Saturday, December 31, 2011

अन्धरा ठाढ़ी मे बनत स्मारक, सरकार के याद अयलनि वाचस्पति मिश्र - (रिपोर्ट नवेंदु कुमार झा)


अन्धरा ठाढ़ी मे बनत स्मारक, सरकार के याद अयलनि वाचस्पति मिश्र
बिहारक शताब्दी वर्षक अवसर पर चुनल गेल बिहार गौरव गीत मे मिथिलाक उपेक्षाक भरपा करबा मे नीतीश सरकार लागि गेल अछि। मिथिलावासीक आक्रोश के दबबऽ लेल पहिने जानकी नवमी छुट्टी पर मोहर लगौलाक बाद मधुबनी मे चित्रकला संस्थान खोलब, महाकवि विद्यापति आ मंडल मिश्रक जन्मस्थली के पर्यटन स्थल बनैबाक योजनाके मूर्त रूप ऽ अपना आप के पैघ मैथिल हितैषी होएबाक लेल बेचैन अछि आ आब नवम् शताब्दीक संस्कृत प्रख्यात विद्वान पंडित वाचस्पति मिश्रक जन्म स्थली मधुबनी जिलाक अन्धराठाढ़ी मे स्मारक बनैबाक घोषणा कयलक अछि। भामतीक लेखक पंडित मिश्रक स्मारक स्थल लग एकटा पर्यटक काम्पलेक्स आ पुस्तकालय सेहो बनाओल जायत। एहि वास्ते ग्रामीण सभ दू एकड़ सॅ बेसी जमीन उपलब्ध करौलनि अछि। एहि क्षेत्र क सौंदर्यींकरण सेहो कयल जायत। जाहि पर 37 लाख टाका खर्च होयत संगहि गाम मे स्थित म्यूजियमक आधुनिकीकरण पर दू लाख टाका खर्च कयल जायत।

No comments:

Post a Comment