Friday, March 27, 2009

कतेक डारिपर पुरस्कृत जितेन्द्र झा. १७ फरबरी २००९ । नयाँ दिल्ली

कतेक डारिपर पुरस्कृत


जितेन्द्र झा. १७ फरबरी २००९ । नयाँ दिल्ली
मैथिली भाषाक कतेक डारिपर संस्मरण कृतिके एहिबेरके साहित्य एकेडमी पुरस्कार 2008 देल गेल अछि । भारतक राजधानी नयाँ दिल्ली स्थित साहित्य एकेडमीद्वारा आयोजित एक समारोहमे विभिन्न 23 भारतीय भाषाक कृतिके पुरस्कृत केएल गेल अछि । साहित्य एकेडमी पुरस्कार अन्तर्गत 50 हजार भारतीय नगद आ ताम्रपत्रसं सर्जकके सम्मान कएलक । मैथिली भाषाक संस्मरण कृति कतेक डारिपरके लेखक मन्त्रेश्वर झा के इ सम्मान देल गेलन्हि । एहि पोथीमे झा अपन प्रशासनिक जीवनक अनुभव सहेजने छैथ । झा मैथिली साहित्यिक, सांस्कृतिक अभियानमे सक्रिय छैथ ।
झा मैथिली साहित्य समृद्धिक लेल पाठक संख्या बढएबापर ध्यान देल जएबाक चाही कहलनि । मन्त्रे·ार झा पटनावि·ाविद्यालयसं स्वर्ण पदक आ राजनीतिमे स्नातकोत्तर कएने छैथ । हिनक अन्चिन्हार गाम, बहसल रातिक इजोत, कांटक जंगल आ पलाश, चाही एकटा नोकर जेहन कृति प्रकाशित छन्हि । हिनक जन्म सन् 1944 मे बिहारक मधुवनी जिलामे भेल छन्हि ।
सन 1972 में झाक प्रथम कृति खाधि कविता संग्रह प्रकाशित भेल रहनि । एखनधरि हिनक 25 टा कृति प्रकाशित भ चुकल छन्हि । पुरस्कृत पोथी मैथिलीमे नव आयामक पहिल आत्म कथा मानल गेल अछि । (साभार विदेह- www.videha.co.in )

प्रतिभा - जगदीश प्रसाद मण्डल




डाॅक्टर राममनोहर लोहिया जेहने विद्वान तेहने देशभक्त रहथि। देश-प्रेमक विचार पितासँ विरासतमे भेटल रहनि। ततबे नै ओहने मस्त-मौला सेहो रहथि। सदिखन चिन्तन आ आनन्दमे जिनगी बि‍तबैत रहथि। विदेशसँ अबैकाल मद्रास बन्दरगाहपर जहाजसँ उतरलथि। कलकत्ता जेबाक छलनि। मुदा संगमे टिकटोक पाइ नै रहनि‍। बिना भाड़ा देने केना जइतथि। बंदरगाहसँ उतरि सोझे हिन्दू अखबारक कार्यालयमे जा सम्पादककेँ कहलखिन- “अहाँ पत्रिका लेल हम दूटा लेख देब।”
सम्पादक कहलकनि‍- “लाउ कहाँ अछि।”
लेख तँ लिखल छलनि नै, कहलखिन- “कागज-कलम दिअ अखने लि‍ख कऽ दइ छी।”
लोहिया जीक जबाब सुनि सम्पादक टकर-टकर मुँह देखए लगलनि। तखन डाॅक्टर लोहिया अपन वास्तविक कारण बता देलखिन। कारण बुझलाक बाद सम्पादकजी बैसबोक आ लिखबोक ओरियान कऽ देलकनि‍। किछु घंटाक उपरान्त दुनू लेख तैयार कऽ लोहियाजी दऽ देलखिन।
दुनू लेख पढ़ि सम्पादक गुम्म भऽ मने-मन हुनक प्रतिभाक प्रशंसा करए लगलखिन।
ज्ञानक महत्ता सर्वोपरि‍‍ अछि। ई बूझि एक्को क्षण व्यर्थ गमेबाक चेष्टा नै करक चाही। सदिखन अपनाकेँ नीक काजमे लगौने रहक चाही।

Sunday, March 22, 2009

जितेन्द्र झा (साल भरिक लेखा-जोखा)

जितेन्द्र झा (साल भरिक लेखा-जोखा)
मधेशी श्रमिक फ़ोरम शुक्र दिनसं नेपालमे एकमात्र रेलवे सर्विसकेँ बंद केलक अछि। ई रेलवे सर्विस नेपालमे जनकपुरसं भारतके जयनगर तक चलइत छई। मधेशी श्रमिक फ़ोरम अपन सात सूत्री मांग पूरा करय के ल क एहि रेलवे सर्विस के बंद करय के फैसला केलक अछि। गौरतलब छई जे मधेशी श्रमिक फ़ोरम रेलवे ईकाई द्वारा अपन सात सूत्री मांग के ल क पछिला 30 अक्टूबर क मुसाफ़िरखाना मे सेहो धर्ना पर बैसल छलाह संगहि महा प्रबन्धक कार्यालय घेराव कयने छलाह।
