Tuesday, August 7, 2012

२१ वर्ष्ाक बाद गीत सुनयके अवसर (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा )



मिथिलाञ्चलक चर्चित गायक सुनिल मल्लिकक पिता सेहो गायक छथि बहुतोकेँ नहि बुभmल हएत । जनकपुरक लोकके जँ कनिमनि पतो चलल त˜ ओ छल आलाप संगीत विद्यालयक उद्‍घाटन समारोहमे हुनका åारा गायल गीतक बाद । कामेश्वर मल्लिक जखन गाबय लगैत छथि तखन बहुतोकेँ छक्का छोडा दैति छथि । आलाप संगीत विद्यालयक उद्‍घाटन समारोहमे हुनका åारा गायल गीतक बाद लोकक ताली रुकि नहि रहल छल । ओ समारोहमे बहुतो लोक कहलन्हि अपन धियापुतासँ गबबैत मात्र नहि छथि अपनो बढिया गबैत छथि ।कामेश्वर मल्लिकक गीत सुनबाक साइत हमरा २१ वर्ष्ाक बाद जुडल । हम १० कक्ष्ाा विद्यार्थीसभ धनुष्ााक लोहना बभनगामा स्थित कण्टिर भmा नमूना माध्यमिक विद्यालयमे स्वागत कार्यत्रmम कएने छलहुँ । ओही मे ओ गयने रहथि । आश्चर्य लागत ओहने गीत उमेर सँ गायनमे कोनो फरक नहि । के कहत ७० वर्ष्ाक उमेर एहन शायरीवाला अन्दाजमे गायकी । मल्लिक सर हमर सभक हेड सर रहथि । आनदिन त˜ हुनका आगा जाए सँ डर लगैत छल । मुदा शिक्ष्ाक स्वागत दिन त˜ ओ सभ चीजमे छुट द˜दैत छला । एकरबाद त˜ विद्यार्थी सभ आग्रह करय लगैत छलहुँ । आ ओ गीत गाबय लगैत छलथि । सभ साल शिक्ष्ाके स्वागत कार्यत्रmममे गीत गबैत छलथि । मल्लिक सर आ भरत सर (स्व.भरतनारायण्ा लाल कर्ण्ा) क गीत सुनयके लेल विद्यार्थी सभके बहुत प्रतिक्ष्ाा रहैत छल । जहिना मल्लिक सरकेँ आलाप संगीत विद्यालय क जनकपुरमे भेल उद्‍घाटन समारोहमे गीत सुनलहुँ पुरान बात सभ स्मरण्ा होबए लागल । बभनगामा माविमे विताएल कतेको क्ष्ाण्ा सभ । गीत गाबयसे पहिने शिक्ष्ाक स्वागत कार्यत्रmममे मल्लिक सर कहैत छलथि ( हम त˜ विवाह सभमे सेहो गीत गबैत छलहुँ । मल्लिक सरके गीत संगीतक प्रेम ककरो सँ छिपल नहि अछि । मिथिला नाट्‍य कला परिष्ाद्‍क अधिकांश कार्यत्रmममे ओ सहभागी होइत छथि । अपन चारिटा सन्तानकेँ अही क्ष्ोत्रमे लगौने छथि । जनकपुरमे संगीतक विद्यालय होइक हुनकर बहुत दिन सँ सपना छल । ओ स्वयं बभनगामा माविमे विद्यार्थी सभके संगीत पढाबए लेल शिक्ष्ाक रखने रहथि । मुदा जनकपुरक लोक कामेश्वर मल्लिकक पहिलबेर गीत गबैत देखलक आ सुनलक । ओना हम एहिमे भाग्यवानी छी । अन्तमे इहे कहकेँ मोन करैत अछि( मल्लिक सर सभदिन साँस्क ृतिक कार्यत्रmम सभमे एहिना सहभागी होइत रहुँ आ कहियो काल क˜ लोकके अपन गीतो सुना दियौक ।

No comments:

Post a Comment