Showing posts with label समदिया. Show all posts
Showing posts with label समदिया. Show all posts

Saturday, August 20, 2011

मिथिलाक बाढ़ि- गजेन्द्र ठाकुर

मिथिलाक धरती बाढ़िक विभीषिकासँ जुझैत रहल अछि। कुशेश्वरस्थान दिसुका क्षेत्र तँ बिन बाढ़िक, बरखाक समयमये डूमल रहैत अछि। मुदा ई स्थिति १९७८-७९ केर बादक छी। पहिने ओ क्षेत्र पूर्ण रूपसँ उपजाऊ छल, मुदा भारतमे तटबन्धक अनियन्त्रित निर्माणक संग पानिक जमाव ओतए शुरू भए गेल। मुदा ओहि क्षेत्रक बाढ़िक कोनो समाचार कहियो नहि अबैत अछि, कहियो अबितो रहए तँ मात्र ई दुष्प्रचार जे ई सभटा पानि नेपालसँ छोड़ल गेल पानिक जमाव अछि। कुशेश्वरस्थान दिसुका लोक एहि नव संकटसँ लड़बाक कला सीखि गेलाह। हमरा मोन अछि ओ दृश्य जखन कुशेश्वरस्थानसँ महिषी उग्रतारास्थान जएबाक लेल हमरा बाढ़िक समयमे अएबाक लेल कहल गेल छल कारण ओहि समयमे नाओसँ गेनाइ सरल अछि, ई कहल गेल। रुख समयमे खत्ता-चभच्चामे नाओ नहि चलि पबैत अछि आ सड़कक हाल तँ पुछू जुनि। फसिलक स्वरूपमे परिवर्तन भेल, मत्स्य-पालन जेना तेना कऽ कए ई क्षेत्र जबरदस्तीक एकटा जीवन-कला सिखलक।
कौशिकी महारानीक २००८ ई.क प्रकोप ओहि दुष्प्रचारकेँ खतम कए पाओत आकि नहि से नहि जानि !
पहिने हमरा सभ ई देखी जे कोशी आ गंडकपर जे दू टा बैराज नेपालमे अछि ओकर नियन्त्रण ककरा लग अछि। ई नियन्त्रण अछि बिहार सरकारक जल संसाधन विभागक लग आ एतए बिहार सरकारक अभियन्तागणक नियन्त्रण छन्हि। पानि छोड़बाक निर्णय बिहार सरकारक जल संसाधन विभागक हाथमे अछि। नेपालक हाथमे पानि छोड़बाक अधिकार तखन अएत जखन ओतुक्का आन धार पर बान्ह/ छहर बनत, मुदा से ५० सालसँ ऊपर भेलाक बादो दुनू देशक बीचमे कोनो सहमतिक अछैत सम्भव नहि भए सकल। किएक?
सामयिक घटनाक्रम- कोशीपर भीमनगर बैरेज, कुशहा, नेपालमे अछि। १९५८ मे बनल एहि छहरक जीवन ३० बरख निर्धारित छल, जे १९८८ मे बीति गेल। दुनू देशक बीचमे कोनो सहमति किएक नहि बनि पाओल ? छहरक बीचमे जे रेत जमा भए जाइत अछि, तकरा सभ साल हटाओल जाइत अछि। कारण ई नहि कएलासँ ओकर बीचमे ऊंचाई बढ़ैत जएत, तखन सभ साल बान्हक ऊँचाई बढ़ाबए पड़त। एहि साल ई कार्य समयसँ किएक नहि शुरू भेल? फेर शुरू भेल बरखा, १८ अगस्तकेँ कोशी बान्हमे २ मीटर दरारि आबि गेल। १९८७ ई.क बाढ़ि हम आँखिसँ देखने छी। झंझारपुर बान्ह लग पानि झझा देलक, ओवरफ्लो भए गेल एक ठामसँ, आ आँखिक सोझाँ हम देखलहुँ जे कोना तकर बाद १ मीटरक कटाव किलोमीटरमे बदलि जाइत अछि। २७-२८ अगस्त २००८ धरि भीमनगर बैरेजक ई कटाव २ किलोमीटर भए चुकल छल। आ ई कारण भेल कोशीक अपन मुख्य धारसँ हटि कए एकटा नव धार पकड़बाक आ नेपालक मिथिलांचलक संग बिहारक मिथिलांचलकेँ तहस नहस करबाक। नासाक ८ अगस्त २००८ आ २४ अगस्त २००८ केर चित्र कौशिकीक नव आ पुरान धारक बीच २०० किलोमीटरक दूरी देखा रहल छल। भीमनगर बैरेज आब कोशीक एकटा सहायक धारक ऊपर बनल बैरेज बनि गेल रहए।

