २. डेओढ़, २९.०४.१९९०, जीवकान्त; ३. दरभंगा, ०७.०७.१९९०, डॉ. भीमनाथ झा, प्रदीप मैथिली पुत्र, विजयकान्त ठाकुर; ४. पटना, ३.११.१९९०, गोविन्द झा, दमनकान्त झा; ५. बेगुसराय, १३.०१.१९९१, प्रदीप बिहारी; ६. कटिहार, २२.०४.१९९१, अशोक; ७. नवानी, २१.०७.१९९१, मोहन भारद्वाज; ८. सकरी, २२.१०.१९९१, प्रो. सुरेश्वर झा, डॉ. राम बाबू; ९. नेहरा, ११.१०.१९९२, ए.सी. दीपक; १०. विराटनगर, १४.०४.१९९२, जीतेन्द्र जीत; ११. वाराणसी, १८.०७.१९९२, प्रभास कुमार चौधरी; १२. पटना, १९.१०.१९९२, राजमोहन झा; १३. सुपौल- १, १८.१०.१९९३, केदार कानन; १४. बोकारो, २४.०४.१९९३, बुद्धिनाथ झा; १५. पैटघाट, १०.०७.१९९३, डॉ. रमानन्द झा 'रमण' ; १६. जनकपुर, ०९.१०.१९९४, रमेश रंजन; १७. इसहपुर, ०६.०२.१९९४, डॉ. अरविन्द कुमार 'अक्कू'; १८. सरहद, २३.०४.१९९४, अमिय कुमार झा; १९. झंझारपुर, ०९.०७.१९९४, श्यामानन्द चौधरी; २०. घोघरडीहा, २२.१०.१९९४, डॉ. नारायणजी; २१. बहेरा, २१.०१.१९९५, कमलेश झा; २२. सुपौल (दरभंगा) , ०८.०४.१९९५, कमलेश झा; २३. काठमांडू, २३.०९.१९९५, धीरेन्द्र प्रेमर्षि; २४. राजविराज, २४.०१.१९९६, रामनारायण देव; २५. कोलकाता (रजत जयंती, २८.१२.१९९६), प्रभास कुमार चौधरी; २६. महिषी, १३.०४.१९९७, डॉ. तारानन्द वियोगी/ रमेश प्रायोजित; २७. तरौनी, २०.०६.१९९७, शोभाकान्त; २८. पटना, १८.०७.१९९७, प्रभास कुमार चौधरी; २९. बेगूसराय, १३.०९.१९९७, प्रदीप बिहारी; ३०. खजौली, ०४.०४.१९९८, प्रदीप बिहारी; ३१. सहरसा, १८.०७.१९९८, रमेश; ३२ पटना, १०.१०.१९९८, श्याम दरिहरे; ३३. बलाइन; नागदह, ०८.०१.१९९९, पदम सम्भव; ३४. भवानीपुर, १०.०४.१९९९, डॉ. जिष्णु दत्त मिश्र; ३५. मधुबनी, २४.०७.१९९९, सियाराम झा 'सरस', डॉ. कुलधारी सिंह; ३६. अन्दौली, २०.१०.१९९९, कमलेश झा; ३७. जनकपुर, २५.०३.२०००, रमेश रंजन; ३८. काठमांडू, २५.०६.२०००, धीरेन्द्र प्रेमर्षि; ३९. धनबाद, २१.१०.२०००, श्याम दरिहरे एवं रामचन्द्र लालदास; ४०. बिटठो, २१.०१.२००१, डॉ. अक्कू, प्रो.विद्यानन्द झा; ४१. हटनी (घोघरडीहा), १९.०५.२००१, प्रो. योगानन्द झा/अजित कु.आजाद; ४२. बोकारो, २५.०८.२००१, गिरिजानन्द झा 'अर्धनारीश्वर', मिथिला सा. परिषद्; ४३. पटना, किरणजयंती, ०१.१२.२००१, अशोक, चेतना समिति, पटना; ४४. राँची, १३.०४.२००२, कुमार मनीष अरविन्द; ४५. भागलपुर, २४.०८.२००२, धीरेन्द्र मोहन झा; ४६. पटना, (विद्यापति भवन पटना), १६.११.२००२, अजित कुमार आजाद; ४७. कोलकाता, २२.०१.२००३, कर्णगोष्ठी, कोलकाता; ४८. खुटौना, ०७.०६.२००३, डॉ. महेन्द्र नारायण राम; ४९. बेनीपुर, २०.०९.२००३, कमलेश झा; ५०. दरभंगा, २१.