पूर्वांचल के उधोग व्यवसायी सब वर्षो स भारतक जोगवनी धरि रेलवे परिचालनक आवश्यकता महसूस करैत छलाह। हुनकर सबहक ई इच्छा अगिला मार्च महिनामे पूरा भऽ जायत जखन भारतक जोगवनी धरि ब्राडगेज रेल सेवा शुरु होयत। विराटनगर सँ जोड़ि जोगबनि धरि ब्राडगेज रेलसेवा चालू भेला के बाद आयात-निर्यात व्यापार ढोनाई खर्च सस्ता भेला सँ पूर्वांचलक उधोग व्यवसायी केँ बहुत फ़ायदा होयतन्हि।
बारा के पत्रकार बीरेन्द्र साहक अपहरण लेल गठित संसदीय छानबीन समिति अपन प्रतिवेदन सभामुख सुभाष नेबांग के सौंपि देलक अछि। प्रतिवेदनमे पत्रकारक अपहरणमे माओवादी के जिम्मेवार मानल गेल अछि। समिति अपन प्रतिवेदनमे कानूनक अनुसार दोषी पर कारवाई कराबक सिफारिश कएलक अछि। गौरतलब छई जे वृहस्पतिक राष्ट्रीय मानवाधिकार आयोग सेहो बतेने छल जे बाराक पत्रकार बिरेन्द्र साहक अपहरण नेकपा माओवादी द्वारा कैल गेल अछि।
सरकार के कहब छैक जे माओवादी द्वारा अपहरित पत्रकार बिरेन्द्र साहक अवस्थाक बारेमे किछु महत्वपूर्ण सूचना भेटल अछि मगर ओकरा तत्काल सार्वजनिक नहि कयल जायत। व्यवस्थापिका संसदक महिला समूहक बैठकमे गृह मंत्रालयक सचिव उमेश प्रसाद मैनाली कहलनि जे पत्रकार साह केँ ताकबा लेल सरकार हर संभव प्रयास कऽ रहल अछि आ अपहरणक आशंका मे चारि गोटा के पकड़ल गेल अछि। संगहि बैठकमे पेट्रोलियम पदार्थक मूल्यवृद्धिक बारेमे उधोग वाणिज्य आ आपुर्ति मंत्रालयक अधिकारी के कहब छलनि जे मूल्यवृद्धि बाध्यात्मक अवस्थामे कयल गेल। गृह और उधोग दूनू मंत्रालयक कार्यभार सम्भारिनिहार कृष्ण प्रसाद सिटौला~केँ सेहो बैठकमे बजाओल गेल छलन्हि मुदा राजनीतिक व्यस्तताक चलते ओ नहि आबि सकलाह।
अंतरिम व्यवस्थापिका संसदक विशेष अधिवेशन~केँ सकारात्मक ढंगसं संपन्न करबा लेल शीर्ष नेताक बीच विचार विमर्श चलि रहल अछि।
अंतरिम व्यवस्थापिका संसदक विशेष अधिवेषनकेँ सकारात्मक ढंगसँ संपन्न करबा लेल शीर्ष नेताक बीच विचार विमर्श संपन्ना भऽ गेल।
मोटरसाइकिल दुर्घटनामे परल पत्रकार रोशन कर्णक उपचारक क्रम मे वृहस्पति दिन भोरे पटनामे निधन भ गेल अछि। 29 वर्षीय कर्णक कार्तिक 3 गते के राति सिर्सिया मे मोटरसाइकिल दुर्घटना भऽ गेल छलनि। उपचारक लेल भारतक बिहार राज्यक सीतामढीसं पटना गेल रहथि। जनकपुरक स्थानीय एफ एम आ स्थानीय पत्रिका मे ओ काज करैत आएल रहथि। पत्रकारिता विकास प्रतिष्ठान एकटा प्रेस विज्ञप्ति प्रकाशित कऽ कय पत्रकार कर्णक असामयिक निधन प्रति शोक प्रकट कएलक अछि।

कपिलवस्तु घटनाक पीड़ित सभ अपन मांग केँ पूरा करवाबए लेल सरकार द्वारा ध्यान नहि देबाक कारणे काल्हि सँ महेन्द्र राजमार्ग बंद करबाक चेतावनी देने छथि। ओ सभ अइ घटनाक मृतककेँ शहीद घोषित करबाक. मृतकक परिवार केँ उचित क्षतिपूर्ति देबाक आ विस्थापित केँ पुर्नस्थापना आ दोषीक उपर कारवाई जेहन पाँच सूत्री माँग रखने छथि। घटनाक पीड़ित सभ असोज बारह गते~केँ सरकारकेँ पत्र लिखि अपन माँग रखने छलाह। गत भादव तीस गते~केँ अज्ञात समूह द्वारा कपिलवस्तुक मोइद खाँक हत्या कयलाक बाद ओतय भेल हिंसात्मक घटनामे दू दर्जन आदमीक जान गेल छल। घटनामे सौओ घरमे आगजनी लूटपाट आ तोड़फ़ोड़ सँ करोड़ो रुपयाक क्षति भेल छल। एखन तक हजारो लोक सभ विस्थापित भेल छथि।