राष्ट्रीय आपदा: जाहि राज्यमे आपदा अबैत अछि, से केन्द्रसँ सहायताक आग्रह करैत अछि। केन्द्रीय मंत्रीक टीम ओहि राज्यक दौड़ा करैत अछि आ अपन रिपोर्ट दैत अछि जाहिपर केन्द्रीय मंत्रीक एकटा दोसर टीम निर्णय करैत अछि, आ ओ टीम निर्णय करैत अछि जे ई आपदा राष्ट्रीय आपदा अछि वा नहि। बिहारक राजनीतिज्ञ अपन पचास सालक विफलता बिसरि जखन एक दोसराक ऊपर आक्षेपमे लागल छलाह, मनमोहन सिंह मंत्रीक प्रधानक रूपमे दौड़ा कए एकरा राष्ट्रीय आपदा घोषित कएलन्हि। कारण ई लेवल-३ केर आपदा अछि आ ई सम्बन्धित राज्यक लेल असगरे - नहि तँ वित्तक लिहाजसँ आ नहिए राहतक व्यवस्थाक सक्षमताक हिसाबसँ- पार पाएब संभव नहि अछि। आब राष्ट्रीय आकस्मिक आपदा कोषसँ सहायता देल जा रहल अछि, किसानक ऋण-माफी सेहो सम्भव अछि।