०२.२००४, डॉ. अशोक कुमार मेहता; ५१. जमशेदपुर, १०.०७.२००४, डॉ. रवीन्द्र कुमार चौधरी; ५२. राँची, ०२.१०.२००४, विवेकानन्द ठाकुर ; ५३. देवघर, ०८.०१.२००५, श्याम दरिहरे एवं अविनाश; ५४. बेगूसराय, ०९.०४.२००५, प्रदीप बिहारी; ५५. पूर्णियाँ, २०.०६.२००५, रमेश; ५६. पटना, ०३.११.२००५, अजीत कुमार आजाद; ५७. जनकपुर (नेपाल) , १२.०८.२००६, रमेश रंजन; ५८. जयनगर, ०२.१२.२००६, नारायण यादव; ५९. बेगूसराय, १०.०२.२००७, प्रदीप बिहारी; ६०. सहरसा, २१.०७.२००७, किसलय कृष्ण; ६१. सुपौल-२, ०१.१२.२००७, अरविन्द ठाकुर; ६२. जमशेदपुर, ०३.०५.२००८, डॉ. रवीन्द्र कुमार चौधरी; ६३. राँची, १९.०७.२००८, कुमार मनीष अरविन्द; ६४. रहुआ संग्राम (मधुबनी), ०८.११.२००८, डॉ. अशोक अविचल; ६५. पटना, कथा गंगा-३, २१.०२.२००९, अजित कुमार आजाद/ चेतना समिति; ६६. मधुबनी, ३०.०५.२००९, दिलीप कुमार झा; ६७. समस्तीपुर, ०५.०९.२००९, रमाकान्त रय 'रमा'; ६८. सुपौल- ३, ०५.१२.२००९, अरविन्द ठाकुर; ६९. जनकपुर, ०३.०४.२०१०, राजाराम सिंह 'राठौर'; ७०. कबिलपुर (दरभंगा) , १२.०६.२०१०, डॉ. योगानन्द झा; ७१. बेरमा (झंझारपुर), ०२.१०.२०१०, जगदीश प्रसाद मण्डल, स्थानीय साहित्य प्रेमी; ७२. सुपौल, ०४.१२.२०१०, अरविन्द ठाकुर; ७३. महिषी, कथा राजकमल, ०५.०३.२०११, विजय महापात्र; ७४. हजारीबाग, १०.०९.२०११, श्याम दरिहरे; ७५. पटना, हीरक जयन्ती, १०.१२.२०११, अशोक एवं कमलमोहन 'चुन्नु'; ७६.चेन्नै, १४.०७.२०१२, विभा रानी; ७७. दरभंगा, किरण जयन्ती, ०१.१२.२०१२, अरविन्द ठाकुर ; ७८. घनश्यामपुर, ०९.०३.२०१३, कमलेश झा; ७९. औरहा (लौकही), १५.५.२०१३, उमेश पासवान; ८०. निर्मली (सुपौल), ३०.११.२०१३, उमेश मण्डल, स्थानीय साहित्य प्रेमी; ८१. देवघर, (बिजली कोठी, बम्पासटॉन, देवघर), २२.०३.२०१४, ओम प्रकाश झा; ८२. मेंहथ, (झंझारपुर), कथा बौध सिद्ध मेहथपा, ३१.०५.२०१४, गजेन्द्र ठाकुर; ८३. सखुआ-भपटियाही, ३०.०८.२०१४, नन्द विलास राय/फागुलाल साहु/सूरज नारायण राय 'सुमन'; ८४. बेरमा (मधुबनी), २०.१२.२०१४, शिवकुमार मिश्र, स्थानीय साहित्य प्रेमी; ८५. भागलपुर, (श्याम कुंज, द्वारिकापुरी भागलपुर), ०४.०४.२०१५, ओम प्रकाश झा ; ८६. लकसेना (मधुबनी), २०.०६.२०१५, राजदेव मण्डल 'रमण', सत्यदेव 'सुमन' ; ८७. निर्मली (सुपौल), १९.०९.२०१५, उमेश मण्डल, स्थानीय साहित्य प्रेमी ; ८८. मध्य विद्यालय- डखराम (बेनीपुर), ३०.०१.२०१६, कमलेश झा, अमर नाथ झा ; ८९. लौकही, २६.०३.२०१६, उमेश पासवान एवं प्रेम कुमार साहु; ९०. लक्ष्मीनियाँ (मधुबनी), १८.०६.२०१६, राम विलास साहु, स्थानीय साहित्य प्रेमी; ९१. गोधनपुर (मधुबनी) २४.