Since 2004 AD, First Maithili News Portal 'Samadiya'(Poonam Mandal & Priyanka Jha) पूनम मंडल आ प्रियंका झाक पहिल मैथिली न्यूज पोर्टल "समदिया", २००४ ई. सँ।
Saturday, May 19, 2012
अखिल भारतीय मिथिला संघक तत्वावधानमे आयोजित मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह २०१२ / २० मई २०१२ क प्रस्ताव (रिपोर्ट- अमरनाथ झा)
१
अखिल भारतीय मिथिला संघक तत्वावधान मे आयोजित मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह - २०१२
कार्यक्रमक रूप रेखा
२० मई २०१२, ४ बजे अपराह्न स' रात्रि १० बजे तक
मावलंकर सभागार, रफ़ी मार्ग, नई दिल्ली
४.०० बजे : मुख्य एवं विशिष्ट अतिथि सभक आगमन
४.०५ बजे : कार्यक्रम के प्रस्तावना
४.१० बजे : मंगलाचरण एवं भगवती वंदना (जय जय भैरवी.....)
४,१५ बजे : दीप प्रज्ज्वलन सभ अतिथि द्वारा
४.२१ बजे : कवि कोकिल विद्यापति के चित्र पर माल्यार्पण
४.३० बजे : स्वागताध्यक्ष द्वारा स्वागत भाषण
४.३५ बजे : महासचिवक प्रतिवेदन
४.४० बजे : भाषण- श्री हुक्र्मदेव नारायण यादव, सांसद
४.४५ बजे : भाषण- श्री कीर्ति झा आज़ाद, सांसद
४.५० बजे : भाषण - श्री महाबल मिश्र, सांसद
४.५५ बजे : भाषण - डॉ गौरी शंकर राजहंस, पूर्व सांसद एवं राजदूत
५.०० बजे : भाषण - श्रीमति मृदुला सिन्हा, पांचवां स्तम्भ
५.०५ बजे : भाषण - डॉ निशिकांत ठाकुर, दैनिक जागरण
५.१० बजे : भाषण - डॉ अनिल कुमार शर्मा, सी एम डी, आम्रपाली समूह
५.१५ बजे : भाषण - डॉ एस सी एल गुप्ता, विधायक, दिल्ली
५.२० बजे : भाषण - श्री अनिल झा, विधायक, दिल्ली
५.२५ बजे : उदघाटन भाषण - डॉ प्रभात झा, अध्यक्ष, मध्यप्रदेश बीजेपी, एवं राज्य सभा सदस्य
५. ३५ बजे: सम्मान समारोह- श्रीमति शीला दीक्षित, मुख्यमंत्री दिल्ली
६.०० बजे स' : रंगारंग कार्यक्रम
१०.०० बजे: धन्यवाद ज्ञापन
१०.०५ बजे : कार्यक्रम के समाप्ति
२
अखिल भारतीय मिथिला संघक तत्वावधान मे आयोजित
मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह - २०१२
२० मई २०१२ क प्रस्ताव
१. दिल्ली में मैथिली अकादमी के अलग/स्वतंत्र कायल जाय
२. मैथिली पत्र- पत्रिका द्वारा मिथिली साहित्यक विकास हो
३. दिल्ली विश्वविद्यालय एवं जवाहर लाल नेहरु विश्वविद्यालय मे मैथिली संभाग के स्थापना
४. बाबा नागार्जुन, स्व. भोला पासवान शास्त्री एवं अमर शहीद स्व. ललित नारायण मिश्र के नाम पर दिल्ली में सड़कक नामकरण
५. भारत सरकारक प्रत्येक मंत्रालय में मिथिली पत्र-पत्रिका के खरीद हेतु प्रावधान हो
६. दूरदर्शन एवं आकाशवाणी में मैथिली संभाग के गठन
७. भारतीय मुद्रा (करेंसी नोट) मिथिलाक्षर मे रूपया (टाका) लिखल जाय.
८. दिल्ली -जयनगर दुरंतो एक्सप्रेस ट्रेन चलोल जाय.
९. मिथिला के प्रत्येक रेलवे स्टेशन पर मिथिलाक्षर मे स्टेशन के नाम लिखल जाय.
