Sunday, August 19, 2012

रामानन्द युवा क्लवक साधारण सभा सम्पन्न - मैथिली भाषामे दूटा पुस्तक निकालएके निर्णय (रिपोर्ट सुजीतकुमार झा)


जनकपुरधाम, भादव २ ।
मैथिली भाषा, साहित्य, कला, साँस्कृतिक क्षेत्रमे महत्वपूर्ण योगदान करैत आएल जनकपुरक रामानन्द युवा क्लवक साधारण सभा शनि दिन सम्पन्न भेल अछि ।
ओ साधारण सभा सँ एहि वर्ष मैथिली भाषामे दूटा साहित्यिक पुस्तक प्रकाशन करबाक निर्णय कएल गेल । रामानन्द एहि सँ पहिने मैथिली भाषामे पाँचटा पुस्तक प्रकाशन कएने अछि । एहि अवसर पर महिनाक अन्तिम शनि दिन कवि गोष्ठी करबाक सेहो निर्णय कएल गेल । ओ कवि गोष्ठी संचालनक लेल तीन सदस्यीय कमिटी गठन कएल गेल ।
ओ कमिटीक संयोजकमे मानव अधिकारवादी एंव साहित्यकार विजय दत्त तथा सदस्यमे मिथिला डटकमक सम्पादक सुजीतकुमार झा आ कवि काशिकान्त झाके चयन कएल गेल अछि । नविनकुमार मिश्रक अध्यक्षतामे भेल ओ समारोहमे एहि बेर सेहो दुर्गा पूजा भव्य रुप सँ मनाबएके निर्णय कएल गेल । रामानन्द चौक पर दुर्गाक प्रतिमा बना पूजा कएल जाएत । पूजाक लेल रामानन्द युवा क्लवक उपाध्यक्ष प्रकाश मिश्रक संयोजकत्वमे मूल समिति गठन कएल गेल । तहिना विभिन्न उपसमिति सेहो गठन कएल गेल । अर्थव्यवस्था उपसमितिक संयोजकमे खेमकान्त शर्मा, लाइट तथा साउण्ड व्यवस्था उपसमितिक संयोजकमे अनिरुद्ध कुमार साह, मूर्ति तथा डेकोरेशन संयोजकमे मनमोहन साह, सुरक्षा तथा स्वंयसेवक व्यवस्थापन संयोजकमे राजेश दास, पूजा तथा प्रसाद व्यवस्थापन उपसमितिक संयोजकमे जितेन्द्र साह, सांस्कृतिक कार्यक्रम उपसमितिक संयोजकमे नविनकुमार मिश्र, मंच व्यवस्था उपसमितिक संयोजकमे अजित तिवारीके चयन कएल गेल अछि । तहिना उपसमितिसभके समन्वय करबाक लेल १२ सदस्यीय कमिटी गठन कएल गेल अछि । जाहिमे क्लवक पूर्व अध्यक्ष, सल्लाहकार तथा संचारकर्मीसभके राखल गेल अछि । समितिमे पूर्व अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी, अशोक दत्त, अवधेश पोखरेल, रमेश ठाकुर,अनिल मिश्र, परमेश्वर कापडि, नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक अध्यक्ष रामअशिष यादव, सुजीतकुमार झा, राजेशकुमार कर्ण, परमहंश प्रसाद साह, रघुबीर सिंह, अजय झा रहल छथि ।
साधारण सभामे क्लवक जीतेन्द्र प्रसाद साह २०६८÷०६९ क आय व्यय प्रस्तुत कएलन्हि । १३ लाख ५२ हजार ७५ रुपैयाके क्लवक खर्च देखाओल गेल छल । समारोहमे पूर्व अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी, मैथिली विभागक विभागाध्यक्ष परमेश्वर कापडि, नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक अध्यक्ष रामअशिष यादव, वानक केन्द्रिय उपाध्यक्ष राजेश कर्ण, मानव अधिकारवादी विजय दत्त सहितक सहभागीता रहल छल ।

No comments:

Post a Comment