बीरगंजमे वृहस्पतिकेँ भेल बम विस्फोटक जिम्मा दोश्रो जनतांत्रिक तराई मुक्ति मोर्चा लेलक अछि। दोश्रो मोर्चा के कार्यकर्ता सभ बीरगंज कुकर बम विस्फोट केलक, ई जानकारी दोश्रो मोर्चाक प्रमुख विस्फोट सिंह टेलीफोनसं जानकारी देलथि।
सर्लाही बरहथवा बजारमे सांझमे एक आदमीक गोली मारि कय घायल कऽ देल गेल। बरहथवा बजारमे किरानाक समान बेचए आओल बरहथवा वार्ड नंबर 8 घर रहल 40 वर्षीय वीरेन्द्र साह केँ बजारे~मे सांझ साढे 6 बजे गोली मारल गेल प्रहरी जनौलक अछि। घटनामे संलग्न रहल आशंकामे प्रहरी एक गोटे के पकडबाक संगहि पेस्तोल सेहो बरामद कएलक अछि। एहि तरहे बरहथवामे बितल सप्ताह तीन दिनक अंतरमे दू गोटेक हत्या भऽ चुकल अछि।
भारतीय दूतावासक सहयोगसँ पाँच महिना पहिने निर्माण भेल झापाक भद्रपुर स्थित सुविधा समपन्न प्रसुति गृह अखन तक संचालित नहि भऽ सकल अछि। करीब सत्तर लाखक लागत सँ बनल ई हास्पिटल चिकित्सक अभावमे नहि चलि रहल अछि।
पाकिस्तानक सूबा सरहदक स्वात घाटीमे चरमपंथी आ सुरक्षाबलक बीच घमासान जारी अछि। वृहस्पति केँ सेना दिस सं 70 टा चरमपंथी केँ मारय के दावा करय के बाद चरमपंथीक दिस सं दावा कएल गेल छई जे ओ 40 टा सैनिक केँ बंदी बना लेने छई। चरमपंथी किछु सुरक्षाकर्मी के मारय के बात सेहो कहलक अछि। वृहस्पतिक राति भरि स्वातक विभिन्न इलाकामे गोलीबारीक आवाज आबइत रहलई मुदा कोनो बडका कारवाई के खबरि नहि अछि। दूनू ओर सं ई कारवाई दू दिन पहिने भेल अनाधिकारिक संघर्ष विराम के बाद भेलैया।
पश्चिमी तैवानमे एकटा गैरकानूनी तरीका सँ चलि रहल पटाखा फ़ैक्ट्रीमे आगि लागि गेल जाहि सँ चारि गोटे मारल गेल आर छह लोग घायल भऽ गेल। ई धमाका हाउलोंग शहरमे भेल अछि। धमाकाक बाद छोट-छोट कै टा विस्फ़ोट भेल। धमाका सँ आसपासक बिल्डिंगक शिशा सभ सेहो टुटि गेल। ई पटाखा फ़ैक्ट्री जतय अवस्थित अछि ओतय चारु तरफ़ धानक खेत होय के कारण बचाव काजमे काफ़ी दिक्कत भऽ रहल छल। स्थानीय वासिन्दा सभ के कहब अछि जे विस्फ़ोट सँ पहिले ई फ़ैक्ट्री मे कि बनैत अछि एकर जानकारी हुनका सभ के नहि छलनि। एखन तक अहि बातक जानकारी नहि भेटल अछि जे अहि विस्फ़ोटक की कारण छल। एखन तक प्रशासन आर जाँच आयोग सँ अहि बातक जानकारी नहि भेटल अछि जे ई विस्फ़ोट स्वनियोजित तँ नहि ने छल।
ओना तँ घरमे गाए या महीषक बच्चा भेलासं ओकर पालनकर्ता व्यक्ति खुश होइत छथि। एनाहिते भैरहवामे सेहो एकटा कृषकक घर मे महीष , एकटा नहि बल्कि जुडवा बच्चा देलक मुदा दूनू बच्चा केँ पाडा रहबाक कारणे महीषक मालिक वासुदेव यादव दुखी छथि।
भैरहवा मे '' नया बेंजिग नया ओल्मपिक'' नामक चीनक फ़ोटो प्रदर्शनी शुरु भेल अछि। चीनक राजदूत चंग सियांगलिन एहि फ़ोटो प्रदर्शनीक उद्घाटन केलनि। एहि अवसर पर चीनक राजदुत कहलनि जे आदिए काल सँ चीन नेपालक हित प्रगति आ उन्नति देखय चाहैत अछि। सिद्धार्थनगर नगरपालिकाक सभाकक्षमे आयोजित एहि प्रदर्शनीमे 79 टा फ़ोटो राखल गेल अछि। प्रदर्शनीमे 2008 मे चीनक बेजिंगमे आयोजित होयवाला ओलम्पिक खेलकूद लेल ओत्तहि भऽ रहल विभिन्न गतिविधिक जानकारी फ़ोटो द्वारा देबाक प्रयास कयल गेल अछि। ई नेपाल चीन मैत्री समाज लुम्बिनी द्वारा आयोजित ई प्रदर्शनी शनि दिन धरि चलत।