३
आमंत्रण-पत्र
Thursday, May 17, 2012
Wednesday, May 9, 2012
Saturday, May 5, 2012
Thursday, May 3, 2012
अप्रैल २०१२ क सभसँ नीक समदिया - श्री नवेन्दु कुमार झा
विदेह सम्मान
"ऐ मासक सभसँ नीक समदिया"
अप्रैल २०१२ क सभसँ नीक समदिया - श्री नवेन्दु कुमार झा - अप्रैल २०१२ क सभसँ नीक समदिया श्री नवेन्दु कुमार झा केँ चुनल गेल छन्हि। हुनका ई सम्मान हुनकर पोस्ट http://esamaad.blogspot.in/2012/04/blog-post_389.html लेल देल गेल अछि ।
मार्च २०१२ क सभसँ नीक समदिया - श्री आशीष अनचिन्हार - मार्च २०१२ क सभसँ नीक समदिया- मार्च २०१२ क सभसँ नीक समदिया श्री आशीष अनचिन्हार केँ चुनल गेल छन्हि। हुनका ई सम्मान हुनकर पोस्ट http://esamaad.blogspot.in/2012/03/blog-post_8433.html लेल देल गेल अछि ।
"ऐ मासक सभसँ नीक समदिया"
अप्रैल २०१२ क सभसँ नीक समदिया - श्री नवेन्दु कुमार झा - अप्रैल २०१२ क सभसँ नीक समदिया श्री नवेन्दु कुमार झा केँ चुनल गेल छन्हि। हुनका ई सम्मान हुनकर पोस्ट http://esamaad.blogspot.in/2012/04/blog-post_389.html लेल देल गेल अछि ।
मार्च २०१२ क सभसँ नीक समदिया - श्री आशीष अनचिन्हार - मार्च २०१२ क सभसँ नीक समदिया- मार्च २०१२ क सभसँ नीक समदिया श्री आशीष अनचिन्हार केँ चुनल गेल छन्हि। हुनका ई सम्मान हुनकर पोस्ट http://esamaad.blogspot.in/2012/03/blog-post_8433.html लेल देल गेल अछि ।
फरबरी २०१२ क सभसँ नीक समदिया श्री सरफराज सिद्दीक पप्पू फरबरी २०१२ क सभसँ नीक समदिया- फरबरी २०१२ क सभसँ नीक समदिया श्री सरफराज सिद्दीक पप्पूकेँ चुनल गेल छन्हि। हुनका ई सम्मान हुनकर पोस्ट http://esamaad.blogspot.in/2012/02/blog-post_05.html लेल देल गेल अछि।
जनवरी २०१२ क सभसँ नीक समदिया नवेन्दु कुमार झा
जनवरी २०१२ क सभसँ नीक समदिया- नवेन्दु कुमार झा केँ चुनल गेल छन्हि। हुनका ई सम्मान हुनकर पोस्ट http://esamaad.blogspot.in/2012/01/blog-post_3943.html लेल देल गेल अछि।
दिसम्बर २०११ क सभसँ नीक समदिया राम भरोस कापड़ि भ्रमर
दिसम्बर २०११ क सभसँ नीक समदिया- राम भरोस कापड़ि भ्रमरकेँ चुनल गेल छन्हि। हुनका ई सम्मान हुनकर पोस्ट http://esamaad.blogspot.com/2011/12/blog-post_4671.html लेल देल गेल अछि।
नवम्बर २०११ क सभसँ नीक समदिया विनीत उत्पल
नवम्बर २०११ क सभसँ नीक समदिया- विनीत उत्पलकेँ चुनल गेल छन्हि। हुनका ई सम्मान हुनकर पोस्ट http://esamaad.blogspot.com/2011/11/vinit-utpals-rti-application-dated.html लेल देल गेल अछि।
अक्टूबर २०११ क सभसँ नीक समदिया एक बेर फेरसँ नवेन्दु कुमार झा