९.२०१६, दुर्गानन्द मण्डल; ९२. नवानी (मधुबनी), ३१.१२.२०१६, अजय कुमार दास 'पिन्टु'; ९३. रतनसारा (घोघरडीहा), २५.०३.२०१७, राजदेव मण्डल, स्थानीय साहित्यानुरागी ; ९४. लौफा (मधेपुर), २४.०६.२०१७, डॉ. योगेन्द्र पाठक वियोगी, स्थानीय प्रेमी ; ९५. जलसैन डुमरा (मधुबनी), ०९.९.२०१७, नारायण यादव; ९६. धबौली (लोकही), १६.१२.२०१७, राधाकान्त मण्डल ; ९७. बेरमा (लखनौर), २४.३.२०१८, कपिलेश्वर राउत, बेरमा ग्रामवासी ; ९८. सिमरा (झंझारपुर), १६.६.२०१८, डॉ. शिव कुमार प्रसाद ; ९९. मुरहद्दी, (बड़की टोल), २२.९.२०१८, प्रो. प्रीतम निषाद , १००. निर्मली (तेरापंथ भवन), २२.१२. २०१८, उमेश मण्डल, नवरत्न वेंगानी, मनीष जालान ; १०१. झिटकी (मधुबनी), ३०.३.२०१९, भारत भूषण झा ; १०२. मझौरा, (मधुबनी), २९.०६.२०१९, जय प्रकाश मण्डल, आलोक कुमार; १०३. रामपुर (मधुबनी), २८.९.२०१९, उमेश नारायण कर्ण 'कल्प कवि' ; १०४. वलम नगर-महदेवा (लौकही), १४.१२.२०१९,प्रेम कुमार साहु,उमेश पासवान; १०५.दरभंगा (सीतायन सभागार), १३.०२.२०२१, कमलेश झा ; १०६. हटनी (घोघरडीहा, मधुबनी), २५.०९.२०२१, लालदेव कामत; १०७. बेलहा (फुलपरास), २५.१२.२०२१, जीवकान्तक स्मृतिमे, उमेश मण्डल, ई. शैलेन्द्र मण्डल; १०८. मधुरा (मधुबनी), २६.०३.२०२२, डॉ. श्रीशंकर झा; १०९. ननौर (मधुबनी), २५.०६.२०२२, प्रदीप पुष्प; ११०. सोनवर्षा (लौकही), २४.०९.२०२२, अच्छेलाल शास्त्री, स्थानीय साहित्य प्रेमी; १११. रहुआ संग्राम (मधुबनी) ३१.१२.२०२२, अशोक अविचल; ११२ म सगर राति दीप जरय सहुरिया (अन्धराठाढ़ी) मे २५ मार्च २०२३, रामचन्द्र राय। ११३ म सगर राति दीप जरय २४ जून २०२३ नहरी, खुटौना; सच्चिदानन्द सल्हैता, नारायण यादव। ११४ म सगर राति दीप जरय ३० सितम्बर २०२३, मधुबनी जिलाक नरहिया बाजार; राम विलास साहु आ शम्भू सुभाष साहु। ११५ म सगर राति दीप जरय ३० दिसम्बर २०२३, बेरमा गाम (मधुबनी); श्री ब्रह्मानन्द प्रसाद, श्री कपिलेश्वर राउत। ११६ म सगर राति दीप जरय २३ मार्च २०२्४, सुपौल जिलाक निर्मलीक ‘श्यामा कम्पलेक्स सह विवाह हॉल; डॉ. उमेश मण्डल आ अखिलेश कुमार चौधरी। ११७ म सगर राति दीप जरय २९ जून २०२४, एम.एम.टी.एम. कॉलेज सभागार, दरभंगा; अशोक कुमार मेहता आ हीरेन्द्र कुमार झा। ११८ म सगर राति दीप जरय २१ सितम्बर २०२४, फुलपरास अनुमण्डलक रतनसारा गामक उत्क्रमित मध्यविद्यालय परिसर, बलान-तिलयुगा-बिहुल कथागोष्ठी; राजीव कुमार, दुर्गानन्द मण्डल आ शिव कुमार राय। ११९म सगर राति दीप जरय- दिसम्बर २०२४ मासमे श्री गोसाँइ मण्डलक संयोजकत्वमे सहरसामे हएत।