Tuesday, August 7, 2012

बिहार मे औद्योगिकीकरणक रफ्तार सुस्त (रिपोर्ट चन्दन कुमार झा)


बिहार सरकार राज्य मे औद्योगिकीकरण केँ बढ़ाबयकेँ खातिर १९७४ ईस्वी मे बिहार औद्योगिक क्षेत्रीय विकास प्राधिकरण (बियाडा) के स्थापना केलक.मुदा,एखनो बिहार मे औद्योगिक विकास आ' उद्योगक विस्तार नगण्य अछि.वर्तमान नीतीश सरकारक सुशासनक दावा सेहो एखनधरि प्रदेश मे औद्योगिक विकासक समुचित माहौल नहि बना सकल अछि.भारतीय जनता पार्टी के विधायक श्री विनोद नारायण झाक तारांकित एकटा प्रश्नक उत्तर मे सोमदिन विधानसभा मे राज्यक उद्योग मंत्री रेणू कुमारी जनौलन्हि जे बियाडा द्वारा लीज पर देल गेल कुल १७८ टा भूखण्ड (प्लॉट) मे से मात्र एगारह जगह पर उत्पादन चलि रहल अछि.संगहि ओ कहलन्हि जे ई आँकड़ा वित्तीय बरख २०१०-११ धरिक अछि.ओ ईहो जनतब देलनि जे ८९ जगह पर एखन निर्माणकार्य चलि रहल अछि आ' एखनिधरि आवंटित प्लॉट मे से १६टा आवंटन विभिन्न कारण सँ रद्द कए देल गेल अछि.मुदा, मंत्रीक उपरोक्त उत्तर सँ एकटा बात स्पष्ट अछि जे एखनधरि नीतीश सरकार केँ औद्योगिक विकासक क्षेत्र मे कोनो खास सफलता नहि भेटलैक अछि.

No comments:

Post a Comment