Friday, July 6, 2012

रामाकान्त झा आ भुवनेश्वर पाथेयकेँ फोटो हुलाक टिकटमे आओत (रिपोर्ट सुजीत कुमारझा)


मैथिलीक लेल एकटा आओर उपलब्धी

जनकपुरधाम, अखार ३ ।
मैथिली साहित्य क्ष्ोत्रक दू टा महत्वपूर्ण्ा साहित्यकारकेँ फोटो अंकित हुलाक टिकट प्रकाशन करवाक संचार मन्त्रालय निर्ण्ाय कएलक अछि ।साहित्यकार रमाकान्त भmा आ भुवनेश्वर पाथेयकेँ स्वर्गीय भेला लम्बा समय भेलाक बाद र्इ निर्ण्ाय भेल अछि ।हुलाक टिकटमे फोटो छापएकेँ मांग जनकपुर वौद्धिक समाज लम्बा समय सँ करैत आएल छल ।समाजक अध्यक्ष्ा राजेश्वर नेपालीक अनुसार हुलाक टिकटमे फोटो छपाबएबला संचारमन्त्रायलक निर्ण्ाय अपना लग पहुँच गेल अछि । नेपाली किछु दिन पूर्व रमाकान्त भmा आ भुवनेश्वर पाथेयकेँ फोटो सेहो मन्त्रालयमे पठौने रहथि । मैथिलीक चर्चित किताव 'व्यथा' महाकाव्यक लेखक रहल स्वर्गीय भmाकेँ सुदामा चरित्र खण्ड काव्य प्रकाशित होबएकेँ संगहि वनकन्या महाकाव्य, ग्राम संदेश, जीवन नाटक, नेपालक इतिहास अप्रकाशित रहल अछि । तहिना भुवनेश्वर पाथेयकेँ पघलैथ बरफ आ हमरा नहि टोकु कविता संग्रह प्रकाशित अछि त˜ आधा दर्जन सँ बेसी पुस्तक अप्रकाशित रहल अछि ।मैथिली साहित्यकारकेँ हुलाक टिकटमे छपाबएकेँ सरकारåारा निर्ण्ाय कएलाक बाद पुरे मिथिलाञ्चलमे खुशी छाएल अछि ।युवा साहित्यकार अशोक दत्त कहलन्हि मैथिल सभक लेल र्इ गौरवक बात अछि ।

No comments:

Post a Comment