प्रधानमंत्री गिरिजा प्रसाद कोइराला गणतंत्र आ समानुपातिक निर्वाचन प्रणाली के बारे मे संसद सं होबय बला निर्णय के प्रजातांत्रिक हेबाक बात कहलाह। काठमांडूमे महिला पत्रकार सभहक राष्ट्रीय सम्मेलन के संबोधित करैत प्रधानमंत्री कोइराला संसद के निर्णय के प्रजातांत्रिक प्रक्रिया द्वारा मजबूत बनेबाक विश्र्वास व्यक्त कयलाह। प्रधानमंत्री कोइराला विभिन्न क्षेत्र सं प्रेस के उपर होबय बला दमनक चर्चा करैत सरकार के अई तरहक प्रवृति नहि सहबाक बात सेहो कहलाह। ओ कहलाह जे संसद द्वारा संविधानक तिथिक घोषणा होयत।
नेकपा माओवादी के कार्यकर्ता सब नुवाकोट काँग्रेसक कार्यकर्ता के वृहस्पति दिन अपहरण केला के बाद मारि पीट के छोड़ि देलक। नुवाकोट काँग्रेसक कार्यकर्ता रामकुमार धिमिरे के माओवादी कार्यकर्ता स्थानीय विकास मंत्रालय सँ अपहरण कएने छल। रामकुमार धिमिरेक कहब छैक जे नुवाकोट ओखरपौवा चारि के सार्वजनिक जमीन कोनो खास व्यक्त्तिक नाम पर अहि करय देबाक दुश्मनी मे हुनका पर आक्रमण कयल गेल छलन्हि। ओहि सार्वजनिक जमीन के अपना नाम पर करय चाहिनिहार राममणि धिमिरे आ माओवादी कार्यकर्ता नवराज दुंग़ाना आदि पर आरोप लगबैत ओ कहलनि जे YCL कार्यालय लऽ जा कऽ हमरा मारल -पीटल गेल। धिमिरे पर भेल माओवादीक ज्यादती के विरोधमे आई बालाजुमे प्रदर्शन कयल गेल।
नेपाली महिला उध्मी सभ द्वारा तैयार कयल गेल समान केँ बाजार भेटलाक बाद आब महिला उधमी सभ अलग सँ औधोगिक क्षेत्रमे उतरऽ के सोच बना रहल छथि। नेपाल उध्मी महासंघक नवनिर्वाचित अध्यक्ष प्रमिला रिजाल महासंघ के पन्द्रह महिना पहिले संचालन मे आनि, सार्क महिला क्राफ्ट भिजेल द्वारा महिला उध्मी सभ सेहो अंतर्राष्ट्रीय बाजारमे जा सकैत छथि एकरा प्रमाणित केली।
पैसा के अभावमे उपचारक लेल शहर नहि जा बिमारी दबेनाई अधिकांश ग्रामीणक बाध्यता अछि। मुदा आब घर आँगनमे डाक्टर के ऐला सँ ऐहन लोक सभ राहत महसूस कऽ रहल छथि। पर्वत के दुर्गम फ़लेबास खानी गाँवमे आयोजित निशुल्क स्वास्थय शिविरमे दू हजार सँ बेसी लोक उपचार करा चुकलाह।
नेपाल स्थित राष्ट्रसंघीय मिशन अनमिन प्रमुख इयान मार्टिन अनमिनक कार्य अवधि बढेबाक लेल प्रधानमंत्री समेत सम्बन्धित पक्ष संग विचार विमर्श करताह। राष्ट्रसंघीय सुरक्षा परिषद के बैठक सँ वापस अएला के बाद मार्टिन कहला जे पूस महिना के मध्यमे अनमिन के कार्यकाल खत्म भेला के बादो समया अवधि बढेबाक लेल राष्ट्रसंघीय सुरक्षा परिषद इच्छुक अछि। ओ कहलनि जे नेपाल मे शान्ति प्रक्रिया के आंगा बढेबाक लेल राष्ट्रसंघीय महासचिव बन की मून, प्रतिबद्ध छथि।
नेकपा माओवादी के भातृ संगठन YCL विघटित राजपरिषद के सदस्य द्वारिकामान सिंह प्रधान के मारी पीट कऽ अपहरण कऽ लेलक अछि। पचास-साठि के समूहमे आयल YCL कार्यकर्ता जनहित नागरिक समाजक श्यामकृष्ण मास्के के घर सँ हुनक अपहरण केलकन्हि। चैत्य स्तूप के जीर्णोद्धार करबा लेल दोलखा के भेल मीटिंग के बाद ओ मास्के के घरमे रुकि गेल छलाह। इटालियन चैत्य स्तूप नामक संस्था के सहयोग सँ दोलखा के पुरान चैत्य स्तूपक जीर्णोद्धार करबाक टोली संग दोलखा पहुँचल सिंह पर दरबारक नाम पर सामाजिक काज करबा के आरोपमे YCL हुनकर अपहरण केने अछि। YCL कार्यकर्ता द्वारा तैयार दरबारिया अपराधी के सूचिमे सिंहक नाम सब सँ उपर होयबाक कारणे पूर्व योजना के तहत हुनक अपहरण कयल गेल।
