Saturday, August 4, 2012

सायना नेहवालकेँ लन्दन ओलमपिक्स २०१२ मे बैडमिण्टन (महिला एकल) मे कांस्य पदक

-सायना नेहवालकेँ लन्दन ओलमपिक्स २०१२ मे बैडमिण्टन (महिला एकल) मे कांस्य पदक
-शिन वांग (विश्वक दोसर स्थानक चीनी बैडमिण्टन खिलाड़ी) सँ हुनकर मुकाबला छलन्हि।
-पहिल गेममे सायना नेहवाल १८-२१ सँ हारि गेल छलीह। दोसर गेममे सायना ०-१ सँ पाछाँ रहथि तखने शिन वांगकेँ घाइल (ठेहुनक नीचाँमे चोट) हेबाक कारण मुकाबला छोड़ऽ पड़लन्हि
-सायना नेहवालक कोच ऑल इंगलैण्ड बैडमिण्टन चैंपियन पुलेला गोपीचन्द कहलन्हि जइ तरहेँ सायनाकेँ मेडल भेटलन्हि से हुनका नीक तँ नै लगलन्हि मुदा सायना नीक खेला रहल छलीह आ पहुलुक गेममे हारलाक बादो सायना ई मैच जितबे करितथि, आ ओलम्पिक पदक तँ पदके होइ छै।
-सायना नेहवालक पिता हरबीर सिंह सेहो कहलन्हि जे  जइ तरहेँ मैच बीचेमे खतम भऽ गेल से हुनका नीक तँ नै लगलन्हि मुदा साइना हालेमे शिन वांगकेँ दू बेर हरेने छथि।
-सायना नेहवाल मात्र दोसर महिला छथि जे भारत दिससँ ओलम्पिकक इतिहासमे पदक जितलन्हि, ऐसँ पहिने २००० मे सिडनी ओलम्पिक्समे कर्णम मल्लेश्वरी भारोत्तोलनमे कांस्य पदक जितने रहथि।

No comments:

Post a Comment