उपाय की होअए ? कुशेश्वर स्थानक आपदा सभ-साल अबैछ, से सभ ओकरा बिसरिए जेकाँ गेलाह। मुदा आब की होअए ? दामोदर घाटीक आ मयूरक्षी परियोजना जेकाँ कार्य कोशी, कमला, भुतही बलान, गंडक, बूढ़ी गंडक आ बागमतीपर किएक सम्भव नहि भेल ? विश्वेश्वरैय्याक वृन्दावन डैम किएक सफल अछि ? नेपाल सरकारपर दोषारोपण कए हमरा सभ कहिया धरि जनताकेँ ठकैत रहब ? एकर एकमात्र उपाए अछि बड़का यंत्रसँ कमला-बलान आदिक ऊपर जे माटिक बान्ह बान्हल गेल अछि तकरा तोड़ि कए हटाएब आ कच्चा नहरिक बदला पक्का नहरिक निर्माण। नेपाल सरकारसँ वार्ता आ त्वरित समाधन। आ जा धरि ई नहि होइत अछि तावत जे अल्पकालिक उपाय अछि से करब, जेना बरखा आबएसँ पहिने बान्हक बीचक रेतकेँ हटाएब, बरखाक अएबाक बाट तकबाक बदला किछु पहिनहि बान्हक मरम्मतिक कार्य करब, आ एहि सभमे राजनीतिक महत्वाकांक्षाकेँ दूर राखब। कोशीकेँ पुरान पथपर अनबाक हेतु कैकटा बान्ह बनाबए पड़त आ ओ सभ एकर समाधान कहिओ नहि बनि सकत।
कमला धार
नहरिसँ लाभ हानि- एक तँ कच्ची नहरि आ ताहूपर मूलभूत डिजाइनक समस्या, एकटा उदाहरण पर्याप्त होएत जेना-तेना बनाओल परियोजना सभक। कमलाक धारसँ निकालल पछबारी कातक मुख्य नहरि जयनगरसँ उमराँव- पूर्वसँ पछबारी दिशामे अछि। मुदा ओतए धरतीक ढ़लान उत्तरसँ दक्षिण दिशामे अछि। बरखाक समयमे एकर परिणाम की होएत आकि की होइत अछि ? ई बान्ह बनि जाइत अछि आ एकर उत्तरमे पानि थकमका जाइत अछि। सभ साल एहि नहर रूपी बान्हसँ पटौनी होअए वा नहि एकर उतरबरिया कातक फसिल निश्चित रूपेण डुमबे टा करैत अछि। फलना बाबूक जमीन नहरिमे नञि चलि जाए, से नहरिक दिशा बदलि देल जाइत अछि !
 कमला नदीपर १९६० ई. मे जयनगरसँ झंझारपुर धरि छहरक निर्माण भेल आ एहिसँ सम्पूर्ण क्षेत्रक विनाशलीलाक प्रारम्भ सेहो भए गेल। झंझारपुरसँ आगाँक क्षेत्रक की हाल भेल से तँ हम कुशेश्वरक वर्णन कए दए चुकल छी। मधेपुर, घनश्यामपुर, सिंघिया एहि सभक खिस्सा कुशेश्वरसँ भिन्न नहि अछि। कमला-बलानक दुनू छहरक बीच जेना-जेना रेत भरैत गेल, ताहि कारणेँ एहि तटबन्धक निर्माणक बीस सालक भीतर सभ किछु तहस-नहस भए गेल। कमला धार जे बलानमे –पिपराघाट लग १९५४ मे- मिलि गेलीह, हिमालयसँ बहि कए कोनो पैघ लक्कड़क अवरोधक कारण। आब हाल ई अछि जे दस घण्टामे पानिक जलस्तर एहि धारमे २ मीटरसँ बेशी धरि बढ़ि जाइत अछि। १९६५ ई.सँ बान्ह/ छहरक बीचमे रेत एतेक भरि गेल जे एकर ऊँचाइ बढ़ेबाक आवश्यकता भए गेल आ ई माँग शुरू भए गेल जे बान्ह/ छहरकेँ तोड़ि देल जाए !
कोशी: कोशीक पानि माउन्ट एवेरेस्ट, कंचनजंघा आ गौरी-शंकर शिखर आ मकालू पर्वतश्रृंखलासँ अबैत अछि। नेपालमे सप्तकोशीमे, जाहिमे इन्द्रावती, सुनकोसी (भोट कोसी), तांबा कोसी, लिक्षु कोसी, दूध कोसी, अरुण कोसी आ तामर कोसी सम्मिलित अछि।
एहिमे इन्द्रावती, सुनकोसी, तांबा कोसी, लिक्षु कोसी आ दूध कोसी मिलि कए सुनकोसीक निर्माण करैत अछि आ ई मोटा-मोटी पच्छिमसँ पूर्व दिशामे बहैत अछि, एकर शाखा सभ मोटा-मोटी उत्तरसँ दक्षिण दिशामे बहैत अछि। ई पाँचू धार गौरी शंकर शिखर आ मकालू पर्वतश्रृंखलाक पानि अनैत अछि।
अरुणकोसी माउन्ट एवेरेस्ट (सगरमाथा) क्षेत्रसँ पानि ग्रहण करैत अछि। ई धार मोटा-मोटी उत्तर-दक्षिण दिशामे बहैत अछि।
तामर कोसी मोटा-मोटी पूबसँ पच्छिम दिशामे बहैत अछि आ अपन पानि कंचनजंघा पर्वत श्रृंखलासँ पबैत अछि।
आब ई तीनू शाखा सुनकोसी, अरुणकोसी आ तामरकोसी धनकुट्टा जिल्लाक त्रिवेणी स्थानपर मिलि सप्तकोसी बनि जाइत छथि। एतएसँ १० किलोमीटर बाद चतरा स्थान अबैत अछि जतए महाकोसी, सप्तकोसी वा कोसी मैदानी धरातलपर अबैत छथि। आब उत्तर दक्षिणमे चलैत प्रायः ५० किलोमीटर नेपालमे रहला उत्तर कोसी हनुमाननगर- भीमनगर लग भारतमे प्रवेश करैत छथि आ कनेक दक्षिण-पच्छिम रुखि केलाक बाद दक्षिण-पूर्व आ पच्छिम-पूर्व दिशा लैत अछि आ भारतमे लगभग १३० किमी. चललाक बाद कुरसेला लग गंगामे मिलि जाइत छथि। कोसीमे बागमती आ कमलाक धार सेहो सहरसा- दरभंगा- पूर्णिया जिलाक संगमपर मिलि जाइत अछि।
