Friday, July 6, 2012

चेतना समितिक बैसार- मैथिली लेल बिहार सरकारसँ आग्रह (रिपोर्ट- सत्यनारायण झा)

मिथिला भाषाक विकास -----दु दिन पहिने चेतना समितिक मीटिंग भेल छल |ओहि मे मिथिलाक सर्वांगीण विकास लेल राज्य सरकार सं किछु मांग कयल गेलैक अछि जाहि मे मैथिली क’ द्वितीय भाषाक दर्जा ,मिथिला क्षेत्र मे मैथिली भाषा मे प्राथमिक स्कूल मे पढ़ाई आदि कोनों नव मांग नहि छैक |नव अगर छैक त ई जे चेतना समिति द्वारा मांग करब | मिथिलाक अनेक गणमान्य ब्यक्ति एहि संस्था सं जुरल छथि मुदा ओ लोकनि एहि दिस ध्यान नहि दैत छथि |एक साल पहिने हम फेस बुक पर लिखने रही जे मिथिला मे जमीनी नेताक सर्वथा अभाव छैक जाहि कारण कहियो कोनो संघर्ष नहि भ’ सकलैक |चेतना समिति एखनो संघर्ष नहि करत |चेतना समिति क’ ओहन संगठन नहि छैक जेकर बदौलत ओ किछु क’ पायत ओना चेतना समिति सरकारक बहुत नजदीक अछि |ओ अगर मोन सं चाहैक त बिना संघर्षो किछु कल्याण करबा सकैत छैक मुदा तेकर आशा कमे छैक |मुदा तैयो चेतना समिति एहन सुन्दर प्रस्तावक लेल धन्यबादक पात्र अछि |

No comments:

Post a Comment