माओवादी द्वारा सिरहा मे आयोजित अनिश्चितकालीन बंद आई सं वापस ल लेल गेल अछि। अपन दू जिला स्तरीय नेता के गिरफतार केलाक विरोध मे मंसिर 4 गते सं माओवादी बंदक आहवाहन केने छल। बंदक कारणे पूर्व पश्चिम राजमार्ग के लहान खंड मे सवारी साधन के अवरूध्द भेला सं ह.जारो यात्री के भारी असुविधा भ गेल रहनि।
सिरहा मे माओवादी द्वारा अपिश्चितकालीन बंद वापस करिते रौतहट के माओवादी सेहो बंद वापस करबाक घोषणा क देलनि। आई स्थानीय प्रशासन आ माओवादी जिला कमिटि केबीच भेल सहमति के बाद बंद वापसी के घोषणा कएल गेल।
राजमार्ग आ सहायक राजमार्ग पर बंद हड़ताल नहि करबाक कानूनक बादो एकर कार्यान्वयन नहि भेला सं यातायात मजदूर नाराज छथि। हुनका सभहक द्वारा राजमार्ग मे अवरोध आ यातायात साधन पर हमला आ अगिलगी जारी रहला सं जानक खतरा पर ध्यान दियाबैत सरकार सं हस्तक्षेप करबाक मांग कएल गेल अछि।
अपराधी आ भूमिगत समूह द्वारा फोनक मार्फत चंदा के नाम पर पैसा मांगबा आ नहि देला पर जान सं मारबाक धमकी भेटलाक बादो प्रशासनक लापरवाही के विरोध मे आंदोलन पर उतरल बीरगंजक सोना चानी व्यवसायी आई टायरा जरा अपन विरोध प्रदर्शित केलनि। व्यवसायी के कहब छन्हि जे प्रशासन के बेर बेर आग्रह करेलाक बादो मामला के गंभीरता के प्रति प्रशासन के धियान नहि देला सं हमरा सबके ई कदम उठाबई पड़ल अछि।
भरदुतिया के दिन सं शुरू भेल भए बहिन के स्नेह के पाबइन के रूप मे प्रख्यात पावइन सामा चकेबा संपन्न भेल। मधेशक बहिन बेटी सब द्वारा बड़ महत्वक संग माइटक मूर्ति के आई धइर पूजा क क सामा के भंसाओल गेल। तराई के थारू समाजक महिला सब सामा पावइन के बड़ धूमधाम के संग मनाओल करै छइथ। अपन अपन गाम सं काठमांडू मे आइब क रहि रहल थारू महिला समाज आ मैथिल महिला समाज आई हटले कार्यक्रम के आयोलना क क सामा पर्व काठमांडू मे मनौलक अछि।
कार्तिक पूर्णिमा के दिन जनकपुर गंगासागर,अरगजा पोखरि दशरथ तलाउ लगायतक पोखरि सभ नेपाल आ भारतक विभिन्न स्थान सं आयल श्रध्दालु भक्तजन सभ स्नान क जानकी मंदिर, राम मंदिर, जनक मंदिर आ दर्शन आ पूजापाठ कैलथि। कार्तिक स्नान कैल सं भूतप्रेत डायन जोगैनि सं होबई बला कष्ट सं मुक्ति हेबाक विश्र्वास अछि। तहिना प्रत्येक साल जंका धनुषा आ सिरहा सीमा पर रहल कमला नदी तट पर हजारो डायन आ धामी मेला लागल छल। एहि मेला के भूत मेला के नाम सं सेहो जानल जाइत अछि। एहि बेर 10 ह.जार सं बेसी धामी सभहक सहभागिता रहल बात जनाओल गेल अछि। मेला मे नेपाल के धनुषा, महोत्तरी, सिरहा आ सर्लाही लगायत के विभिन्न जिला एवं भारत के मधुबनी आ दरभंगा जिला के धामी, डायन, जोगिन आ श्रध्दालु भक्तजन के सहभागिता रहल बात कमला मेला आयोजक समिति जनौलक अछि। आधुनिक युग मे जत कानूनी रूप मे डायन के आरोप लगौनाई अपराध मानल जाइत अछि त प्रत्येक साल लागैय बला ई मेला विज्ञान आ कानून दुनु के चुनौती बनल अछि।