कोसीपर पहिल बान्ह १२म शताब्दीमे लक्ष्मण द्वितीय द्वारा बनाओल वीर-बाँध छल जकर अवशेष भीमनगरक दक्षिणमे एखनो अछि।
भीमनगर लग बैराजक निर्माणक संगे पूर्वी कोसी तटबन्ध सेहो बनि गेल आ पूर्वी कोसी नहरि सेहो।
कुँअर सेन आयोग १९६६ ई. मे कोसी नियन्त्रणक लेल भीमनगरसँ २३ किमी. नीचाँ डगमारा बैराजक योजनाक प्रस्ताव देलक जे वाद-विवाद आ राजनीतिमे ओझरा गेल। एहि बैराजसँ दू फायदा छल। एक तँ भीमनगर बैरेजक जीवन-कालावधि समाप्त भेलापर ई बैरेज काज अबितए, दोसर एहिसँ उत्तर-प्रदेशसँ असम धरि जल परिवहन विकसित भऽ जाइत जाहिसँ उत्तर बिहारकेँ बड़ फाएदा होइतए। मुदा एहि बैरेज निर्माण लेल पाइ आवंटन केन्द्रीय सिंचाई मंत्री डॉ के.एल.राव नहि देलखिन्ह। पश्चिमी कोसी नहरि एकर विकल्प रूपमे जेना तेना मन्थर गति सँ शुरू भेल मुदा एखनो धरि ओहिमे काज भइये रहल अछि।
कोसी लेल किछु नहि भऽ सकल। विचार आएल तँ योजना अस्वीकृत भए गेल। जतेक दिनमे कार्य पूरा हेबाक छल ततेक दिन विवाद होइत रहल, डगमारा बैराजक योजनाक बदलामे सस्ता योजनाकेँ स्वीकृति भेटल मुदा सेहो पूर्ण हेबाक बाटे ताकि रहल अछि !
विश्वेश्वरैय्या पड़ैत छथि मोन : हैदराबादसँ ८२ माइल दूर मूसी आ ईसी धारपर बान्ह बनाओल गेल आ नगरसँ ६.५ माइलक दूरीपर  मूसी धारक उपधारा बनाओल गेल। संगहि धारक दुनू दिस नगरमे तटबन्ध बनाओल गेल। कृष्णराज सागर बान्ह, हुनकर प्रस्तावित १३० फुट ऊँच बनेबाक योजना मैसूर राज्य द्वारा अंग्रेजकेँ पठाओल गेल तँ वायसराय हार्डिंज ओकरा घटा कए ८० फीट कए देलन्हि। विश्वेश्वरैय्या निचुलका भागक चौड़ाई बढ़ा कए ई कमी पूरा कए लेलन्हि। बीचेमे बाढ़ि आबि गेल तँ अतिरिक्त मजदूर लगा कए आ मलेरियाग्रस्त आ आन रोगग्रस्त मजदूरक इलाज लए डॉक्टर बहाली कए, रातिमे वाशिंगटन लैम्प लगा कए आ व्यक्तिगत निगरानी द्वारा समयक क्षतिपूर्ति केलन्हि। देशभक्त तेहन छलाह जे सीमेन्ट आयात नहि केलन्हि वरन् बालु, कैल्सियम, पाथर आ पाकल ईटाक बुकनी मिला कए निर्मित सुरखीसँ , एहि बान्हक निर्माण कएलन्हि। बान्ह निर्माणसँ पहिनहि द्विस्तरीय नहरिक निर्माण कए लेल गेल।
दिल्ली अछि दूर एखनो ! : प्रधानमंत्री आपदा कोष आ मुख्यमंत्री आपदा कोषक अतिरिक्त स्वयंसेवी संगठन सभक कोषमे  सेहो दिल्लीवासी अपन अनुदान दए सकैत छथि।
मुदा दीर्घ सूत्री काज होएत, निम्न बिन्दुपर दिल्लीमे केन्द्र सरकारपर दवाब बनाएब।
१. स्कूल कॉलेजमे गर्मी तातिलक बदलामे बाढ़िक समए छुट्टी देबामे कोन हर्ज अछि, ई निर्णय कोन तरहेँ कठिन अछि? सी.बी एस.ई आ आइ.सी.एस.ई. तँ छोड़ू बिहार बोर्ड धरि ई नहि कए सकल अछि। दिल्लीवासी सी.बी एस.ई आ आइ.सी.एस.ई.सँ एहि तरहक कार्यान्वयन कराबथि तँ लाजे बिहार बोर्ड ओकरा लागू कए देत।
२. भारतमे डगमारा बैराजक योजनाक प्रारम्भ कएल जाए, कारण भीमनगर बैरेज अपन जीवन-कालावधि पूर्ण कए लेने अछि। एहिमे फन्ड, रेलवे आ सड़क दुनू मंत्रालयसँ लेल जाए कारण एहिपर रेल आ सड़क सेहो बनि सकैछ/ आ बनबाक चाही।
३. बैरेज बनबाक कालवधियेमे पक्की नहरि धरातलक स्लोपक अनुसारे बनाओल जाए।
४. कच्ची बान्ह सभकेँ तोड़ि कए हटा देल जाए आ पक्की बान्हकेँ मोटोरेबल बनाओल जाए, बान्हक दुनू कात पर्याप्त गाछ-वृक्ष लगाओल जाए।
५. बिहारमे सड़क परियोजना जेना स्वप्नक सत्य होअए जेना देखा पड़ि रहल अछि, तहिना सभ विघ्न-बाधा हटा कए, युद्ध-स्तरपर एहि सभपर काज शुरू कएल जाए।
उपरोक्त बिन्दु सभपर दिल्लीमे लॉबी बना कए केन्द्र सरकारपर/ मंत्रालयपर दवाब बनाएब तखने बिहार अपन नव छवि बना सकत। १२म शताब्दीमे शुरू कएल बान्ह तखने पूर्ण होएत आ धारसभ मनुक्खक सेविका बनि सकत।

