Showing posts with label ८६म सगर राति दीप जरय. Show all posts
Showing posts with label ८६म सगर राति दीप जरय. Show all posts

Monday, June 22, 2015

86म दीप सरग राति जरल



मधुबनी जिलाक फुलपरास अनुमण्‍डलक लकसेना गाममे 20 जून 2015 केँ 86म सगर राति दीप जरय’ (कथा-साहित्‍य गोष्‍ठी) क आयोजन उन्‍मुक्‍तक सौजन्‍यसँ श्री राजदेव मण्‍डल रमणक संयोजकत्‍वमे आयोजित भऽ सफल भेल। ऐ अवसरिपर श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डलक दूटा पोथी क्रमश: पसेनाक धरम आ मधुमाछी (लघु कथा संग्रह)क लोकार्पण भेल। अगिला गोष्‍ठी सुपौल जिला अन्‍तर्गत निर्मलीमे हएत से सर्वसम्‍मतिसँ निर्णए भेल।
फोटोक संग ब्रेकिंग न्‍यूज निम्न अछि-

संयोजक- श्री राजदेव मण्‍डल रमण
आयोजक- उन्‍मुक्‍त
उद्घाटन- डॉ. खुशीलाल मण्‍डल, डॉ. योगेन्‍द्र पाठक वियोगी’, श्री भोगेन्‍द्र यादव भाष्‍कर’, श्री कमलेश झा, श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल, श्री राजदेव मण्‍डल, डॉ. शिव कुमार प्रसाद।
दू शब्‍द- श्री कमलेश झा, श्री नन्‍द विलास राय, श्री बाल गोविन्‍द यादव गोविन्‍दाचार्य
अध्‍यक्ष मण्‍डल- श्री दुर्गानन्‍द मण्‍डल (बनरझूला), श्री भोगेन्‍द्र यादव भाष्‍कर (अवकाश प्राप्‍त शिक्षक), डॉ. शिव कुमार प्रसाद, डॉ. योगेन्‍द्र पाठक वियोगी’, श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल आ श्री कमलेश झा।
संचालन समिति- श्री दुर्गानन्‍द मण्‍डल आ उमेश मण्‍डल
पोथी लोकार्पण- श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डलक दूटा लघु कथा संग्रह क्रमश: (1) पसेनाक धरम,  (2) मधुमाछी।
पहिल पोथीक लोकार्पण कर्ता- प्रो. खुशीलाल मण्‍डल, प्रो. राम विलास राय आ डॉ.योगेन्‍द्र पाठक वियोगी
दोसर पोथीक लोकार्पण कर्ता- श्री भोगेन्‍द्र यादव भाष्‍कर’, श्री रतन कुमार रवि आ श्री कमलेश झा।
कथा पाठ-
पहिल सत्र-
(1) चोरविद्या- पल्‍लवी कुमारी
               (2) केतौ किछु होउ- लक्ष्‍मी दास 
(3) टोन- दीन बन्‍धु झा
समीक्षा- श्री कमलेश झा, डॉ. शिव कुमार प्रसाद, श्री राजदवे मण्‍डल, बाल गोविन्‍द यादव गोविन्‍दाचार्य
दोसर सत्र-
(4) भगवनान भरोष- ललन कुमार कामत
(5) सपनेमे बीति गेल जिनगी- संजीव कुमार शमा  
(6) शबनम- उमेश नारायण कर्ण  
(7) मुड़नक मुर- उमेश मण्‍डल
            समीक्षा- श्री राम विलास साहु, डॉ. योगेन्‍द्र पाठक वियोगी’, श्री शम्‍भु सौरभ’, दुर्गा नन्‍द मण्‍डल (बनरझूला)

तेसर सत्र-
(8) सस्‍ता रोबे वार-वार- डॉ. योगेन्‍द्र पाठक वियोगी
(9) गंगा सुखा गेल- डॉ. योगेन्‍द्र पाठक वियोगी
(10) गंगा नहाएब- राम विलास साहु
(11) टुटैसँ बँचि गेल- दुर्गानन्‍द मण्‍डल
            समीक्षा- श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल, श्री भोगेन्‍द्र यादव भाष्‍कर’, श्री संजीव कुमार शमा’, श्री राजदेव मण्‍डल आ उमेश मण्‍डल।

चारिम सत्र-
(12) शिक्षाक अन्‍तिम उद्देश्‍य- नन्‍द विलास राय
(13) वेस्‍तता- बेचन ठाकुर
(14) छोटू- शम्‍भु सौरभ
   समीक्षा- श्री शारदा नन्‍द सिंह, श्री कमलेश झा, श्री अजय कुमार पिण्‍टू
पाँचम सत्र-
(15) तितल बिलाड़ि- शिवकुमार मिश्र
(16) आब कहिया चेतब- कपिलेश्वर राउत
(17) लाचारी- गौड़ी शंकर साह
समीक्षा- श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल, योगेन्‍द्र पाठक वियोगी’, श्री नन्‍द विलास राय।

छठम सत्र-
(18) पहपटि- जगदीश प्रसाद मण्‍डल
(19) इजोरिया राति- जगदीश प्रसाद मण्‍डल
(20) खलिया बन्‍दूक भटाभटि- शारदा नन्‍द सिंह
समीक्षा- श्री कमलेश झा, डॉ. योगेन्‍द्र पाठक वियोगी’, डॉ. शिवकुमार प्रसाद, श्री बाल गोविन्‍द गोविन्‍दाचार्य’, श्री दुर्गा नन्‍द मण्‍डल (बनरझूला)