कार्तिक शुक्ल षष्ठी के दिन सं जनकपुरक जानकी मंदिर के प्रांगन मे श्रीलक्ष्मी नारायण महायज्ञ पुर्णाहुति के बाद संपन्न भेल अछि। समापन के अवसर मे जनकपुर मे शोभा यात्रा मे नेपाल आ भारत के विभिन्न स्थान सं आएल साधु संत, बुध्दीजीवी एवं समाजसेवी सभहक अपार सहभागिता छलै।
झापा जिला के महिला जिनका ईलाजक लेल भारत या धरान आ विराटनगर जाए पड़ैत छलन्हि हुनक समस्या के अस्थायी समाधान भेल अछि। भद्रपुरक मेची अंचल अस्पताल मे प्रसूति डाक्टरक व्यवस्था रहलाक बादो डाक्टर उपलब्ध नहि छलथि। मुदा आब स्वास्थ्य मंत्रालय एक महीना लेल डाक्टर मिथिला शर्मा के ओहिठाम पठा क अस्थायी समाधान केलक अछि। अस्पताल मे महिला डाक्टर के एला सं प्रसूति मरीज के अस्पताल मे भीड़ शुरू भेल अछि। भारतीय दूतावास द्वारा 2 करोड़ 74 लाख रूपैया के लागत सं 25 सैया के सुविधा संपन्न भवनक निमार्णक बादो डाक्टरक अभाव मे ई अस्पताल बेहाल अछि।
चूल्हा पर भानस क अपना परिवार के खुएनाइ, अपन बाल बच्चा के पोसनाई एवं पालनाई आ अपन घरक देखभाल करैत अपन जीवन बितौनिहार अधिकांश मधेश मे रहि रहल मधेशी महिला के दिनचर्या अइछ। मुदा आब किछु दिन सं विभिन्न संघ संस्था के प्रयासक बाद, मधेशक महिला सब सेहो अपन आ अपना परिवार के बारे मे सोचबाक लेल सजग भ रहल छइथ। गाम गाम मे चलाओल जा रहल बचत समूह मे नियमित रूप मे उपस्थित हेबाक एकटा प्रमुख काज भ गेल छइन्ह हुनका सबके।
पूर्वांचल के प्रमुख व्यापारिक केन्द्र झापा के बिर्तामोड़ शहर गंदगी साफ करबा लेल स्थानीय लोक जागरूक नहि अछि आ नहिए स्थानीय निकाय सेहो क्रियाशील अछि। एहन स्थिति मे एक सामाजिक संस्था द्वारा बिर्तामोड़क साफ सफाई शुरू कएल गेल अछि।
बारा नीजगढ़ स्थित पूर्व पश्चिम राजमार्ग पर ट्रक मे बस ठोकर मारि देलक। जाहि मे बसक ड्राइवर समेत आठ गोटे घायल भ गेलाह। घायल सब मे सं बस चालक सिंधुली के तारा तामांग, हेल्पर दिपेश आचार्य आ एक टा अंजान यात्री के हालत गंभीर छन्हि। हुनकर सबहक उपचार बीरगंज के नारायण क्षेत्रीय अस्पताल मे भ रहल छन्हि।
पर्सा के सेढ़वा सं तीन ह.जार किलोग्राम गांजा सशस्त्र प्रहरी बल क्षेत्र नबंर पांचक टोली बरामद केलक अछि। चेकजांच के क्रम मे शुक्र के राति संढ़वा जाइत समय सशस्त्र के टोली के देखला के बाद गांजा लोड क रहल लोक सब भगि गेल। प्रहरी के शंका भेला पर जांचक पश्चात भारी मात्रा मे गांजा बरामद केलक। सीमा सुरक्षा बल के प्रमुख सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक कमान सिंह जानकारी देलनि जे घटनास्थल सं एक थान नलकटुवा बंदूक सेहो पड़ल छल।
भारतीय राजदूत शिवशंकर मुर्खजी दावी केलनि अछि जे तराई क्षेत्र मे भ रहल आपराधिक गतिविधि मे भारतीय समूहक कोनो संलग्नता नहि अछि। प्रधानमंत्री गिरिजा प्रसाद कोइराला द्वारा सीमा पार सं आबई बला अपराधी सब नेपाली सशस्त्र समूह संग मिल क तराई मे हिंसा मचेबाक अभिव्यक्ति देलाक तुरंते बाद भारतीय राजदूत मुखर्जी एहि तरहक वक्तव्य देलनि। दूतावास के सहयोग सं संचालित योजना सब के निरीक्षण के लेल भोजपुर पंहुचल भारतीय राजदूत तराई हिंसा मे भारतीय तत्वक संलग्नता नहि रहबाक बात कहलनि। ओ कहलनि जे नेपाल जे अखन आंतरिक समस्या के सामना क रहल अछि, ओकर सामाधान मे सरकार के सहयोग करबाक लेल भारत तत्पर अछि।