Monday, August 9, 2004

समदिया पूनम मंडल आ प्रियंका झाक मैथिली न्यूज पोर्टल।

समदिया

पूनम मंडल आ प्रियंका झाक मैथिली न्यूज पोर्टल।




1

१९९० ई. मे सी.एन.एन. टेलीविजन इराकपर हमलाक रिपोर्टक देमऽ लागल, इराकक कुवैतपर हमलाक रिपोर्ट। फोन बूथ जकाँ टी.वी. चैनल भऽ गेलै आ सभकेँ प्रचार भेटै छै।
2
हिजली कैम्प जेल खड़गपुर खाली पड़ल छल, ओतै आइ.आइ.टी. खुजल १९५० ई. मे। १९६१ ई. मे कोलकातामे पहिल आइ.आइ.एम., विश्वविद्यालयसँ बाहर नीक पढ़ाइक आरम्भ।
3
सरकारी कम्पनी सभ प्राइवेट हेबऽ लागल। सरकारी कम्पनीमे दरमाहा बन्द, टाटा सीमेन्टकेँ लाफार्ज द्वारा किनलासँ सभ बमबम भऽ गेल। डालमियानगर महावीर डल्डाबलाक बेटी जमाए साहित्यिक पुरस्कार खोललक, मुदा ओ दोसर बियाह 4
केरलक ६८ बर्खक बूढ़ी आयशा साक्षर भेली आ केरल पूर्ण साक्षर भऽ गेल १९९१ ई. मे।
4
टाटा- पारम्परिक बिजनेस परिवारमे गनल जाइ छल। मुदा आब अपनासँ चारि गुणा पैघ स्टील फैक्ट्री कोरसकेँ टाटा स्टील किनलक।
5
२००१ ई. मे कलकत्तामे बिगबजार मॉल पहिल एहेन प्रयोग छल।
6
सरकारी बैंक हिन्दू विकास दर ४ प्रतिशत। मुदा फेर गाछबला फाइनेन्स आ आन फाइनेन्स कम्पनी सभ सभटा पाइ लऽ कऽ भागल।
7
बोफोर्स १९८७ ई.। स्वेडिश रेडियो, चित्रा सुब्रह्मण्यम आ एन.रामक द हिन्दूक रिपोर्ट।
8
जेनरल टिक्का खानक अत्याचार पू. पाकिस्तानमे आ अमेरिकन डिप्लोमेट आर्चर ब्लडक अपन देशकेँ झारब। मानेकशाँ – कराची- पी.एन.एस. खिबेर आ आर चारिटा पाकिस्तानी जहाजकेँ डुमेलक; बंगालक खाड़ीमे पी.एन.एस. गाजीकेँ डुमेलक। मुदा मुजीबुर्रहमान चकमा हिन्दूकेँ सतेलक, पाकिस्तान दुश्मन भऽ गेल। कश्मीर समस्या तकर बादे बढ़ल।
9
१९६२ मे मात्र २६०० लोक मरल, युद्धमे ३००० सँ ऊपर तँ मरबाके चाही। लद्दाख पश्चिममे आ तवांग पूबमे भारतपर आक्रमण।
10
आपातकाल- ट्रेन टाइमसँ अबै छल, हम सत्ता छिनेलाक बाद सेक्यूलर नै बनै छी, २१ मास आपातकाल।
11
नक्सलबारी गाम (उत्तर बंगाल, दार्जिलिंग)- गाम बला सभ एकटा जमीन्दार आ पुलिस निरीक्षककेँ मारि देलक, पुलिस ९ टा युवाकेँ मारलक आ दूटा बच्चाकेँ सेहो। कास्तकारकेँ जमीन देबाक मांग छल ई।
12
बाबरी मस्जिद १९९२ दिसम्बर।
13
१९९९- गीता हरिहरन लेखिका केस जितलन्हि आ अपन बच्चाकेँ अपन उपाधि देलनि। १९८६- शाहबानो।
14
१९९८ मे १३ मास आ फेर कारगिलक बाद १९९९ मे बी.जे.पी. पाँच साल।
15
अन्नादुरै- १९६७ मे डी.एम.के. तमिलनाडुमे जीतल, पेरियारसँ टूटि कऽ द्रविड़ कजगमसँ अलग भेलाह। पेरियार स्वतंत्रताकेँ ब्राह्मण आ उत्तर भारतक परतंत्रतासँ जोड़ै छलाह। १९६५ ई.- हिन्दी विरोधी आन्दोलन।
16
आतंकवाद- १९९१ राजीव गाँधी, श्री पेरम्बदूर, डरि गेलहुँ हम जे फेरसँ सिखक विरुद्ध ने आक्रमण होमए लागए। एल.टी.टी.ई. थेनमोझी राजारत्नम प्रसिद्ध धानु छल आत्मघाती हमला करैबला, कारण ई सभ कैमरामे रेकॉर्ड भऽ गेल, कैमरामेन मरि गेल। १९८४- इन्दिरा गाँधी २५ बुलेट स्टेनगनसँ सतनाम आ ५ बुलेट बेअंत।
17
मण्डल कमीशन, ११ टा आधार, सामाजिक ३ अंक, शैक्षिक २ अंक आर्थिक १ अंक।
५० प्रतिशत वा अधिकबला जाति बैकवर्ड।
18
क्रिकेट कमेन्टरी १९८३- आइ.सी.एल., आइ.पी.एल.
19
भोपाल २ दिसम्बर १९८४ क राति- २५००० लोक मुइल।
20
वाइ.टू.के. सभटा कम्प्यूटर बन्न भऽ जाएत। विप्रो, इन्फोसिस, टी.सी.एस. बढ़ल। २०००=००=१९००; काज बाहरसँ आएल।
21
अन्तर्जाल भारतमे वी.एस.एन.एल. १५ अगस्त १९९५
22
ग्रामीण रोजगार कार्यक्रम
23
अमूल प्रयोग कॉपरेटिव आन्दोलनक सफलता।
24
न्यू योर्कर पत्रिका- १९९७- भारतक अंग्रेजी- सलमान रस्दी, अमिताव घोष, अब्राहम वर्गीस, गी.वी.देसानी, रुथ प्रावर झाबवाला।
25
महेश योगी आ बीटल्स- ट्रांसेन्डेन्टल मेडीटेशन, ऋषिकेष। रजनीश- १९७० दशक पुणे। प्रभुपाद- इस्कोन- लॉर्ड कृष्ण।
26
सचिन तेन्दुलकर- क्रिकेट आइकॉन।
27
एशियाड- अप्पू, अप्पू परफॉर्म नै करत।
28
ए.आर.रहमान- (धर्म परिवर्तनसँ पहिने दिलीप) संगीत क्रान्ति।
29
राजश्री प्रोडक्शन, लो बजट पारिवारिक फिल्म।
30
एम.एफ. हुसैन, तीजन बाइ, “अपना उत्सव”
31
“नवोदय विद्यालय”राजीव गाँधी- सभ जिला मे। तमिलनाडु मना केलक, कारण ओतए एकरा हिन्दीकेँ बढ़ावा दै बला कदमक रूपमे देखल गेल, तकर बदला ओतए दोसर स्कूल राज्य स्तरपर सभ जिलामे खोलल गेल।

(साभार गजेन्द्र ठाकुर, सम्पादक विदेह www.videha.com)




मैथिली आ मिथिलासँ संबंधित किछु मुख्य साइट:- आन लिंकक विषयमे सूचनाggajendra@videha.com केँ ई मेलसँ पठाबी।


http://www.videha.co.in/ ("विदेह" प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका)

http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html (इंटरनेटपर मैथिली भाषाक प्रथम उपस्थिति/ मैथिलीक पहिल ब्लॉग- मैथिली भाषा ब्लॉगक एग्रीगेटर, ५ जुलाइ २००४)

http://www.videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html (इंटरनेटपर मैथिली भाषाक प्रथम उपस्थिति/ मैथिलीक पहिल ब्लॉग- मैथिली भाषा ब्लॉगक एग्रीगेटर, ५ जुलाइ २००४)


भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल आ अखनो ५ जुलाइ २००४ सँ http://www.videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html लिंकपर अछि, मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ" विदेह " पड़लै। पल्लवमिथिला (धीरेन्द्र प्रेमर्षि) २०५९ माघे संक्रान्ति- २००३ जनवरी मैथिलीक दोसर इंटरनेट पत्रिका अछि जे ऐ लिंक www.pallavmithila.mainpage.net पर छल मुदा आब ई उपलब्ध नै अछि। ई टिप्पणी मात्र इतिहास शुद्धता लेल अछि।
http://hellomithila.blogspot.com/  (हेलो मिथिला- धीरेन्द्र प्रेमर्षि, सम्पादक-प्रकाशक, रूपा झा, सम्पादन सहयोग, पल्लव, मैथिली साहित्यिक३ मइ २००६)
http://pallav.blogsome.com/  (हेलो मिथिला- धीरेन्द्र प्रेमर्षि, सम्पादक-प्रकाशक, रूपा झा, सम्पादन सहयोग, पल्लव, मैथिली साहित्यिक १७ मइ २००६)
http://videha-aggregator.blogspot.com/ (मैथिली भाषा ब्लॉगक एग्रीगेटर)
http://prakarantar.blogspot.com/ (प्रकारांतर मैथिलीक लोकप्रिय ब्लॉग, फरबरी २००५)
http://vidyapati.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग, अगस्त २००५)
http://www.vidyapati.org/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग, अगस्त २००५)
http://premarshi.wordpress.com/ (धीरेन्द्र प्रेमर्षि,)
http://brikhesh.blogspot.com/ (बृषेश चन्द्र लाल)
http://www.chetnasamiti.org/ (चेतना समिति, पटनाक वेबसाइट)
http://bramhanews.blogspot.com/ (मैथिली समाचार)
http://www.mithilakhabar.com/ (नेपालक मैथिली ई पत्रिका)
http://esamaad.blogspot.com/ (पूनम मंडल आ प्रियंका झाक पहिल मैथिली न्यूज पोर्टल, ९ अगस्त २००४ सँ)
http://hellomithilaa.blogspot.com/ (मैथिली न्यूज पोर्टल, सितम्बर २००७)
http://www.hellomithilaa.com/ (मैथिली न्यूज पोर्टल, सितम्बर २००७)
http://www.maithilinews.blogspot.com/ (मिथिला आ मैथिलीक समाचारक साइट)
http://www.hamargam.in/ (मैथिली न्यूज पोर्टल)
http://mithiladotcom.blogspot.com/ (मैथिली राष्ट्रीय दैनिक)
http://mithilasamad.blogspot.com/ (मिथिला समाद, मैथिली दैनिक)
http://janakpurnews.blogspot.com/ (मिथिला आ मैथिलीक समाचारक साइट)
http://shampadak.wordpress.com/ (मैथिली न्यूज पोर्टल, जनवरी-फरबरी २००८)
http://www.esamaad.com/  (मैथिली न्यूज पोर्टल, जनवरी-फरबरी २००८)
http://www.mithilalok.com/ (मैथिली न्यूज पोर्टल)
http://maithili-darpan.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://mithilatol.blogspot.com (मिथिलाटोल मैथिलीक लोकप्रिय ब्लॉग)
http://maithilicinema.blogspot.com/ (मैथिली फिल्म्स)
http://maithilifilms.blogspot.com/ (मैथिली फिल्म्स)
http://maithili-drama.blogspot.com/ (विदेह मैथिली नाट्य उत्सव- बेचन ठाकुरक ब्लॉग)
http://mjnk.co.cc/ (ई जनकपुर न्यूज़, तराई मॉडल, मिथिला इन्फोर्मेशन)
http://www.TeraiNepal.co.cc/  (तराई नेपाल मिथिला जनकपुर मधेश हालचाल Anytime Anywhere see)
http://maithilaurmithila.blogspot.com/ (मैथिल आ  मिथिला लोकप्रिय ब्लॉग)
http://www.mithilaamanch.blogspot.com (मिथिला मंच)
http://maithilisong.blogspot.com/ (मिथिला आ मैथिलीक समाचारक ब्लॉग)
http://maithilifoundation.blogspot.com/ (मैथिली फाउन्डेशन)
http://maithilibhasha.blogspot.com/ (काश्यप कमलक ब्लॉग)
http://rkjteoth.blogspot.com/ (रूपेश कुमार झा "त्योंथ"क ब्लॉग)
http://paraati.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://singarhaar.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://anchinharakharkolkata.blogspot.com/  (मैथिलीक लोकप्रिय गजलक ब्लॉग)
http://vaachik.wordpress.com/  (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://mithilainfo.blogspot.com (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://mithlasamachaar.blogspot.com  (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://pilakhwar.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://desilbayna.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://maithilynjha.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://gaam-ghar.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://mithila-mihir.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://www.videha.com/ (इंटरनेटपर मैथिली भाषाक प्रथम उपस्थिति/ लोकप्रिय ब्लॉग- मैथिली भाषा ब्लॉगक एग्रीगेटर)