अक्टूबर २०११ क सभसँ नीक समदिया- एक बेर फेरसँ नवेन्दु कुमार झाकेँ चुनल गेल छन्हि। हुनका ई सम्मान हुनकर पोस्ट http://esamaad.blogspot.com/2011/10/blog-post_14.html लेल देल गेल अछि।
सितम्बर २०११ क सभसँ नीक समदिया-नवेन्दु कुमार झा
सितम्बर २०११ क सभसँ नीक समदिया- नवेन्दु कुमार झाकेँ चुनल गेल छन्हि। हुनका ई सम्मान हुनकर पोस्ट http://esamaad.blogspot.com/2011/09/blog-post_01.html लेल देल गेल अछि।
अगस्त २०११ क सभसँ नीक समदिया- उदय चटर्जी
अगस्त २०११ क सभसँ नीक समदिया- उदय चटर्जीकेँ चुनल गेल छन्हि। हुनका ई सम्मान हुनकर मिथिलाक विकाससँ सम्बन्धित समाद http://esamaad.blogspot.com/2011/08/blog-post_26.html लेल देल गेल छन्हि।
विदेह सम्मान
"ऐ मासक सभसँ नीक समदिया" सम्मान:-
विदेह सम्मान
-अगस्त २०११ सँ सभ मास "ऐ मासक सभसँ नीक समदिया" सम्मानक घोषणा कएल जा रहल अछि
-समदिया- पूनम मंडल आ प्रियंका झाक मैथिली न्यूज पोर्टल। विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक-सूचना-सम्पर्क-समाद पूनम मंडल आ प्रियंका झा। - द्वारा "ऐ मासक सभसँ नीक समदिया"क घोषणा सभ मास भऽ रहल अछि
- सालक अन्तमे "सर्वश्रेष्ठ मैथिली पत्रकारिता" लेल ऐ १२ टा देल सम्मानमे सँ सर्वश्रेष्ठकेँ "विदेह पत्रकारिता सम्मान" देल जाएत।
-अगस्त २०१२ मे हएत "विदेह पत्रकारिता सम्मान"क घोषणा।
विदेह सम्मान
समदिया- पूनम मंडल आ प्रियंका झाक मैथिली न्यूज पोर्टल।विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिकाISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक-सूचना-सम्पर्क-समाद पूनम मंडल आ प्रियंका झा।
अपन इलाकाक कोनो समाचार ऐ अन्तर्जाल (http://esamaad.blogspot.com/)पर देबा लेल , समाचार poonamberma@gmail.com वा priyanka.rachna.jha@gmail.com पर पठाउ वा एतए http://www.facebook.com/groups/samadiya/ फेसबुकपर राखू।
सभ मासमे "ऐ मासक सभसँ नीक समदिया" सम्मानक घोषणा कएल जाएत। सालक अन्तमे "सर्वश्रेष्ठ मैथिली पत्रकारिता" लेल ऐ १२ टा देल सम्मानमे सँ सर्वश्रेष्ठकेँ "विदेह पत्रकारिता सम्मान" देल जाएत।
विदेह सम्मान
-मैथिली नाटक/ संगीत/ कला/ मूर्तिकला/ फिल्मक समानान्तर दुनियाँक अभिलेखन आ सम्मान सेहो हएत विदेह सम्मानक घोषणा द्वारा
-ई घोषणा दिसम्बरक अन्त वा जनवरी २०१२ मे हएत
-मैथिली नाटक/ संगीत/ कला/ मूर्तिकला/ फिल्मक समानान्तर दुनियाँक अभिलेखन आ सम्मान कएल जाएत
-विदेह नाट्य उत्सव २०१२ क अवसरपर प्रदान कएल जाएत ई सम्मान।
नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानक सदस्यता (नेपाल देशक भाषा-साहित्य, दर्शन, संस्कृति आ सामाजिक विज्ञानक क्षेत्रमे सर्वोच्च सम्मान)
नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानक सदस्यता
