Sunday, August 26, 2012

मैथिली भाषाक कवि गोष्ठी सम्पन्न (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा )



जनकपुरधाम, भादव ९ ।
मैथिली भाषाक कार्यक्रमसभमे जनकपुरमे तीव्रता आएल अछि ।
एहि क्रममे शनिदिन एक दिवसीय कवि गोेष्ठी कएल गेल अछि ।
मैथिल ब्रह्मण समाजक आयोजनामे भेल मैथिली भाषाक ओ कवि गोष्ठीमे २७ गोटे कविता वाचन कएलन्हि ।
वाचन करएबला कविसभमे अयोध्या नाथ चौधरी, दिगम्बर झा दिनमणि, पुनम झा, प्रमिला मिश्र, विजय दत्त मणि, देवेश्वर लाल मुन्ना, काशि कान्त झा, प्रेम विदेह ललन, अमर कान्त अमर, जय शंकर नाथ झा, चन्द्र कान्त झा, रुद्र नारायण झा मडइ, मनिका झा, विजय मस्त, प्रमोद नारायण झा, रामापति नाथ झा, अरविन्द कुमार यादव, धीरज कुमार साह, कोमल कर्ण, हसमुख कर्ण, ज्ञानेन्द्र झा, सुमन झा, उदिष्ट नारयण झा, नविन कुमार मिश्र, शुभ नारायण झा सहितक रहल छलथि ।
मैथिल ब्राह्मण समाजक केन्द्रीय अध्यक्ष पवन कुमार झाक अध्यक्षतामे भेल ओ समारोहमे प्रमुख अतिथिक आसन सँ बजैत युवासभकेँ साहित्य रचनामे जोड देबए आग्रह कएलन्हि । समारोहमे पठित कविता उपर अयोध्या नाथ चौधरी समीक्षा कएलन्हि ।

No comments:

Post a Comment