Monday, March 11, 2013

घनश्‍यामपुरक कथा कमला :: पूनम मण्‍डल


‘सगर राति‍ दीप जरय’क तत्वावधानमे मैथि‍ली कथा गोष्‍ठी “कथा कमला”, मध्‍य वि‍द्यालय घनश्‍यामपुर-दरभंगामे दि‍नांक- 09 मार्च संध्‍या 6बजेसँ शुरू भऽ भि‍नसर 6 बजे धरि‍ जमल रहल। श्री कमलेश झाक संयोजकत्‍वमे ई गोष्‍ठी आयोजि‍त छल, जेकर अध्‍यक्षता श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल केलन्‍हि‍ तथा मंच संचालन डाॅ. अशोक कुमार मेहता आ दीप प्रज्‍वलि‍त केलन्‍हि‍ डॉ. रामानन्‍द झा ‘रमण'। ऐ अवसरपर श्री उमेश पासवानक लि‍खल कवि‍ता संग्रह “वर्णित रस”क लोकार्पण प्रसि‍द्ध साहि‍त्‍यकार जगदीश प्रसाद मण्‍डल, समीक्षक डॉ. रामानन्‍द झा ‘रमण’, डॉ. कमलकान्‍त झा, श्री देवकान्‍त मि‍श्र तथा श्री कमलेश झा द्वारा संयुक्‍त रूपे भेल।
अगि‍ला ‘सगर राति‍ दीप जरय’ मधुबनी जि‍लाक लौकही थाना अन्‍तर्गत औरहा गाममे श्री उमेश पासवानक संयोजकत्वमे दि‍नांक 15 जून 2013केँ मध्‍यवि‍द्यालय परि‍सरमे हएत।
ऐ गोष्‍ठीमे वि‍हनि‍ कथा, लघुकथा मि‍ला कुल 27 गोट नूतन कथाक पाठ भेल जे प्राय: 8 सत्रमे सम्‍पादि‍त भेल। प्रत्‍येक सत्रक पठि‍त कथा सभपर त्‍वरि‍त समीक्षा सेहो भेल। डॉ. शि‍व कुमार प्रसाद, केदार नाथ मि‍श्र, उमेश मण्‍डल, देवकान्‍त मि‍श्र, शशि‍बोध मि‍श्र, दुर्गानन्‍द मण्‍डल, डॉ. रमानंद झा ‘रमण’, नि‍खि‍ल कुमार, कन्‍हैयाजी, डॉ. योगानन्‍द झा, रामवि‍लास साहु, रौशन कुमार मैथि‍ल, बमशंकर राय, डॉ. अशोक मेहता, वि‍ष्‍णुदेव झा ‘वि‍कल’, कमलेश झा इत्‍यादि‍ वि‍द्वान अपन-अपन वि‍चार समीक्षा/टि‍प्‍पणीक परि‍पेक्ष्‍यमे रखलन्‍हि‍।
कथा सबहक पाठ क्रमश: ऐ तरहेँ भेल-
1.   उमेश पासवान-        “बाम-दहि‍न”
2.   रौशन कुमार मैथि‍ल-    “चरि‍त्रहीन”
3.   गौड़ी शंकर साह-       “खानदान”
4.   कमलकान्‍त झा-        “शेरू”
5.   देवकान्‍त मि‍श्र-        “अपनत्व”
6.   शशि‍कान्‍त झा-        “पानो नै खुएलौं”
7.   वि‍ष्‍णुदेव झा ‘वि‍कल’     “प्रेमक पूजा”
8.   हरि‍श्चन्‍द्र झा हरि‍-       “सि‍सकैत बुढ़ाड़ी”
9.   अखि‍लेश कुमार मण्‍डल- “दोस्‍ती”
10.  अमि‍त मि‍श्र-         “दोसर रूप”
11.  अवनि‍श मण्‍डल-       “गप्‍पक खौंइचा”
12.  नि‍खि‍ल कुमार झा-     “रौनक”
13.  पंकज सत्यम-        “स्‍वाभि‍मान”
14.  कपि‍लेश्वर राउत-      “व्‍यथा”
15.  राजाराम सि‍ंह राठौर-   “असलील बात”
16.  शंभू सौरभ-         “वापसी”
17.  नन्‍द वि‍लास राय-     “सभसँ पैघ पूजा”
18.  दुर्गा नन्‍द मण्‍डल-     “बुरबक के?”
19.  बेचन ठाकुर-         “लाइसेंस रद्द”
20.  रामवि‍लास साहु-       “जाति‍क भोज” तथा “बुजुर्गक दुख के हरतै”
21.  शि‍व कुमार मि‍श्र-      “धूर्त”
22.  उमेश मण्‍डल-        “खुट्टा उसरन”
23.  उमेश नारायण कर्ण-    “जी सरकार”
24.  शारदा नन्‍द ि‍संह-     “बुद्धि‍यार”
25.  वि‍द्याकर जी-         “महावली दुलह राउत” तथा
26. लक्ष्‍मी दास-  छातीक बीख।
कि‍छु फोटोग्राफ ि‍नम्न अछि‍-




































































































1 comment:

  1. पूनक मंडल आ प्रिंका झाजी द्वारा
    संचालित पहिल मैथिली न्यूज पोर्टल
    समदिया मे ७९म सगर राति दीप
    जरय क तत्वावधान;मे मैथिली कथा
    गोष्ठी कथा कमला शीर्षक पढि मन
    गद गद भ'अ गेल .संग -संग फोटो
    -ग्राफ देख मनक ख़ुशी केक गुणा
    आर बेसी भ'अ गेल .
    हम सबसे पहिने धन्यवाद दैत
    छिअन्ह पूनम मंडल आ प्रिंका झाजी
    के जे समदिया द्वारा अहि तरहक रिपोर्ट
    द'अ दूर देश मे मैथिली भाषिक लेल
    उपकार क'अ रहल छथि .आब हिर्दय सँ
    धन्यवाद देत छिअन्ह मैथिली क साहित्यकार
    लोकनिक जे माँ मैथिलिक सेबा मे समर्पित
    छथि .
    मनोज कुमार मंडल

    ReplyDelete