श्री राम भरोस कापड़ि 'भ्रमर' (2010)
श्री राम दयाल राकेश (1999)
श्री योगेन्द्र प्रसाद यादव (1994)
नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान मानद सदस्यता
स्व. सुन्दर झा शास्त्री
नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान आजीवन सदस्यता
श्री योगेन्द्र प्रसाद यादव
फूलकुमारी महतो मेमोरियल ट्रष्ट काठमाण्डू, नेपालक सम्मान
फूलकुमारी महतो मैथिली साधना सम्मान २०६७ - मिथिला नाट्यकला परिषदकेँ
फूलकुमारी महतो मैथिली प्रतिभा पुरस्कार २०६७ - सप्तरी राजविराजनिवासी श्रीमती मीना ठाकुरकेँ
फूलकुमारी महतो मैथिली प्रतिभा पुरस्कार २०६७ -बुधनगर मोरङनिवासी दयानन्द दिग्पाल यदुवंशीकेँ
साहित्य अकादेमी फेलो- भारत देशक सर्वोच्च साहित्य सम्मान (मैथिली)
१९९४-नागार्जुन (स्व. श्री वैद्यनाथ मिश्र “यात्री” १९११-१९९८ ) , हिन्दी आ मैथिली कवि।
२०१०- चन्द्रनाथ मिश्र अमर (१९२५- ) - मैथिली साहित्य लेल।
साहित्य अकादेमी भाषा सम्मान ( क्लासिकल आ मध्यकालीन साहित्य आ गएर मान्यताप्राप्त भाषा लेल):-
२०००- डॉ. जयकान्त मिश्र (क्लासिकल आ मध्यकालीन साहित्य लेल।)
२००७- पं. डॉ. शशिनाथ झा (क्लासिकल आ मध्यकालीन साहित्य लेल।)
पं. श्री उमारमण मिश्र
साहित्य अकादेमी पुरस्कार- मैथिली
१९६६- यशोधर झा (मिथिला वैभव, दर्शन)
१९६८- यात्री (पत्रहीन नग्न गाछ, पद्य)
१९६९- उपेन्द्रनाथ झा “व्यास” (दू पत्र, उपन्यास)
१९७०- काशीकान्त मिश्र “मधुप” (राधा विरह, महाकाव्य)
१९७१- सुरेन्द्र झा “सुमन” (पयस्विनी, पद्य)
१९७३- ब्रजकिशोर वर्मा “मणिपद्म” (नैका बनिजारा, उपन्यास)
१९७५- गिरीन्द्र मोहन मिश्र (किछु देखल किछु सुनल, संस्मरण)
१९७६- वैद्यनाथ मल्लिक “विधु” (सीतायन, महाकाव्य)
१९७७- राजेश्वर झा (अवहट्ठ: उद्भव ओ विकास, समालोचना)
१९७८- उपेन्द्र ठाकुर “मोहन” (बाजि उठल मुरली, पद्य)
१९७९- तन्त्रनाथ झा (कृष्ण चरित, महाकाव्य)
१९८०- सुधांशु शेखर चौधरी (ई बतहा संसार, उपन्यास)
१९८१- मार्कण्डेय प्रवासी (अगस्त्यायिनी, महाकाव्य)
१९८२- लिली रे (मरीचिका, उपन्यास)
१९८३- चन्द्रनाथ मिश्र “अमर” (मैथिली पत्रकारिताक इतिहास)
१९८४- आरसी प्रसाद सिंह (सूर्यमुखी, पद्य)
१९८५- हरिमोहन झा (जीवन यात्रा, आत्मकथा)
१९८६- सुभद्र झा (नातिक पत्रक उत्तर, निबन्ध)
१९८७- उमानाथ झा (अतीत, कथा)
१९८८- मायानन्द मिश्र (मंत्रपुत्र, उपन्यास)
१९८९- काञ्चीनाथ झा “किरण” (पराशर, महाकाव्य)
१९९०- प्रभास कुमार चौधरी (प्रभासक कथा, कथा)
१९९१- रामदेव झा (पसिझैत पाथर, एकांकी)
१९९२- भीमनाथ झा (विविधा, निबन्ध)
१९९३- गोविन्द झा (सामाक पौती, कथा)
१९९४- गंगेश गुंजन (उचितवक्ता, कथा)
