Monday, April 30, 2012

जानकी नवमीपर जनकपुरमे बम विस्फोट

-आइ जानकी नवमीपर ३० अप्रैल २०१२ केँ जानकी नवमीपर जनकपुरमे बम विस्फोट भेल
-कमसँ कम पाँच गोटे मुइलाह, दू दर्जनसँ ऊपर घायल भेलाह।
-एक गोटे ठामे, तीन गोटे जनकपुर अस्पतालमे, आ एक गोटे काठमाण्डूमे जतऽ हवाइ जहाजसँ चिकित्सा लेल किछु गोटेकेँ लऽ जाएल गेल छल, मुइलाह।
-जनतांत्रिक तराइ मुक्ति मोर्चा द्वारा रामानन्द चौक, जनकपुरमे एकटा मोटरसाइकिल-बमक ई हमला संघमे मिथिला राज्य बनेबाक धरनापर कएल गेल। लगभग १५० गोटे धरनापर बैसल रहथि।
-मधेशी पार्टी सभ एक मधेशक मांग कऽ रहल अछि आ मिथिला राज्यक ऐ कारणसँ विरोध कऽ रहल अछि, जे ई मधेशी जनताकेँ तोड़बाक साजिश अछि।
मृतक-
रंजू झा, प्रचण्डसँ अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन, काठमाण्डूमे सम्मान ग्रहण करैत: चित्र साभार जितेन्द्र झा जनकपुर
मृतकमे रंजू झा, ३२ बर्ख- मिनाप (मिथिला नाट्यकला परिषद)क कलाकार, नाटक आ फिल्म अभिनेत्री; बिमल चरण, झगड़ू मण्डल आ सुरेश उपाध्याय छथि। एक गोटेक पहिचान नै भऽ सकल अछि।

2 comments:

  1. ओह !

    बहुत शोक संवाद !
    मृतक के परम शांति के लेल प्रभु सँ हार्दिक प्रार्थना !

    सशोक ,
    घनश्याम ठाकुर
    +९१-९२१२७७४७७८

    ReplyDelete
  2. ओह !

    बहुत शोक संवाद !
    मृतक के परम शांति के लेल प्रभु सँ हार्दिक प्रार्थना !

    सशोक ,
    घनश्याम ठाकुर
    +९१-९२१२७७४७७८

    ReplyDelete