Sunday, February 12, 2012

बिहारमे नव उद्योग

-इलेक्ट्रिकल लोकोमोटिव मैन्यूफैक्चरिंग फैक्टरी, मधेपुरा (१४०० करोड़ लागत)
-डीजल लोको मैन्यूफैक्चरिंग फैक्टरी, मधेपुरा (२०२५ करोड़ लागत)
-वैगन रिपेयर वर्कशॉप, समस्तीपुर (३३ करोड़)
-ह्वील फैक्टरी, छपरा (१४१७ करोड़ लागत)
-कोच मेनटेनेन्स वर्कशॉप, हरनौत (३२५ करोड़ लागत)
-डेमू मेन्टेनेन्स डिपो, सोनपुर (१५ करोड़ लागत)
-गुड्स वैगन रिपेयर वर्कशॉप, सोनपुर (९२ करोड़ लागत)

ई सभटा योजना योजना आयोग आ रेलवे बोर्ड द्वारा स्वीकृत अछि। ऐबेर भारतक बजटमे ऐ सभपर फण्ड भेटबाक आशा अछि जैसँ ई सभ पूर्ण भऽ सकत।


ह्वील फैक्टरी, छपरा आ  कोच मेनटेनेन्स वर्कशॉप, हरनौत ऐ साल काज शुरू कऽ देत।

रेलवे बोर्ड चेयरमैन श्री विवेक सहाय कहने रहथि जे  इलेक्ट्रिकल लोकोमोटिव मैन्यूफैक्चरिंग फैक्टरी, मधेपुरा  आ डीजल लोको मैन्यूफैक्चरिंग फैक्टरी, मधेपुरा ऐ दुनू योजनाकेँ रेलवे द्वारा छोड़ि देल जेबाक अफवाह गलत अछि। ओ कहने रहथि जे ई दुनू योजना रेलवे निजी पार्टनरकेँ संग लऽ कऽ पूर्ण करत आ बिना ऐ दुनू योजनाकेँ शीघ्र पूर्ण भेने पैसेन्जर आ मालगाड़ीक मांग पूर्ण नै भऽ सकत। मुदा तकरो एक साल बीति गेल अछि। अखन धरि पब्लिक-प्राइवेट सहयोगसँ ऐ दुनू योजनाकेँ पूर्ण करबापर कोनो निर्णय नै भेल अछि। आशा अछि जे योजना आयोगसँ स्वीकृत ई दुनू परियोजनापर वर्ष २०१२ क बजटमे निर्णय भऽ सकत।





















































1 comment:

  1. विस्तृत जानकारी हेतु बहुत बहुत धन्यवाद ।

    आशा करैत छी जे एहि रेल बजट मे मधेपुराक दुनु आ समस्तीपुरक एक गोट परियोजना कार्यान्वित भऽ सकत ।

    ReplyDelete