१९९५- जयमन्त मिश्र (कविता कुसुमांजलि, पद्य)
१९९६- राजमोहन झा (आइ काल्हि परसू, कथा संग्रह)
१९९७- कीर्ति नारायण मिश्र (ध्वस्त होइत शान्तिस्तूप, पद्य)
१९९८- जीवकान्त (तकै अछि चिड़ै, पद्य)
१९९९- साकेतानन्द (गणनायक, कथा)
२०००- रमानन्द रेणु (कतेक रास बात, पद्य)
२००१- बबुआजी झा “अज्ञात” (प्रतिज्ञा पाण्डव, महाकाव्य)
२००२- सोमदेव (सहस्रमुखी चौक पर, पद्य)
२००३- नीरजा रेणु (ऋतम्भरा, कथा)
२००४- चन्द्रभानु सिंह (शकुन्तला, महाकाव्य)
२००५- विवेकानन्द ठाकुर (चानन घन गछिया, पद्य)
२००६- विभूति आनन्द (काठ, कथा)
२००७- प्रदीप बिहारी (सरोकार, कथा)
२००८- मत्रेश्वर झा (कतेक डारि पर, आत्मकथा)
२००९- स्व.मनमोहन झा (गंगापुत्र, कथासंग्रह)
२०१०-श्रीमति उषाकिरण खान (भामती, उपन्यास)
साहित्य अकादेमी मैथिली अनुवाद पुरस्कार
१९९२- शैलेन्द्र मोहन झा (शरतचन्द्र व्यक्ति आ कलाकार-सुबोधचन्द्र सेन, अंग्रेजी)
१९९३- गोविन्द झा (नेपाली साहित्यक इतिहास- कुमार प्रधान, अंग्रेजी)
१९९४- रामदेव झा (सगाइ- राजिन्दर सिंह बेदी, उर्दू)
१९९५- सुरेन्द्र झा “सुमन” (रवीन्द्र नाटकावली- रवीन्द्रनाथ टैगोर, बांग्ला)
१९९६- फजलुर रहमान हासमी (अबुलकलाम आजाद- अब्दुलकवी देसनवी, उर्दू)
१९९७- नवीन चौधरी (माटि मंगल- शिवराम कारंत, कन्नड़)
१९९८- चन्द्रनाथ मिश्र “अमर” (परशुरामक बीछल बेरायल कथा- राजशेखर बसु, बांग्ला)
१९९९- मुरारी मधुसूदन ठाकुर (आरोग्य निकेतन- ताराशंकर बंदोपाध्याय, बांग्ला)
२०००- डॉ. अमरेश पाठक, (तमस- भीष्म साहनी, हिन्दी)
२००१- सुरेश्वर झा (अन्तरिक्षमे विस्फोट- जयन्त विष्णु नार्लीकर, मराठी)
२००२- डॉ. प्रबोध नारायण सिंह (पतझड़क स्वर- कुर्तुल ऐन हैदर, उर्दू)
२००३- उपेन्द दोषी (कथा कहिनी- मनोज दास, उड़िया)
२००४- डॉ. प्रफुल्ल कुमार सिंह “मौन” (प्रेमचन्द की कहानी-प्रेमचन्द, हिन्दी)
२००५- डॉ. योगानन्द झा (बिहारक लोककथा- पी.सी.राय चौधरी, अंग्रेजी)
२००६- राजनन्द झा (कालबेला- समरेश मजुमदार, बांग्ला)
२००७- अनन्त बिहारी लाल दास “इन्दु” (युद्ध आ योद्धा-अगम सिंह गिरि, नेपाली)
२००८- ताराकान्त झा (संरचनावाद उत्तर-संरचनावाद एवं प्राच्य काव्यशास्त्र-गोपीचन्द नारंग, उर्दू)
२००९- भालचन्द्र झा (बीछल बेरायल मराठी एकाँकी- सम्पादक सुधा जोशी आ रत्नाकर मतकरी, मराठी)
२०१०- डॉ. नित्यानन्द लाल दास ( "इग्नाइटेड माइण्ड्स" - मैथिलीमे "प्रज्वलित प्रज्ञा"- डॉ.ए.पी.जे. कलाम, अंग्रेजी)
साहित्य अकादेमी मैथिली बाल साहित्य पुरस्कार
२०१०-तारानन्द वियोगीकेँ पोथी "ई भेटल तँ की भेटल" लेल
२०११- ले.क. मायानाथ झा "जकर नारी चतुर होइ" लेल
प्रबोध सम्मान
