Monday, March 5, 2012

विद्यापति सभागारक उदघाटन समारोह 2012- (रिपोर्ट भास्कर झा )


4 मार्च 2012 रवि दिन सांझ 4 बजे विद्यापति सदन, झीलबगान, बागुहाटी, कोलकाता-59 में विद्यापति सभागारक/ सदनक लोकार्पण कार्यक्रम के सफ़ल आयोजन कायल गेल। प्रसिढ पुरातत्ववेता डॉ फ़णिकान्त मिश्रा जी के कर कमल द्वारा विद्यापति सदनक उदघाटन सं महानगर में विद्यापति स्मारक मंचक अपन स्थायी ट्हिकाना भेट गेल । अहि अवसर पर कृति पुरुषक सम्मान के संगहि साहित्यिक संगोष्ठी क से हो आयोजन भेल। विद्यापति स्मारक मंच, कोलकाता द्वारा आयोजित अहि कार्यक्रम के प्रारंभ में पं अर्जुन पाठक के पौरोहित्य में शिवपूजन, रुद्राष्टाध्यायीक पाठ, रुद्राभिषेकम, दुर्गासप्तसी/ दूर्गायणक पाठ भेल । वेद पाठ सं सम्पूर्ण वातावरण गुंजायमान छल। प्रवासी मैथिलक मैथिली प्रेम आर उपस्थिति आह्लादक क्षण छल। धार्मिक अनुष्ठान के उपरान्त साहित्यिक संगोष्ठिक आयोजन भेलऽहि संगोष्ठी में भाषा भारती आर प्रबोध साहित्य सम्मान सं पुरस्कृत वरिष्ठ कवि कथाकार श्री रामलोचन ठाकुर, डॉ विरेन्द्र मल्लिक, प्रसिद्ध हास्य कवि डॉ जयप्रकाश झा “जनक” , दरभंगा रेडियो स्टेशन के श्री मणिकान्त झा ,डॉ लक्ष्मण झा “सागर” , आदि सहित कतेक गोटे उपस्थित छलाह। अहि अवसर पर आईपीएस मेडल सं सम्मानित श्री सुरेश पाठक आर डॉ विरेन्द्र मल्लिक जी के अभनंदन कायल गेल। डॉ रामलोचन ठकुर अभिनंदन पत्र पढलाह। जनकजीक हास्य कविता सुनि समस्त श्रोतागण/ दर्शक्गण हसि हसि कय लोट पोट भेल छल।

No comments:

Post a Comment