Showing posts with label जितेन्द्र झा. Show all posts
Showing posts with label जितेन्द्र झा. Show all posts

Friday, August 19, 2011

जितेन्द्र झा, जनकपुर नेपाल चिन्हएबाक अभियान

जितेन्द्र झा, जनकपुर
नेपाल चिन्हएबाक अभियान
मिथिला नाटय कला परिषद, जनकपुर तीनटा जिलामे विभिन्न ४० स्थानमे नव नेपालक निर्माणमे राजनीतिक दल आ नागरिक समाजक जिम्मेवारी बुझएबाक अभियानमे चिन्हियौ नेपाल नामक सडक नाटक मन्चन कएलक अछि ।
धनुषा, महोत्तरी आ सर्लाही जिलामे मन्चित सडक नाटकमे समाजक सभ समुदाय, वर्गके अपन उन्नति लेल जिम्मेवारी बोध हएब आवश्यक रहल बताओल गेल अछि। नव नेपालक लेल इएह कर्तब्यबोधक सन्देश दैत चिन्हियौ नेपाल नाटकके पहिल खेप सम्पन्न भेल नाटय निर्देशक रमेश रंजन बतौलनि अछि ।
कोशीक बाढि जेना जाति आ वर्ग बिना देखने अपन त्रास मचओलक तहिना कोनो राष्ट्रिय संकट सभके लेल समान रुपे चिन्ताक विषय रहल नाटकमे देखाओल गेल अछि । महेन्द्र मलंगिया लिखित आ रमेश रंजन निर्देशित इ नाटक राष्ट्रिय भावनाके मजबुत बनएबा दिश केन्द्रित अछि ।
हिंसा, आतंक,, आम जीवनक कठिनाईके जीवन्त नाटय प्रस्तुतिक माध्यमसं युवा पिढीक मनोविज्ञानके उतारबाक प्रयास कएल गेल अछि । युवामे पलायनवादी मनस्थिति आ श्रम बिना सुविधाभोगी जीवन जिबाक सपना अपराध करबालेल उक्सारहल नाटकमे देखाओल गेल अछि ।
नाटकमे सुनिल मिश्र, रमेश रंजन झा, मदन ठाकुर, राम नारायण ठाकुर, विष्णुकान्त मिश्र, परमेश झा, रविन्द्र झा, रन्जु झा, प्रियंका झा, गंगाकान्त झा, राम अशिष ठाकुर, राम कैलाश ठाकुर अभिनय कएने अछि। (साभार विदेह: www.videha.co.in)