http://www.maithililekhaksangh.com/ (मैथिली लेखक संघक जालस्थल)
http://www.maithili.co.uk/ (मिथिला कल्चरल ऑर्गेनाइजेशन, यू.के.)
http://minapjanakpur.org/  (मिनाप, जनकपुर)
http://www.airdarbhanga.org/  (आकाशवाणी दरभंगाक साइट)
http://mithilangan.org/ (मिथिला‍गनक साइट)
http://www.vmym.in/ (विद्यपति मैथिल युवा मंच)
http://www.tirhutalipi.4t.com/ (देवनागरी-तिरहुता फॉन्ट कन्वर्टर)
http://www.anujha.co.cc/ (यूनीकोड तिरहुता फॉन्ट-मिथिला)
http://www.jaimithila.com/ (मिथिलाक सभ्यता, संस्कृति, विभूति, गीत-संगीत आ बहुत रास जानकारीक लेल)http://sobhagyamithilatv.com/ (सौभाग्य मिथिला- पहिल मैथिली चैनल)
http://kalikantjhabuch.org/ (काली कांत झा "बूच")
http://saketanands.blogspot.com/ (साकेतानन्दजीक जालवृत्त)
http://gunjang.blogspot.com/ (गुंजनजीक जालवृत्त)
http://darihare.blogspot.com/ (श्याम दरिहरेक जालवृत्त)
http://deoshankarnavin.blogspot.com/ (देवशंकर नवीनक जालवृत्त)
http://www.udayanarayana.com/ (नचिकेताक साइट) 
http://www.indianembassy.org.np/  (भारतीय दूतावास नेपाल)
http://www.purvottarmaithilsamaj.com/ (पूर्वोत्तर मैथिल समाज)
http://www.purvottarmaithil.org/   (मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समितिक त्रैमासिक पत्रिका)
http://dsal.uchicago.edu/lsi/ (Linguistic Survey of India, Gramophone recordings)
http://dsal.uchicago.edu/lsi/taxonomy/term/1718 (Linguistic Survey of India, Gramophone recordings, Maithili)
http://www.biharlokmanch.org(मिथिला-मैथिली पोथी ऑनलाइन कीनू)
http://shivpustakbhandar.blogspot.com/  (मैथिली पोथी कीनू)
http://www.biharlokmanch.org/mithila_products_online.php (Buy Mithila-Maithili books online)
http://mithila-haat.com/ (Buy Mithila-Maithili books/ other materials online)
http://www.antikaprakashan.com/ (अंतिका प्रकाशनक साइट- मैथिली प्रकाशक)
http://www.shruti-publication.com (श्रुति प्रकाशनक साइट- मैथिली प्रकाशक)
http://www.jyoticonsultant.com/ (मैथिलक नौकरी डॉट कॉम)
http://www.kfm961.com/  (हेल्लो मिथिला कार्यक्रम प्रत्येक शनिकेँ नेपाली समयानुसार राति ९.३० बजेसँ ११ बजेधरि आ राजनीतिक विषयवस्तुपर केन्द्रित चौबटिया कार्यक्रम प्रत्येक सोमकेँ राति १० सँ ११ बजेधरि प्रसारण)
http://www.radiokantipur.com/  (हेल्लो मिथिला कार्यक्रम प्रत्येक शनिकेँ नेपाली समयानुसार राति ९.३० बजेसँ ११ बजेधरि आ राजनीतिक विषयवस्तुपर केन्द्रित चौबटिया कार्यक्रम प्रत्येक सोमकेँ राति १० सँ ११ बजेधरि प्रसारण)
http://www.jumptv.com/en/channel/nepal1/ (नेपाल1 टी.वी.-जम्प टी.वी. मैथिली कार्यक्रम सूचना)
http://janakifm.org.np/ (जानकी एफ.एम., मैथिली समाचार रेडियो)
http://www.mithilaradio.com/ (मैथिली रेडियो)
http://www.youtube.com/user/Janakifm (जानकी एफ.एम., मैथिली समाचार रेडिय Youtube channel)
http://www.radiomithila.org/ (मैथिली रेडियो)
http://www.appanmithila.org/ (रेडियो अप्पन मिथिला ९४.४ MHZ)
http://www.madheshuk.org/ (एसोशिएशन ऑफ नेपाली मधेसीज इन यू.के.)
http://www.mithilaart.com/ (श्रीमति प्रभा झाक साइट)
http://chitthajagat.in/ (देवनागरी लिपिक ब्लॉगक एग्रीगेटर)
http://mailorang.blogspot.com/ (मैलोरंग नाट्य संस्थाक ब्लॉग)
http://mailorang.in/ (मैलोरंग)
http://mithila_samachar.tripod.com/mithilasamachar/ (मिथिला आ मैथिलीक समाचारक साइट)
http://www.ildc.in/Maithili/MIindex.aspx (मैथिली अओजार आ फॉन्ट)
http://www.maithili.net/  (मिथिला-मैथिल-मैथिलीक लोकप्रिय साइट)
http://www.mithilaonline.com(मिथिला-मैथिल-मैथिलीक लोकप्रिय साइट)
http://www.onlinemithila.in/ (मिथिला-मैथिल-मैथिलीक लोकप्रिय साइट)
http://www.swastifoundation.com/  (स्वस्ति फाउन्डेशनक साइट)
http://www.moe.gov.np/ (नेपाल सरकारक साइट)
http://gov.bih.nic.in(बिहार सरकारक साइट)
http://www.esabha.net/ (मैथिल विवाहक साइट)
http://www.maithilvivah.com/ (मैथिल विवाहक साइट)
http://www.kanyadan.net/  (मैथिल विवाहक साइट)
http://www.mithilashaadi.com/  (मैथिल विवाहक साइट)
http://www.nationallibrary.gov.in/ (नेशनल लाइब्रेरी कोलकाता)