प्रबोध सम्मान 2004- श्रीमति लिली रे (1933- )
प्रबोध सम्मान 2005- श्री महेन्द्र मलंगिया (1946- )
प्रबोध सम्मान 2006- श्री गोविन्द झा (1923- )
प्रबोध सम्मान 2007- श्री मायानन्द मिश्र (1934- )
प्रबोध सम्मान 2008- श्री मोहन भारद्वाज (1943- )
प्रबोध सम्मान 2009- श्री राजमोहन झा (1934- )
प्रबोध सम्मान 2010- श्री जीवकान्त (1936- )
प्रबोध सम्मान 2011- श्री सोमदेव (1934- )
यात्री-चेतना पुरस्कार
२००० ई.- पं.सुरेन्द्र झा “सुमन”, दरभंगा;
२००१ ई. - श्री सोमदेव, दरभंगा;
२००२ ई.- श्री महेन्द्र मलंगिया, मलंगिया;
२००३ ई.- श्री हंसराज, दरभंगा;
२००४ ई.- डॉ. श्रीमती शेफालिका वर्मा, पटना;
२००५ ई.-श्री उदय चन्द्र झा “विनोद”, रहिका, मधुबनी;
२००६ ई.-श्री गोपालजी झा गोपेश, मेंहथ, मधुबनी;
२००७ ई.-श्री आनन्द मोहन झा, भारद्वाज, नवानी, मधुबनी;
२००८ ई.-श्री मंत्रेश्वर झा, लालगंज,मधुबनी
२००९ ई.-श्री प्रेमशंकर सिंह, जोगियारा, दरभंगा
२०१० ई.- डॉ. तारानन्द वियोगी, महिषी, सहरसा
२०११ ई.- डॉ. राम भरोस कापड़ि भ्रमर (जनकपुर)
भारतीय भाषा परिषद, कोलकाता
युवा पुरस्कार (२००९-१०) गौरीनाथ (अनलकांत) केँ मैथिली लेल।
भारतीय भाषा संस्थान (सी.आइ.आइ.एल.) , मैसूर रामलोचन ठाकुर:- अनुवाद लेल भाषा-भारती सम्मान २००३-०४ (सी.आइ.आइ.एल., मैसूर) जा सकै छी, किन्तु किए जाउ- शक्ति चट्टोपाध्यायक बांग्ला कविता-संग्रहक मैथिली अनुवाद लेल प्राप्त। रमानन्द झा 'रमण':- अनुवाद लेल भाषा-भारती सम्मान २००४-०५ (सी.आइ.आइ.एल., मैसूर) छओ बिगहा आठ कट्ठा- फकीर मोहन सेनापतिक ओड़िया उपन्यासक मैथिली अनुवाद लेल प्राप्त।
विदेह सम्मान
विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी सम्मान
१.विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी फेलो पुरस्कार २०१०-११
२०१० श्री गोविन्द झा (समग्र योगदान लेल)
२०११ श्री रमानन्द रेणु (समग्र योगदान लेल)
२.विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी पुरस्कार २०११-१२
२०११ मूल पुरस्कार- श्री जगदीश प्रसाद मण्डल (गामक जिनगी, कथा संग्रह)
२०११ बाल साहित्य पुरस्कार- ले.क. मायानाथ झा (जकर नारी चतुर होइ, कथा संग्रह)
२०११ युवा पुरस्कार- आनन्द कुमार झा (कलह, नाटक)
२०१२ अनुवाद पुरस्कार- श्री रामलोचन ठाकुर- (पद्मानदीक माझी, बांग्ला- मानिक बंद्योपाध्याय, उपन्यास बांग्लासँ मैथिली अनुवाद)
नाटक, गीत, संगीत, नृत्य, मूर्तिकला, शिल्प आ चित्रकला क्षेत्रमे विदेह सम्मान २०१२ क घोषणा
अभिनय- मुख्य अभिनय ,
सुश्री शिल्पी कुमारी, उम्र- 17 पिता श्री लक्ष्मण झा
श्री शोभा कान्त महतो, उम्र- 15 पिता- श्री रामअवतार महतो,
हास्य-अभिनय