पाकिस्तान के रावलपिंडी शहर मे भेल दू टा विस्फोट मे कम सं कम 35 लोक के मारई जाए के ख़बर छई। दूनू विस्फोट सैन्य ठिकाना के निशाना बना क कएल गेलई। पहिल विस्फोट सेना के छावनी के बाहर एकटा नाका पर आत्मघाती हमलवार केलकै। एहि मे सेना के एकटा जवान मारल गेलई। दोसर विस्फोट सेना के मुख्यालय के बाहर तखन भेलई जखन सेना के कर्मचारी के ल जा रहल एकटा बस के पाछां कार ल जा क ओहि मे विस्फोट क देल गेलई। तीन महीना मे ई तेसर बेर छई जखन सेना के मुख्यालय पर हमला कएल गेल छई। एहि हमला के .जिम्मेदारी कियौ नहि लेलक अछि। अधिकारी शक .जाहिर केलक अछि जे इ हमला तालेबान समर्थक चरमपंथी केने हेतई। हुनक मानब छई जे तालेबान समर्थक सेना के ओहि कारवाई के बदला लेबई के कोशिश क रहल छई जे ओ उत्तर पश्चिमी प्रांत मे क रहल छई। हालक महीना मे पाकिस्तान मे कतेको बड़का आत्मघाती हमला भेलया। कराची मे एक टा बड़का विस्फोट मे कम सं कम 135 लोक के जान गेल रहई।
पूर्व प्रधानमंत्री नवा.ज शरीफ घोषणा केलैथ जे ओ रविवार यानी 25 नबंबर क लाहौर वापस लौटताह। नवा.ज शरीफ के राजनीतिज्ञ भाए शाहबा.ज शरीफ लंदन सं एहि ख़बर के पुष्टि केलैथ। दूनू भाए एकै संग पाकिस्तान पंहुचई बला छइथ। ओना अखन ई तय नई छई जे पाकिस्तान मुस्लिम लीग जनवरी मे होभई वला चुनाव मे हिस्सा लेताह कि नहि। गौरतलब छई जे नवा.ज शरीफ पछिला 10 नबंबर क पाकिस्तान लौटल छलाह मुदा हुनका सउदी अरब भेज देल गेल रहई। मु दा किछु दिन पहिने पाकिस्तान के सुप्रीम कोर्ट हुनका स्वदेश लौटई के अनुमति द देने रहई। 1999 मे नवा.ज शरीफ के तख्ता पलटि देल गेल रहई। आ अगिला साल हुनका पाकिस्तान सं निर्वासित क देल गेल रहई।
पूर्व प्रधानमंत्री आ नेपाली कांग्रेस के वरिष्ठ नेता शेर बहादुर देउबा गणतंत्रक मुख्य बाधक हेबाक आरोप नेकपा माओवादी पर लगेलनि अछि। ओ मंसिर छह गते क निर्धारित कएल गेल संविधान सभा चुनाव नहि हेबई देबाक आ माओवादी द्वारा गणतंत्र के आयु बढ़ेबाक आरोप लगेलनि।
अमेरिका के पूर्व राष्ट्रपति जिम्मी कार्टर के कहब छन्हि जे अहि ठामक अधिकांश राजनीतिक दल आ समुदाय त गणतंत्रक पक्ष मे अछि मुदा अहि लेल वैधानिक तरीक़ा स्थापित करई पडत। प्रधानमंत्री गिरिजा प्रसाद कोइराला संग भेंट मे कार्टर हुनका जल्दी सं जल्दी संविधान सभा के निर्वाचन करबाक सुझाव देलखिन। प्रधानमंत्री के विदेश मामला संबंधी सलाहकार आदित्य बराल के अनुसार प्रधानमंत्री कार्टर के स्वयंम संविधान सभा के चुनाव लेल आतुर आ चुनाव के बाद गणतंत्र संबंधी निर्णय लेबाक बात कहलखिन।
अमेरिकी पूर्व राद्वट्रपति जिम्मी कार्टर राजनीतिक दल आ सरकार के सुझाव देलखिन अछि जे राजनीतिक गतिरोध के समाप्त क 2064 साल के भीतरे संविधान सभा के चुनाव करा क नेपाल मे दीर्घ शान्ति के स्थापना करथि। कार्टर कहलनि जे नेपालक माओवादी सं संबंध सुधारबाक लेल ओ अमेरिकी सरकार सं बात करताह।
चीन के थाई जार्जस डैम सोर्ड के नजदीक भेल भूस्खलन मे एकटा बस के चपेट मे एला सं ओहि मे सवार 31 लोकक मौत भ गेलई। भूस्खलन के घटना मंगलवार क भेलई आ ओहि के तीन दिन बाद इ बस भेटलई। भूस्खलन के समय बस मे 31 लोक सवार रहइथ। अधिकारी के मुताबिक दुघर्टना के तीन दिन बीत गेलाक बाद ककरो जीबई के संभावना नहि छई आ बस पूरा तरहे क्षतिग्रस्त छई। संगहि बोडांग काउंटी के हुबई प्रांत मे भेल भूस्ख्लन मे रेल निमार्ण स्थल के नजदीक के सड़क के सेहो एकर चपेट मे आबई के बात कहल गेल छई।