http://dpl.gov.in/ (दिल्ली पब्लिक लाइब्रेरी)

http://www.connemarapubliclibrarychennai.com/ (कोनेमारा पब्लिक लाइब्रेरी)
http://rrrlf.nic.in/ (राजा राम मोहन राय लाइब्रेरी फाउंडेशन)
http://www.sahitya-akademi.gov.in/(साहित्य अकादमीक साइट)
http://www.nbtindia.org.in/ (नेशनल बुक ट्रस्टक साइट)
http://www.ciil.org/ (भारतीय भाषा संस्थानक साइट)
http://www.ntm.org.in/languages/maithili/default_maithili.asp (राष्ट्रीय अनुवाद मिशन)
http://jnanpith.net/ (भारतीय ज्ञानपीठक साइट)
http://bparishad.in/  (भारतीय भाषा परिषद, कोलकाताक साइट)
http://www.bharatiyabhashaparishad.com/   (भारतीय भाषा परिषद, कोलकाताक वागर्थ)
http://www.themanbookerprize.com/ (मैन-बुकर पुरस्कारक साइट)
http://www.commonwealthfoundation.com/ (कॉमनवेल्थ फाउन्डेशनक साइट)
http://www.crossword.in/ (वोडाफोन-क्रॉसवर्डक साइट)
http://www.pulitzer.org/ (पुलित्जर पुरस्कारक साइट)
http://nobelprize.org/ (नोबेल पुरस्कारक साइट)
http://www.goakonkaniakademi.org/akademi/aims.htm (गोवा कोंकणी अकादमीक साइट)
http://madhubani-art.blogspot.com/ (Maithili Literature in English)

अंतिम पाँचू साइट विकी मैथिली प्रोजेक्टक अछि। एहि लिंक सभ पर जा कय प्रोजेक्टकेँ आगाँ बढ़ाऊ।
किछु नीक यू ट्यूब मैथिली चैनल
 
http://www.youtube.com/user/Janakifm (जानकी एफ.एम., मैथिली समाचार रेडियो Youtube channel)
www.youtube.com/user/premarshi
http://www.youtube.com/user/Dhipre (धीरेन्द्र प्रेमर्षि)
आ तीनटा आर साइट
VIDEHA ARCHIVE
For purchase books available in "GOOGLE VIDEHA BOOKS" write to ggajendra@videha.com
 
Search the full text of GOOGLE VIDEHA books 

"विदेह"क एहि सभ सहयोगी लिंकपर सेहो एक बेर जाऊ। 

६.विदेह मैथिली क्विज  :http://videhaquiz.blogspot.com/

७.विदेह मैथिली जालवृत्त एग्रीगेटर : 

http://videha-aggregator.blogspot.com/
८.विदेह मैथिली साहित्य अंग्रेजीमे अनूदित
http://madhubani-art.blogspot.com/
९.विदेहक पूर्व-रूप "भालसरिक गाछ"  : 

http://gajendrathakur.blogspot.com/
१०.विदेह इंडेक्स  : 

http://videha123.blogspot.com/
११.विदेह फाइल : 
१२. विदेह: सदेह : पहिल तिरहुता (मिथिला़क्षर) जालवृत्त (ब्लॉग)
१३. विदेह:ब्रेल: मैथिली ब्रेलमे: पहिल बेर विदेह द्वारा

१४.VIDEHA IST MAITHILI  FORTNIGHTLY EJOURNAL ARCHIVE
१५. विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका मैथिली पोथीक आर्काइव
१६. विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऑडियो आर्काइव
१७. विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका वीडियो आर्काइव
१८. विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका मिथिला चित्रकलाआधुनिक कला आ चित्रकला
१९. मैथिल आर मिथिला (मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय जालवृत्त)
२०.श्रुति प्रकाशन
Google समूह
VIDEHA केर सदस्यता लिअ
ईमेल :       


Subscribe to VIDEHA
    
Powered by us.groups.yahoo.com

.गजेन्द्र ठाकुर इ‍डेक्स
. नेना भुटका
.विदेह रेडियो:मैथिली कथा-कविता आदिक पहिल पोडकास्ट साइट
२६.Videha Radio


२८. विदेह मैथिली नाट्य उत्सव
२९.समदिया
३०. मैथिली फिल्म्स
३१.अनचिन्हार आखर
३२. मैथिली हाइकू
३३. मानक मैथिलीhttp://manak-maithili.blogspot.com/
३४. विहनि कथा
३५. मैथिली कविता

३६. मैथिली कथा
http://maithili-katha.blogspot.in/

३७.मैथिली समालोचना
http://maithili-samalochna.blogspot.in/
  



(UPDATED UPTO 26th January 2012)