सुश्री प्रियंका कुमारी, उम्र- 16, पिता- श्री वैद्यनाथ साह
श्री दुर्गानंद ठाकुर, उम्र- 23, पिता- स्व. भरत ठाकुर
नृत्य
सुश्री सुलेखा कुमारी, उम्र- 16, पिता- श्री हरेराम यादव
श्री अमीत रंजन, उम्र- 18, पिता- नागेश्वर कामत
चित्रकला
श्री पनकलाल मण्डल, उमेर- ३५, पिता- स्व. सुन्दर मण्डल, गाम छजना
श्री रमेश कुमार भारती, उम्र- 23, पिता- श्री मोती मण्डल
संगीत (हारमोनियम)
श्री परमानन्द ठाकुर, उम्र- 30, पिता- श्री नथुनी ठाकुर
संगीत (ढोलक)
श्री बुलन राउत, उम्र- 45, पिता- स्व. चिल्टू राउत
संगीत (रसनचौकी)
श्री बहादुर राम, उम्र- 55, पिता- स्व. सरजुग राम
शिल्पी-वस्तुकला
श्री जगदीश मल्लिक,५० गाम- चनौरागंज
मूर्ति-मृत्तिका कला
श्री यदुनंदन पंडित, उम्र- 45, पिता- अशर्फी पंडित
काष्ठ-कला
श्री झमेली मुखिया,पिता स्व. मूंगालाल मुखिया, ५५, गाम- छजना
किसानी-आत्मनिर्भर संस्कृति
श्री लछमी दास, उमेर- ५०, पिता स्व. श्री फणी दास, गाम वेरमा
Monday, April 30, 2012
जानकी नवमीपर जनकपुरमे बम विस्फोट
-आइ जानकी नवमीपर ३० अप्रैल २०१२ केँ जानकी नवमीपर जनकपुरमे बम विस्फोट भेल
-कमसँ कम पाँच गोटे मुइलाह, दू दर्जनसँ ऊपर घायल भेलाह।
-एक गोटे ठामे, तीन गोटे जनकपुर अस्पतालमे, आ एक गोटे काठमाण्डूमे जतऽ हवाइ जहाजसँ चिकित्सा लेल किछु गोटेकेँ लऽ जाएल गेल छल, मुइलाह।
-जनतांत्रिक तराइ मुक्ति मोर्चा द्वारा रामानन्द चौक, जनकपुरमे एकटा मोटरसाइकिल-बमक ई हमला संघमे मिथिला राज्य बनेबाक धरनापर कएल गेल। लगभग १५० गोटे धरनापर बैसल रहथि।
-मधेशी पार्टी सभ एक मधेशक मांग कऽ रहल अछि आ मिथिला राज्यक ऐ कारणसँ विरोध कऽ रहल अछि, जे ई मधेशी जनताकेँ तोड़बाक साजिश अछि।
मृतक-
मृतकमे रंजू झा, ३२ बर्ख- मिनाप (मिथिला नाट्यकला परिषद)क कलाकार, नाटक आ फिल्म अभिनेत्री; बिमल चरण, झगड़ू मण्डल आ सुरेश उपाध्याय छथि। एक गोटेक पहिचान नै भऽ सकल अछि।
-कमसँ कम पाँच गोटे मुइलाह, दू दर्जनसँ ऊपर घायल भेलाह।
-एक गोटे ठामे, तीन गोटे जनकपुर अस्पतालमे, आ एक गोटे काठमाण्डूमे जतऽ हवाइ जहाजसँ चिकित्सा लेल किछु गोटेकेँ लऽ जाएल गेल छल, मुइलाह।
-जनतांत्रिक तराइ मुक्ति मोर्चा द्वारा रामानन्द चौक, जनकपुरमे एकटा मोटरसाइकिल-बमक ई हमला संघमे मिथिला राज्य बनेबाक धरनापर कएल गेल। लगभग १५० गोटे धरनापर बैसल रहथि।
-मधेशी पार्टी सभ एक मधेशक मांग कऽ रहल अछि आ मिथिला राज्यक ऐ कारणसँ विरोध कऽ रहल अछि, जे ई मधेशी जनताकेँ तोड़बाक साजिश अछि।
मृतक-
![]() |
| रंजू झा, प्रचण्डसँ अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन, काठमाण्डूमे सम्मान ग्रहण करैत: चित्र साभार जितेन्द्र झा जनकपुर |
Subscribe to:
Posts (Atom)