प्रधानमंत्री गिरिजा प्रसाद कोइराला 2064 साल के भितरे संविधान सभा चुनाव करेबाक बात कहलाह। नेपाल ट्रेड यूनियन कांग्रेस के प्रतिनिधि मंडल संग बात करैत प्रधानमंत्री ई प्रतिबध्दता व्यक्त केलनि। ट्रेड यूनियन के पदाधिकारी सब प्रधानमंत्री के ज्ञापन पत्र द क आई बालुबाटार पंहुचल छलाह। एहि अवसर पर संविधान सभा निर्वाचन के बाद पहिल बैठक सं गणतंत्र के घोषणा करबाक लेल आ एहि सं पहिलका सहमति के अनुसार मिश्रित निर्वाचन प्रणाली लागू करबाक लेल प्रधानमंत्री के सुझाव देबाक बात ट्रेड यूनियन कांग्रेस के अध्यक्ष लक्ष्मण बस्नेत कहलाह। ज्ञापन पत्र मे संविधान सभा चुनाव के निश्चित तिथि तकबाक श्रम आयोग गठन करबाक युनियन के एकीकरण करबाक लेल आ शांति बहाली करबाक लेल सरकार सं मांग कैल गेल अछि।
ब्राजील मे एकटा 15 वर्षीय किशोरी के चोरी के आरोप मे एकटा अनोखा आ दर्दनाक स.जा देल गेलई। 15 वर्षीय एहि लड़की के स.जा के तौर पर कतेको हफता तक 21 लोक के संग जेल मे राखल गेलई जे ओहि किशोरी के खाए लेल तखने दई जखन कि बदला मे ओकरा संग संबंध स्थापित कएल जाए छलई। एहि कम उम्रक लड़की के संग .जबरदस्ती बलात्कार कएल जाई छलई आ अधिकारी किछो नहि क पेलैथ जाधरि कि राष्ट्रीय मिडिया मे ई ख़बरि नहि एलई आ ब्राजीलवासी एहि लड़की के रिहाई के मांग नहि केलकै। एहि लड़की के उंगली पर आ तलवा पर जलइत सिगरेट लगा क किशोरी के प्रताड़ित कएल जाई छलई आ ओकरा संग राखल गेल 21 टा बलात्कारी लड़का जंका ओकर केस काटि देने रहई, ताकि ओकर पहचान नहि भ पाबई। लड़की आ ओकर परिवारवाला के मुताबिक हुनका सबके लगातार जान सं मारई के धमकी भेटई छलई। शुक्रवार क संघीय सरकार, मानवाधिकार अधिकारी के एकटा प्रतिनिधि मंडल के एहि मामला के जांच के लेल भेजलक अछि।
रूपन्देही के कृषक सब के बीच एखन बेमौसमी प्याजक खेती ख़ास लोकप्रिय बनल अछि। कनीके ख़र्च सं मोनक अनुरूप आमदनी भेला सं कृषक सब एहि दिस आकर्षित भेल अछि।(साभार विदेह: www.videha.co.in )

उत्थान-पतन - जगदीश प्रसाद मण्डल




एकटा शिष्य गुरुसँ पुछलक- “मनुख शक्तिक भंडार छी फेर ओ किएक डुमैत-गिड़ैत अछि?”
शिष्यक प्रश्न सुनि गुरु कनी-काल सोचि‍ अपन कमंडल पानिमे फेक‍ देलखिन। कमंडल पानि‍मे तैरए लगल। कनीकालक बाद कमंडल निकालि पेनमे भूर कऽ देलखिन। भूर केलाक बाद फेर कमंडलकेँ पानिमे फेकलखिन। कमंडल डूमि गेल। डुमल कमंडलकेँ देखबैत गुरु कहलखिन- “जहिना छेद भेल कमंडल पानिमे डूमि गेल मुदा बिनु छेद भेल कमंडल नै डुमल तहिना मनुखोक अछि। जइ मनुखमे संयम छै ओ ऐ संसार रूपी पोखरिमे नै डुमैत अछि मुदा जे असंयमी अछि ओ ओइ‍ छेद भेल कमंडल जकाँ डूमि‍ जाइत अछि। गाएकेँ अगर चालनिमे दुहल जाए तँ दूध धरतीपर गिरत मुदा जँ सौंस बर्तनमे दुहल जाएत तँ बर्तनमे रहत। तहिना इन्द्रिय शक्ति जँ मानसिक शक्तिकेँ कुमार्ग दिस लऽ जाएत तँ ओ ओही चालनि जकाँ भऽ जाएत। मुदा जँ सुमार्ग दिस बढ़त तँ ओ जरूर शक्तिशाली मनुख बनत।”