Friday, March 23, 2012

बि‍हार स्थापना दि‍वसक अवसरपर गाममे कवि‍ सम्मेलन-














सत् सर्वोपरी बनल संसार/ प्रगति‍शील बनि‍ रहल अप्पन बि‍हार.... जखन जगलौं तखने भेल वि‍हान/ सुख सम्वन्ध/ ज्ञानक ज्योति‍/ नि‍खरतै जगमे हमर बि‍हार.... अति‍थि‍ पूजल जाइत अछि‍/ संतक होइत जतए सत्कार..... राष्टपति‍ हुअए आकि‍ भंगी... सबहक शि‍क्षा एक समान... इत्यादि‍ कवि‍ताक पाठ करैत कवि‍ लोकनि‍ मधुबनी जि‍लाक औरहा गाममे आइ दि‍नांक 22/03/2012 केँ बि‍हार स्था‍पना दि‍वसक शुभ अवसरपर ग्रामीण लोकनि‍क मध्य‍ अपन-अपन छाप छोड़लनि‍। गोष्ठीक आयोजक छलाह श्री उमेश पासवान। अध्यक्षता केलनि‍ श्री मि‍थि‍लेश प्रसाद सिंह। मंच संचालन श्री श्रवण कुमार सिंह। पूर्व सरपंच राम नारायण यादव, अवकाश प्राप्त शि‍क्षक जय नारायण सिंह, सुभाष यादव आ राजेन्द्र प्रसाद मण्डलक अति‍थि‍त्वमे कवि‍ अच्छेलाल शास्त्री, नन्द वि‍लास राय, दुखन प्रसाद यादव, सत्य नारायण मंडल, संजय कुमार सिंह, उमेश पासवान, उपेन्‍द्र नारायण अनुपम आदि‍‍ कवि‍ अपन-अपन नूतन कवि‍ताक पाठ केलनि‍।

No comments:

Post a Comment